• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

मधुबनी: दर्शनीय स्थल स किया नजरि फेरने छी सरकार

December 13, 2010
in फीचर
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

मधुबनी। मधुबनी मे मंदिर, प्राचीन मूर्ति आ पौराणिक अवशेष क भरमार अछि। एहिठाम शैव, शाक्त, वैष्णव आ बौद्ध मतालंबी स संबंधित स्थल क तादाद कम नहि अछि। पाल, सेन आ कर्नाट वंशीय शासक द्वारा निर्मित मंदिर आ ओहि मे स्थापित देव विग्रह अतुलनीय अछि। जिलाक कईटा गढ़ क पुरावशेष आइ सेहो विद्यमान अछि। मुदा एखनधरि ओकरा संरक्षित करि पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित नहि कैल जेबा स पर्यटन क अपार संभावना कए बल नहि भेट सकल अछि। अगर जिला क किछु महत्वपूर्ण स्थल क विकास पर्यटक स्थल क रूप मे करि देल जाए त ढेर विदेशी मुद्रा क आय क संग एहि क्षेत्र मे रोजगार क बेहतर साधन उपलब्ध भ सकैत अछि।
बाबूबरही प्रखंड क प्रसिद्ध पुरातात्विक स्थल बलिराजगढ़ क कायाकल्प की नव गठित सरकार करत? मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन विधायक आ मंत्री कए विकास क लेल रोड मैप तैयार करबा लेल कहलथि अछि, कि एहि इलाकाक विधायक एहि दिस काज करताह। दू सौ पच्चीस एकड़ भू-भाग मे पसरल एहि स्थल क तीन बेर अल्प खुदाई भ चुकल अछि। ओहि खुदाई मे ईसा पूर्व दोसर-तेसर सदी, मौर्य आ शुंगवंश क पूर्व मे अवशेष प्राप्त भेल। एकर इर्द-गिर्द बौद्धकाल क अवशेष सेहो भेटल। लालू सरकार खुदाई कए बीच मे बंद करि देलक। विभाग मानलक अछि जे उक्त खनन स प्राप्त अवेशष स सामाजिक आ सांस्कृतिक अनुक्रम स्थापित भ चुकल अछि। वर्ष 1993 मे एहि स्थल कए पर्यटक केन्द्र क रूप मे घोषित कैल गेल। मुदा पर्यटक केन्द्र क रूप मे विकास लेस मात्र नहि भेल अछि। एतबा  महत्वपूर्ण स्थल पुरातत्ववेता, इतिहासकार आ राजनेता क उपेक्षा क कारण दुनिया क नजरि स ओझल अछि।
एहिना जिला मुख्यालय स्थित भौआड़ा गढ़ शुभंकर ठाकुर क राजस्व काल (1581-95) मे निर्मित भेल। ओकर बाद महाराजाधिराज रमेश्वर सिंह (1898-1929) क शासनकाल मे अनेक मंदिर क निर्माण भेल। जाहि मे भौआड़ा गढ़ स्थित भव्य काली मंदिर शामिल अछि। इतिहासविज्ञ डॉ. नरेन्द्र नारायण सिंह निराला एकरा मिथिला क सबस ऊंच मंदिर कहैत छथि। इ काली मंदिर दर्शनीय आ रमणीय एतबा अछि जे पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित करब बहुत आसान अछि। नगर क गंगासागर तालाब क पश्चिम भिण्डा पर स्थापित काली मंदिर सेहो दर्शनीय अछि। जिला क बेनीपट्टी अनुमंडल मुख्यालय स पांच किमी पश्चिम प्रसिद्ध सिद्धपीठ उच्चौठ दुर्गा स्थल जे महाकवि कालीदास स संबंद्ध अछि कए घोषणा क बावजूद पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित नहि कैल जा सकल अछि। जखकि एकरा लेल समविकास योजना स राशि उपलब्ध करा देल गेल अछि। मधुबनी मुख्यालय स आठ किमी उत्तर अति प्राचीन राज-राजेश्वरी स्थान जतए शिव-पार्वती क प्राचीन युग्म प्रतिमा स्थापित छै कए पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित कैल जा सकैत अछि। ओतहि पंडौल प्रखंड स पांच किमी पूरब महाकवि विद्यापति स संबंधित उगनेश्वर शिवालय, सौराठ सभागाछी आ ओतहि माधवेश्वर नाथ आ सोमनाथ शिवालय, हरलाखी प्रखंड स्थित माता जानकी स संबंद्ध गिरिजा स्थान, विशौल स्थित विश्वामित्र आश्रम, कल्याणेश्वर शिवालय, रहिका प्रखंड मुख्यालय स चारि किमी दक्षिण कपिलमुनि द्वारा प्रसिद्ध कपिलेश्वर स्थान, रहिका स्थित उर्वशी नाथ, रहिकेश्वरी भगवती, तंत्र विद्या क लेल प्रसिद्ध रहल मुख्यालय स सटल मंगरौनी गाम स्थित बूढ़ी माई आ एकादश रुद्र मंदिर, कोइलख क भद्रकाली भगवती, नाहर भगवती पुर स्थित सूर्य, विष्णु आ दुर्गा सहित अन्य प्रतिमा, सूर्य मूर्ति (बरुआर, परसा, रखवारी, अंधराठाढी, भीठ भगवानपुर आ अकौर) विष्णु मूर्ति (अकौर, भीठ भगवानुपर, कमलादित्य स्थान) कार्तिकेय (बसुआरा), भैरव (बलिया), अयाची मिश्र द्वारा सरिसवपाही स्थित सिद्धेश्वरी भगवती, महाकवि विद्यापति डीह बिस्फी आ हुनकर द्वारा स्थापित भगवती विश्वेश्वरी, याज्ञवल्क्य आश्रम, उत्तरा स्थित दक्षेश्वर शिव, गांडीवेश्वर शिवधाम (शिवनगर), भोज पंडौल क देव प्रतिमा, बराह मंदिर सलेमपुर, जयनगर स्थित शिलानाथ, पंचानन महादेव (अरघावा आ ब्रह्मापुर), विदेश्वर शिवालय लोहना, मदनेश्वर शिवालय, जागेश्वर शिवालय, पारसमणी शिवालय रहुआ संग्राम, शेषशायी विष्णु बलिया, कपिलेश्वर काली, शिव आ ब्रह्मा, मैवी शांति नाथ, पंचानाथ शिवालय झंझारपुर, अंकुशी शिव लखनौर, लक्ष्मीनाथ गोसाई कुटी (लखनौर), तीन काल कए समेटने बलिराजगढ़, अंधराठाढ़ी क पस्टन स्थित बौद्ध बिहार क खंडहर एहन प्राचीन स्थल छै जेकरा पर्यटन स्थल क रूप मे विकास करि पर्यटन क नक्शा पर आनब आब जरूरी अछि। अंधराठाढ़ी क नवनगर गाम मे एकटा प्राचीन शिवालय जमींदोज हेबाक कगार पर अछि। एहन मे मधेपुर प्रखंड क कोसी क गर्भ मे द्वालख गाम मे प्राचीन हरेश्वर नाथ शिवालय सेहो ध्वस्त हेबाक कगार पर अछि। मुदा एकरा देखनिहार कियो नहि अछि। वर्तमान ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्र झंझारपुर स विधायक छथि आ हुनका स उम्मीद अछि जे ओ एहि दिशा मे पहल करताह आ परसा सूर्य मंदिर, कमलादित्य स्थान, हरेश्वर नाथ शिवालय, नवनगर शिवालय आदि क संरक्षण आ संबघ्र्द्धन करि पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित करबा लेल कला आ संस्कृति विभाग कए एहि स्थल प्रतिवेदन देताह। कुल मिलाकए कहल जा सकैत अछि जे अगर मधुबनी क एहि स्थल क सरकार संरक्षण आ संवघ्र्द्धन करि पर्यटक स्थल क रूप मे विकसित करि दिए त देसी-विदेशी पर्यटक कए आकर्षित करबा मे सफलता भेट सकैत अछि आओर एहि स काफी राजस्व सेहो भेट सकैत् अछि, संगहि लोक कए रोजगार सेहो।

Tags: पर्यटक स्थलमधुबनी
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

माउस क्लिक स सामने आउत निबंधन क दस्तावेज

Esamaad Epaper Website

केन्द्र लग लटकल अछि कईटा पनबिजली परियोजना

इ बिहार क पुनर्जागरण काल छी!

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि