पटना । दिल्ली गैंग रेप क बाद महिला क खिलाफ अपराध क रोकथाम लेल जनता क दबाव क असर बिहार मे प्रशासनिक व्यवस्था पर सेहो देखा रहल अछि। रेलवे सहित राज्य क विभिन्न विभाग मे हेल्पलाइन क स्थापना समेत कईटा पहल बिहार मे सेहो कैल जा रहल अछि।
महिला क खिलाफ अपराध क शिकायत पर त्वरित कार्रवाई लेल समाज कल्याण विभाग 35टा जिला मे 24 घंटा क महिला हेल्पलाइन क शुरुआत केलक अछि । पूर्व मध्य रेलवे (ईसीआर) एकटा सिक्यूरिटी कंट्रोल नंबर शुरू केलक अछि जखनकि राजकीय रेल पुलिस (जीआरपी) सेहो जल्द एकटा हेल्पलाइन शुरू करबाक फैसला केलक अछि।
समाज कल्याण विभाग सेहो जल्द एकटा टॉल फ्री नंबर क शुरुआत करत । एकर तैयारी चलि रहल अछि । एहि स महिला कए सुविधा होएत। विभाग महिला हेल्पलाइन क दायरा विस्तृत करबाक निर्णय केलक अछि। पटना मे महिला हेल्पलाइन क प्रभारी प्रमिला कुमारी क कहब अछि जे पहिने अधिकतर मामला घरेलू हिंसा क छल। दिल्ली क घटना क बाद मीडिया मे प्रचार प्रसार क कारण आब पैघ संख्या मे छेड़खानी क शिकायत सेहो आबि रहल अछि। ओ कहलथि जे हेल्पलाइन कएमास मे 45 स 50टा शिकायत भेट रहल अछि।
दोसर दिस पूर्व मध्य रेलवे सेहो महिला कए चलती ट्रेन मे सुरक्षा संबंधी शिकायत लेल एकटा कंट्रोल रुम स्थापित केलक अछि जेकर मोबाइल नंबर 9771425718 क व्यापक प्रचार प्रसार कैल जा रहल अछि । रेल सुरक्षा बल आ राजकीय रेल पुलिस क निगरानी मे 400 ट्रेन क निगरानी कैल जा रहल अछि । अपर पुलिस महानिदेशक (एडीजी रेल) पारसनाथ राय क कहब अछि जे ट्रेन आ प्लेटफार्म पर महिला क सुरक्षा आ हुनकर मदद लेल जल्द एकटा हेल्पलाइन स्थापित कैल जाएत। एहि पर काज भ रहल अछि। ओ कहला जे स्थानीय युवती पैसेंजर ट्रेन स पढ़बा लेल जाइत छथि। राजकीय रेल पुलिस क थानाध्यक्ष कए हुनकर सुरक्षा व्यवस्था मजबूत करबा लेल कहल गेल अछि। राय कहला जे रेल एडीजी मुख्यालय स्तर पर पहिने स एकटा शिकायत लेल हेल्पलाइन अछि। कार्यालय अवधि समाप्त भेलाक बाद आ अवकाश क दिन सेहो इ 24 घंटा काज करैत अछि।
ज्ञात हुए जे बिहार मे 2012 मे बलात्कार क 872 मामला सामने आयल अछि, जखन कि युवती कए भगा ल जेबाक घटना समेत अपहरण क कुल 4411 मामला दर्ज कैल गेल अछि। पुलिस महानिरीक्षक (कमजोर वर्ग) अरविंद पांडेय क कहब अछि जे राज्य मे 38टा जिला आ दूटा पुलिस जिला सहित 40टा महिला थाना क स्थापना कैल गेल अछि आ एकर प्रचार प्रसार कैल जा रहल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर