पटना । अगर सब किछु ठीक रहत त मोदी क मेक इन इंडिया क गुंज बिहार मे सेहो सुनाई पड़त । कनाडा क मल्टीनेशनल कंपनी ‘डाटाविंड’ जे आकाश टेबलेट क उत्पादक क रूप मे प्रसिद्ध अछि, बिहार सरकार कए बिहार मे एकटा फैक्ट्री खोलबाक प्रस्ताव पठेलक अछि ।
डाटाविंड क सीइओ सुनीत सिंह तुली अपन एकटा वक्तव्य मे कहलथि जे कंपनी बिहार सरकार क आइटी पॉलिसी स प्रभावित अछि । कंपनी बिहार कए अपन कम दाम क टेबलेट आ स्मार्टफोन क एकटा प्रमुख बजार क रूप मे सेहो देखि रहल अछि । मांझी सरकार लेल इ एकटा खुशी क गप अछि जे कंपनी अपन फैक्ट्री क लेल जमीन आ फैक्ट्री खोलबाक लेल जरूरी मदद बिहार सरकार स चाहैत अछि। श्री तुली कहलथि जे अखनि धरि हम सब निवेश क पाई पर एकमत नहि भेल छी मुदा कंपनी हाल मे टोरंटो स्टॉक एक्सचेंज मे 200 करोड़ क एकटा आईपीओ निकालने छल, जेकर अधिकतर हिस्सा ओ भारत आ बिहार मे अपन कंपनी क विस्तार लेल खर्च करत। बिहारक आईटी मंत्री साहिद अली खान पत्रकार स गप करैत कहबाक अछि जे इ बिहार लेल नीक खबर अछि । हम कंपनी कए सभ तरह क सुविधा देबा लेल तैयार छी। हम कंपनी क तत्काल लेल बिस्कोमान भवन मे एक या दू टा फ्लोर दए सकैत छी। हम सब इ निवेश लेल बहुत गंभीर छी आ बिहार सरकार कोनो तरह इ प्रस्ताव क नकारि नहि सकैत अछि । ओम्हर श्री तुली क कहब अछि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी क ‘मेक इन इंडिया’ क नारा स ओ बड्ड प्रभावित छथि । मेक इन इंडिया पॉलीसी बड्ड नीक अछि आ ताहि लेल हम बिहार सहित देश क आन हिस्सा मे सेहो निवेश करबा लेल विचार करि रहल छी।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
बहुत नीक समाचार , सुन क् खुशी भेल |