सहरसा । उत्तर प्रदेश सरकार दिस से मैथिली भाषा आ साहित्य क्षेत्र मे सबसे पैघ पुरस्कार क रूप मे चर्चित सौहार्द सम्मान एहि बेर दिल्ली विश्वविद्यालय मे भारतीय भाषा क प्राघ्यापक आ लेखक देवशंकर नवीन क देल गेल अछि । एहि पुरस्कार मे दू लाख टका क राशि आ प्रस्सति पत्र प्रदान कैल जाएत अछि । मुलत: सहरसा जिला क नवहट्टा प्रखंड क मोहनपुर गाँव निवासी प्रो देवशंकर नवीन जेएनयू नई दिल्ली से हिंदी वा एलएन मिथिला विश्वविद्यालय से मैथिली मे पीएचडी केने छथि । एहि से पहिने रांची विश्वविद्यालय से ओ भौतिकी मे एमएससी वा हिंदी मे स्नातकोत्तर केने छथि । 1993 मे केंन्द्रीय हिंदी संस्थान, नई दिल्ली से अनुवाद मे वा 1996 मे दिल्ली विश्वविद्यालय से पुस्तक प्रकाशन मे स्नातकोत्तर डिप्लोमा केने अछि ।
अपन शानदार कैरियर मे प्रो नवीन नेशनल बुक ट्रस्ट मे संपादक क काज सेहो केने छथि । ओ साहित्यिक आ सांस्कृतिक क्षेत्र क दू सौ से बेसी किताब क कवर क अलावा मैथिली आ हिंदी मे दू-दर्जन स बेसी किताब सेहो लिखने छथि ।
एहि से पहिने श्री नवीन कए 1986 मे जूनियर रिसर्च फेलोशिप यूजीसी, आ 2000 मे भारत सरकार द्वारा जूनियर रिसर्च फेलोशिप भेट चुकल अछि । एहि क अलावा सीआईआईएल, मैसूर मे दू वर्ष क फेलोशिप सहित हिंदी अकादमी से 1991 मे सर्वश्रेष्ठ युवा कवि क पुरस्कार सेहो भेट चुकल अछि ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa