• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

रिपोर्ट जे लिख नहि सकलहुं : भाग-दू

February 2, 2010
in फीचर
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ऑल सर्विसेज अंडर वन रूफ क अवधारना आब मूर्तरूप ल चुकल अछि। पटना क ओल्ड कलेक्टेरिएट बिल्डिंग क अपन कार्यालय मे बैस कए अनुप मुखर्जी विकास कार्य क मॉनीटर करि रहल छथि। एहि भवन क देखभाल ऑल सर्विसेज अंडर वन रूफ नाम क कंपनी करैत अछि। सब जिला क प्रोग्राम ऑफिसर क संग ओ मंथली वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग करैत छथि, लेकिन एहि टेलीकॉन्फ्रेंसिंग स सेहो पटना आ जिला क बीच क खाई नहि पटी सकल अछि। पटना मे त प्रशासन बेहतर भेल अछि, मुदा जिला मे सरकार क सामाजिक कार्यक्रम क स्थिति आओर पदाधिकारी क कार्यशैली मे कोनो खास बदलाव नहि आबि सकल अछि।
आइ जखन पर अपन जिला मुख्यालय दिस विदा भेलहु त सड़क देखी मन प्रसंन्न भ गेल आ ओ दिन कए स्मरण करि रोमांचित भ गेलहुं जहिया कहैत रहि जे सरकार किछु करै नहि करै इ सड़क कए बना दिए। हमर संग चलि रहल पत्रकार उज्जवल कहैत छथि – सरकार वारफुटिंग पर सड़क क निर्माण शुरू केलक अछि। मधुबनी स पटना क दूर तय करबा मे पहिने दस घंटा लगैत छल। आइ छह घंटा लगैत अछि। एहि सड़क पर आइ सेहो काज चलि रहल अछि। पहिने त एकर आओर खराब स्थिति छल, बीस किलोमीटर रोड क त अस्तित्व खत्म छल। खेत स भ कए यातायात परिचालित छल। मुदा आइ एहन नहि अछि।
आगू सड़क पर अवरोध छल। यातायात बाधित छल, मुदा इ अवरोध बच्चा लगेने छल, अपराधी नहि। गुजरैत कार क सामने ओ बांस कए खसा देने छथि। एहि उम्मीद मे कि सरस्वती पूजा क लेल कारवाला कि छु चंदा द दे। बिहार बदलि गेल अछि। बेसी दिन नहि बीतल, जखन एहन अवरोध कए देखैत आशंका भ जाइत छल। रंगदारी वसूलबा, अपहरण करबा या कार कए लूटबा लेल एहन अवरोध ठार कैल जाइत छल। 2004 मे अपहरण क चारि सौ वारदात भेल छल। मुदा आइ माहौल बदलल अछि। गाम मे दसटा मोबाइल कंपनी प्रतिस्पर्धा करि रहल अछि। प्रति सेकेंड एक पैसा क दर स। युद्ध स्तर पर काज केंद्र सरकार स बढ़ल आवंटन क कारण पिछला वित्तीय वर्ष मे विकास क नियोजित प्राथमिकता मे 160 करोड़ क राशि खर्च कैल गेल अछि। 2002 मे मात्र 12 करोड़ क राशि खर्च कैल गेल छल।
बीडीओ कहैत छथि जे नरेगा स संबंधित अनेक कागजात ओ देखा सकैत छथि। ओ अपन सहयोगी कए हाकदेलथि। ओ जमीन पर फाइल क ढेर स फाइल उठा करि दैत अछि। पेपर वर्कस्थिति इ अछि, गाम मे रोजगार प्रदान करै स बेसी तेज गति स जिला क कार्यालय मे पेपर वर्क क ढेर जमा होइत जा रहल अछि।
हमर गाम मे 1710 जॉब कार्ड प्रदान कैल गेल अछि। यानी, सौ दिन काज करबा पर मजदूरी क रूप मे हुनका 17 लाख स ज्यादा टका भेटल छल। गामक एकटा युवाक कहब छल जे ग्रामीण पूरा राशि क पांच प्रतिशत स कम पर दावा केलथि अछि। 43 प्रतिशत राशि क घपला करि लेल गेल अछि। मजदूर क काल्पनिक नाम आ फर्जी बिल क सहारे। 43 प्रतिशत क राशि क गबन क मामला शायद गाम मे रहस्य नहि अछि। आन लोक सेहो ओहि युवकक गप पर सहमति देलथि। केंद्र सरकार क लाखों-करोड़ों क राशि स्थानीय प्रशासनिक तंत्र क टेबुल पर अछि। एकरा विश्वास क संग चोरेबाक प्रति ओ उदासीन बनल अछि- रहस्य इ अछि। पटना मे सेहो इ सवाल मन मे आयल छल। उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी कहने छलाह- गरीब राज्य क समक्ष क्राइसिस ऑफ इंप्लीमेंटेशन-योजना कए लागू करब सबस पैघ संकट अछि। टका अछि, मुदा ओकरा खर्च कोना करी? पटना स एहि समस्या क समाधान नहि भ सकैत अछि। नीतीश कुमार कए पंचायत कए बेसी जीवंत बनाबए पड़त। स्थानीय योजना क प्रति निर्वाचित प्रतिनिधि कए जवाबदेह बनाबए पड़त, मुदा बिहार मे पंचायत एखनो पुरान प्रभावी लोकक हाथ मे अछि।
समाजक सबस गरीब लोक लेल विकास एखनो प्रखंड कार्यालयक टेबुल पर स आगू नहि बढि़ सकल अछि। एहि साल विधानसभाक चुनाव अछि आ गरीब नीतीशक दोसर पारी मे अपन हिस्सा सुनिश्चित करबा लेल आवाज उठेबाक मन बना रहल। मन निवेशक सेहो बना रहल अछि। बिहार क विकास एखन धरि सड़क निर्माण, इम्यूनाइजेशन ओद कार्यक्रम पर आधारित रहल, नव संस्था पर नहि। विकास पब्लिक इन्वेस्टमेंट स भेल अछि, प्राइवेट इन्वेस्टमेंट स नहि। बिहार इंडस्ट्रीज एसोसिएशन मे व्यवसायी साख आ बिजली क कमी क चर्चा करैत छथि। राष्ट्रीय औसत क मात्र 12 प्रतिशत एहि ठाम खपत अछि।
बीआइए क पूर्व अध्यक्ष केपी झुनझुनवाला कहैत छथि – नीतीश कुमार क दोसर पारी क इंतजार मे निवेशक बैसल अछि। बिहारक गाम एखनो अनहार अछि, मुदा पटनाक सांझ हरदम हमरा सन लोक लेल रोमांचकारी रहल अछि। रोशनी स नहायल पटनाक सड़क पर जाम लागब आम भ चुकल अछि। जाम टूटल सड़क क कारण नहि अछि, जामक कारण अछि पिछला तीन साल मे शहर मे बढ़ल गाड़ीक संख्या। हमर ट्रेन समय पर छल। दिल्ली मे अनेक सवाल राखल अछि। बिहार कतेक बदलल, नीतीश क दोसर पारी संभव अछि या नहि आ अपराधक ग्राफ सही मे कम भ गेल अछि….। सबटा क उत्तर सोचैत रही कि मोबाइल पर एसएमएस भेटल,’चाही त पटना मे नौकरी ज्वाइंन करि सकैत छी। पटना लौटबाक इच्छा लेने एक बेर फेर दिल्ली जक्शन पर उतरि गेलहुं।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
Next Post

नीतीशक मंशा ठीक, मुदा काज संतोषप्रद नहि : राहुल

राहुलक दीवानगी

सुपर थर्टी मे कार्यशैली स गदगद भेला मनमोहन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि