पटना । मिथिला क पारंपरिक लोक गीत स शनिदिन पटना क कालीदास रंगालय सराबोर रहल। सोहर, नचारी स ल कए कजरी तक क आनंद श्रोता उठौलथि। मिथिला उत्थान संघ क बैनर तर आयोजित सुर समाद कार्यक्रम क शुरुआत गायक देवानंद झा क मधुर अावाज स भेल। देवानंद क आवाज क मधुरता एतबा छल जे हुनक सबटा प्रस्तुति एक स बढि कए एक रहल। ओ अपन पहिल प्रस्तुति भगवती गीत स कलथि आ बाद में सोहर आ नचारी गाबि श्रोता कए मंत्रमुग्ध क देलथि। देवानंद क बाद बिहार कला रत्न स सम्मानित गायिका रंजना झा मंच पर एलथि आ अपन टूटा प्रस्तुति स लोक कए थोपरी बजबा लेल बाध्य करैत रहलीह। पिया मोर बालक ….क प्रस्तुतिक बीच बीच मे सभागार थोपरी क आवाज स गुंजैत रहल। खास इ रहल जे थोपरी सहो लय मे छल आ एकटा वादययंत्र बुझा रहल छल। रंजना झाक आवाज क लोज अदभुत शमां बांधि देलक। कोनो मंदिर मे गौनिहारि कोनो साध्वी जेकां हुनक प्रस्तुति लागल। गैंगस आफ बासेपुर फेम रेखा झा क उकटा प्रस्तुति पेटी क कुंजी हेरा गैलेय..सराहनीय रहल। हुनक आवाज साधल आ मिठहर अछि। कार्यक्रम क समापन देवानंद झा एकटा उदासी गीत आ एकटा महादेव वंदना गाबि केलथि। कुल मिला कए कार्यक्रम सुरमय रहल आ लोक गीत क विभिन्न विधा स अवगत करेबा मे सफल रहल। हम त मैथिली मे शपथ खेने छी : रमण मिथिला उत्थान संघ क बैनर तर आयोजित सुर समाद कार्यक्रम में बजैत बिहार क कला व संस्कृति मंत्री राम लखन राम रमण कहला जे ओ त मैथिली मे शपथ खेने छथि। ओ कहला जे जेना ओ मुखिया स ल कए मंत्री पद तक पर जखन ओ नियुक्त भेला त शपथ मैथिली मे लेलथि, तहिना पटना क मैथिल सब सेहो शपथ खेने छथि जे कोनो कार्यक्रम कए आयोजनक कए कार्यक्रम मे शामिल नहि भ हतोत्साहित करब। रमन कहला जे पटना मे एकटा कचोट रहैत अछि जे मैथिली कार्यक्रम मे सभागार खाली रहैत अछि जखन कि आन ठाम एहन कार्यक्रम मे भीड बेसम्हार भ जाइत अछि। मंत्री कहला जे लोक मिथिला राज्यक मांग करैत छथि, मुदा एहन एकजुटता स कोन लडाई जीतल जा सकैत अछि। श्री रमन कहला जे सरकार मैथिली लेल बहुत किछु केलक अछि, मुदा एकजुटता एहि रहला क घाटा मैथिली उठा रहल अछि। पटना क मैथिल समाज कए अपन व्यवहारक समीक्षा करबाक चाही। श्री रमन कहला जे कला आ संस्कृति क संग संग ओ युवा आ खेल मंत्री सेहो छथि। ओ कहला जे सरकार अगिला किछु दिन मे 100टा स्टेडियम क शिलान्यास करत। राज्य मे खेल आ कला क विकास लेल बहुत किछु करबाक छै। रमन कहला जे सभागार मे बैसल लोक इ शपथ लथि जे कम स कम दू गोट मैथिल क बीचक समाद मैथिली मे करि आ नैना भुटुका कए मैथिली मे गप करबाक आदत लगाबी। एहि अवसर पर बिहार दूरदर्शन क उप निदेशक पीएन सिंह सेहो दर्शक क कमी कए रेखांकित केलथि आ एतबा सुंदर कार्यक्रम मे दर्शक क अभाव पर दुख प्रकट केलथि। कार्यक्रम मे पूर्व विधायक संजीव कुमार झा सेहो उपस्थित छलाह। कार्यक्रम करीब तीन घंटा चलल आ मंत्री शुरु स अंत धरि बैसल रहलाह। कार्यक्रम क संचालय प्रसिद्ध गीतकार सुधीर झा केलथि जखन कि स्वागत परमानंद झा केलथि ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa