दरभंगा । 1938 मे स्थापित दरभंगा-लहेरियासराय पावर कॉरपोरेशन क पावर जनरेशन स्टेशन संग्रहालय बनत। बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी क सीएमडी प्रत्यय अमृत एकर घोषणा केलथि अछि। विभागीय समीक्षा लेल दरभंगा पहुंचल श्री अमृत जखन पावर स्टेशनक संबंध में जानकारी लेलथि त आश्चर्य व्यक्त करैत कहलथि जे एहन धरोहर कए त संरक्षित करबाक जरुरत अछि। एकरा कंपनी संग्रहालय क रूप में विकसित आ संरक्षित करत। ज्ञात हुए जे दरभंगाक प्रसिद्ध मारवाडी बेरौलियाक परिवार एहि पावर स्टेशनक स्थापना 1934 क बाद दरभंगा क पूनर्निर्माएा क क्रम में केने छल। 1941 में एहि कंपनी कए राज पावर हाउस संग विलय भेल आ 1975 धरि इ दरभंगा कए बिजली मुहैया करबैत रहल। 1975 में एहि कंपनी कए सरकार अधिग्रहण केलक आ बंद क देलक। करीब 40 साल स इ पावर प्लांट एहिना खंडहर बनल पडल रहल। पिछला साल जखन एकरा ध्वस्त करबाक योजना तैयार भेल त एकर संरक्षण आवाज बुलंद भेल। इ-समाद समेत कईटा अखबार आ चैनल एहि पर लोकक ध्यान दियौलक। मांग तेज भेल आ योजना ठंडा गेल। काल्हि जखन श्री अमृत खंडहर क प्रति जिज्ञासा व्यक्त केलथि त हुनका पूरा इतिहास स अवगत कराउल गेल। दरभंगा क कार्यपालक अभियंता सुनील कुमार दास हुनका विस्तार स एहि प्लांट क इतिहास बतौलथि। इतिहास सुनि श्री अमृत चकित भ एकर दुर्दशा पर रोष प्रकट केलथि आ प्लांट कए यथाशीघ्र संग्रहालयक रूप मे विकसित करबाक निर्देश देलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa