• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एकर हश्र एहने हेबाक छल

November 7, 2009
in विचार
A A

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

Harivansh-1
झारखंड क सपना देखनिहार आइ उदास छथि। उदास रहबाक कारणो अछि। पिछला नौ साल मे झारखंड जमीन स गर्त मे चलि गेल, जखन कि बिहार स अलग भेला पर सब सोचने छल झारखंड विकासक आकाश मे ध्रुव तारा बनि चमकत। एक कात जतय बिहार विकासक बाट पर चलैत बीमारू राज्यक कतार स बाहर निकलि रहल अछि, ओहि ठाम दोसर दिस झारखंड लेल अराजक शब्द छोट पडि़ गेल। हरिवंश जी लगातार एहि दूनू राज्यक हालात पर अपन विचार दैत रहला अछि। पिछला हफ्ता जेना झारखंडक इतिहास मे नव कलंक जुड़ल ओकर बाद प्रभात खबर मे हरिवंश जीक एकटा लंबा आलेख छपल। प्रस्तुत अछि एहि आलेखक प्रमुख अंश-
कोड़ा सरकार बनलाक बाद प्रभात खबर लगातार हुनकर कारगुजारी कए उजागर करैत रहल। अगर प्रभात खबर मे छपल दस्तावेज पर कार्रवाई होइते त आइ झारखंड क इतबा टका विदेश मे नहि गेल रहिते। धन महत्वपूर्ण नहि अछि। भ्रष्टाचार क संस्कृति कए झारखंड मे मजबूत बनेबाक काज सबस बेसी कोड़ा सरकार केलक। किछु दिन पहिने कोड़ाजी प्रभात खबर मे छपल खबर कए झुठला देने छलाह। इ प्रभात खबर क सवाल नहि छल। राज्य क सवाल छल। अगर पूरा मीडिया एहि सवाल पर एक मंच पर ठार भेल रहिते , त झारखंड लुटबा स बचि गेल रहिते। ओहि स बेसी झारखंड मे लोभ आ दलाली क संस्कृति एतबा मजबूत नहि होइते। इ घटना क बाद, शायद हम मीडिया क लोक सेहो एक मंच स जनता क सवाल पर एक संग ठार भ सकी।
झारखंड स जुड़ल नेता या झारखंड मे भेल भ्रष्टाचार क प्रसंग देश भरि मे छापल। कईटा राज्य क आठ शहर मे छापा मारल गेल। शायद कहियो कोनो एकटा राज्य क राजनीति स जुड़ल एतबा लोकक ओहि ठाम एक संग एतबा छापा नहि मारल गेल छल। एहि तरहें नौ वर्ष मे झारखंड देश मे रिकार्ड बना देलक। सूचना अछि जे एहि छापा मे आयकर आओर इन्फोर्समेंट विभाग क लोक छलाह। इ दूनू कए एक संग रहबा स एहि मामलाक गंभीरता साफ अछि। एक संग एतबा ठाम छापा इ सेहो बता रहल अछि जे गप (भ्रष्टाचार) केतबा आगू बढि़ गेल छल। छापा जहि वर्ग क लोकक घर मे पड़ल ओ सेहो दिलचस्प अछि। राजनीति, मीडिया, उद्योग स जुड़ल लोक क एहि मे नाम अछि। बिचौलियाक त गपे छोडू। एहि मे स अधिकतर लोक क हैसियत झारखंड बनैत समय लगभग सामान्य स नीचा छल। मुदा झारखंड बनलाक बाद एहि मे स कई गोटे करोड़पति, अरबपति भ गेलाह। जे गांव, शहर स बाहर नहि निकलल आइल छलाह ओ पूरा दुनिया मे पसरि गेलाह। अर्थशास्त्र क कोन गणित या ग्रोथ मॉडल स ? इ समाज नहि जनैत अछि। कानून कए सेहो शायद एकर तलाश अछि।
एहि छापा क खबरि सुनि कए झारखंड गठन क दौर मन परैत अछि। 15 नंवबर कए बिहार स झारखंड अलग भेल छल। विकास क लेल । कुव्यवस्था- अव्यवस्था क अंत क लेल। आदिवासी – गरीब क कल्याण क लेल। पशुपालन घोटाला झारखंड मे भेल, तखन बिहार क दौर छल। आब झारखंड बनलाक नौ वर्ष भ चुकल अछि। नौ साल मे झारखंड क जेतबा शोषण भेल, ओतबा शायद कहियो नहि भेल। शायद इ धरती बनबा स एखन धरि तक। झारखंड कए लॉलेस (कानून रहित) आ सबस भ्रष्ट राज्य बनेबा मे मधु कोड़ा सरकार क हाथ प्रमुख अछि, जे कांग्रेस, झामुमो आ राजद क समर्थन स चलल। इ भ्रष्टाचार झारखंड कए न्यूनतम 50 वर्ष पाछु धकेल देलक। कोना? आइ पूरा देश, झारखंड क इ घटना जानि कए स्तब्ध अछि। एहि गरीब राज्य स पैघ पैमाना पर पूंजी देश-विदेश गेल। निवेश क लेल। कई-कई हजार करोड़ क पूंजी आओर इ सब केलक के? धरती पुत्र । की झारखंड क राजनीति मे एहन तत्व क खिलाफ झारखंड क माइट स इ आवाज उठत? की झारखंड क धरती क युवा शोषक बनल अपन लोकक खिलाफ उतरत?
भ्रष्टाचार, देशद्रोह जइसन गंभीर मामला अछि। एहि स झारखंड मे गरीब क भविष्य क हत्या भ रहल अछि। गरीब आओर गरीब बनि रहल अछि। जे पुल-पुलिया बनि रहल अछि, ओ बनबा काल ढहि रहल अछि। अरबों क पुल-पुलिया गायब भ रहल अछि। करोड़ क सड़क चोरी चलि जा रहल अछि। यानी सिर्फ कागज पर काज भ रहल अछि। एहि ठाम मंत्री खुलेआम कहैत छथि जे कियो सरकारी कर्मचारी कहथि जे हुनका स टका ल कए हम हुनकर काज नहि केलहुं। इ अहंकार आ दर्प छल, मंत्री क । जाहि संविधान आ कानून क शपथ ल कए पद पर बैसलाह, ओकर जडि़ खोदैत रहलाह। ओकरे हत्या करैत रहलाह। इ भ्रष्ट तत्व पूरा नौकरशाही कए अशक्त आ पंगु बना देने छल। मीडिया क लोक कए सेहो अपन चंगुल मे ल लेने छल।
झारखंड क सत्ता मे इ सब पात्र (जिनकर ओहि ठाम छापा पड़ल) डूबि गेल छलाह। हिनका सब कए लगैत छल इ अजर-अमर अछि। टका स सब किछु सेहो करि सकैत छी। एहि गांधी कहने छथि, धर्म रहित कोनो राजनीति नहि होइत अछि। राजनीति, धर्म क सेवा करैत अछि। धर्म रहित राजनीति मौत क कुआं अछि आओर इ आत्मा कए सेहो मारि दैत अछि। धर्म स हुनकर अर्थ मनुष्य क उदात गुण आ लक्षण स छल। झारखंड क राजनीति क मूल मे मात्र धूर्तता छल। जाहि कात बेसी टका, पासा ओहि कात पलटि जाइत छल। येह दर्शन छल। एकर हश्र एहने हेबाक छल। इ साधन आ साध्य क गणित अछि। रासायनिक फ़ार्मूला क भांति। जाहि तरहे बेखौफ लूट भ रहल छल, ओकर परिणाम अछि इ छापा। लोभ, लालच आ सत्ता मद हिनकर आत्मा कए मारि देने अछि।

Tags: harivanshprabhat khabar

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

रेलवे बोर्ड क अध्यक्ष हटला

मैथिली क पहिल ई-पेपर 'समाद लांच

मीराकुमार कए मानद डीलिट् क उपाधि भेटल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि