पटना । हाजीपुर – समस्तीपुर रेलखंड पर एक जनवरी स विद्युत चालित ट्रेनक आनंद लेल जा सकत। सीआरएस एकरा लेल मंजूरी द देलक अछि। 1884 मे सोनपुर स हाजीपुर क बीच तिरहुत रेलवे क भाप इंजन चलल छल। एहि रेलखंड पर इंजन कए कोयला स बिजली तक क बाट तय करबा मे करीब 130 वर्ष लागल। सीआरएस स मंजूरी भेटला क बाद आब विद्युतीकरण विभाग क अधिकारी परिचालन क तैयारी मे जुटल छथि । विद्युतीकरण विभाग क अधिकारी कहला अछि जे विद्युत इंजन क अभाव अछि। सोनपुर मंडल दोसर जोन स इलेक्ट्रिक इंजन मंगवा रहल अछि, उम्मीद अछि जे इंजन 10 स 15 दिन मे आबि जायत आ एक जनवरी स एहि रेलखंड पर विद्युत चालित ट्रेन क परिचालन शुरु भ जायत। रेलवे अधिकारी कहला जे इलेक्ट्रिक इंजन क परिचालन स हाजीपुर-समस्तीपुर क 120 किमी क दूरी 90 मिनट मे तय होएत। उल्लेखनीय अछि जे पिछला मास सीआरएस हाजीपुर-समस्तीपुर रेलमार्ग पर विद्युतीकरण कार्य क निरीक्षण केने छलाह।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa