• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ललित बाबू के कहां कियो नहि मारलक…

December 8, 2014
in समाचार
A A

हत्‍याक साजिश रचनिहार चारि गोट आरोपी दोषी करार

तत्‍कालीन एसपी समेत सब जतेलक फैसला पर असंतोष

दरभंगा कहलक, देर स आयल फैसला, सेहो एहने..

समदिया

LalitNarayanMishraनयी दिल्‍ली/ पटना। पूर्व रेल मंत्री आ दरभंगाक पूर्व सासंद ललित नारायण मिश्र हत्याकांड मे 39 साल बाद आखिर इ तय भ गेल जे हुनहर हत्‍यारा क पता नहि चलि सकल। कोर्ट आइ चारिटा आरोपी कए हत्‍याक साजिश रचबा लेल दोषी करार देलक अछि। एहि मामला में अभियुक्त रंजन द्विवेदी, संतोषानंद अवधूत, सुदेवानंद अवधूत और गोपालजी कए संदेह आ परिस्थितिजनक साक्ष्‍य क आधार पर दोषी मानल गेल अछि। एहि आधार पर हिनका सब कए 10वर्ष स ल कए आजीवन कारावास तक भ सकैत अछि। बचाव पक्षक वकील क कहब अछि जे दोषी करार देल गेल अधिकतर लोग 70 पार छथि, एहन मे हिनकर बैस आ मामला क अवधि सेहो सजा कए प्रभावित करत। संगहि हिनकर सबहक खिलाफ कोनो ठोस साक्ष्‍य सेहो अदालत में पेश नहि भ सकल अछि। सरकारी वकील एनके शर्मा कहला अछि जे ओ दोषी कए बेसी स बेसी सजा दियेबाक प्रयास करताह।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

ललित बाबू कए के मारलक, किया मारलक आ कोना मारलक एहन किछु सवाल हमेशा लेल बनल रहत। पूर्व रेल मंत्री ललित नारायण मिश्र हत्याकांड मे दिल्ली क ककरडूमा सीबीआइ अदालत क जिला एंव सत्र न्‍यायाधीश विनोद गोयल इ बतेबा मे असमर्थ रहलाह जे ललित बाबू क हत्‍यारा के अछि आ ओकरा कहिया सजा भेटत। हत्‍याक आरोपी कए कोर्ट एहि आरोप स मुक्‍त करैत मात्र साजिश रचबा लेल दोषी करार देलक अछि। सजा पर बहस 15 दिसंबर कए होएत। उल्‍लेखनीय अछि जे समस्तीपुर रेलवे स्टेशन पर भेल बम विस्फोट में 2 जनवरी 1975 कए मिश्र घायल भ गेल छलाह आ 3 जनवरी कए हुनक मौत भ गेल। एहि हमला मे ललित बाबू क अतिरिक्‍त रामकिशोर प्रसाद सिंह आ सूर्य नारायण झा क सेहो मौत भेल छल। जखन कि जगन्‍नाथ मिश्र समेत करीब 25 गोटे घायल भेल छल।

ललित बाबू मामला मे एक टा गप पुख्‍ता भ गेल जे सीबीआइ एहि मामला कए अपन पटकथा पर सुलझेबाक काज केलक अछि। समस्‍तीपुर क तत्‍कालीन एसपी डीपी ओझा कहला अछि जे फैसला निराश करैत अछि। कांग्रेस क नेता रामविलास झा क घर स भेटल दस्‍तावेज आ बरौनी मे ठहहल पीएमओ क अधिकारी क संबंध में सीबीआइ कोनो जांच नहि केलक। बिहार पुलिस जे 12 घंटा मे सबूत जुटेने छल सीबीआइ ओकरा दबा देलक। श्री ओझा कहला जे जा धरि बिहार पुलिस एहि मामला मे शामिल छल ता धरि आनंदमार्गी एहि हत्‍याकांड क आरोपी नहि छल। श्री ओझा क अनुसार ललित बाबू पर अरूण कुमार मिश्र आ अरूण कुमार ठाकुर कए बम फेंकबाक जिम्‍मेदारी देल गेल छल। अरूण कुमार ठाकुर बम मंच पर फेकबा मे सफल रहल जखन कि अरूण कुमार मिश्र क बम पटरी पर जा खसल। बिहार पुलिय ओहि बम कए बरामद केलक आ सीबीआई कए सौंप देलक। ओ बम भारतीय सेना क छल। एहि मामला स बिहार पुलिस कए हटा देल गेल। बम क साक्ष्‍य पता नहि की भेल। दूनू आरोपी कए स्‍वीकार केलाक बावजूद रिहा क देल गेल आ आनंदमार्गी कए नव आरोपी बना देल गेल। श्री ओझा कहला जे बिहार पुलिस क पूरा मेहनत कए खारिज क देल गेल। देखबाक चाही जे फैसला मे एकर कोन आधार बताउल गेल अछि।

एहि हमला मे घायल पूर्व मुख्‍यमंत्री जगन्‍नाथ मिश्र कहला अछि जे हुनका एखन धरि न्‍याय नहि भेटल अछि आ आजुक फैसला स बुझाइत अछि जे इ कहियो नहि भेटत्‍। ओ कहला जे आजुक फैसला स ओ असंतुष्‍ट छथि। हुनकर कहब अछि जे कईटा सवाल क उत्‍तर एखन नहि भेटल अछि। श्री मिश्र कहला जे एहि मामला मे ओ पीडित छथि आ हुनका न्‍याय व्‍यवस्‍था पर स विश्‍वास उठल जा रहल अछि। ललित बाबू क पुत्र विजय मिश्र कहला जे एहि मामला मे आयल फैसला बस खानापूर्ति अछि। पूरा मामला कए एतबा लटका देल गेल जे न्‍याय भेटलाक बावजूद ओकर कोनो मतलब नहि रहत। श्री मिश्र कहला जे एहि मामला क जांच मे घोर लापरवाही बरतल गेल अछि। आनंदमार्गी कए बिना कारण फंसा देल गेल, जखन कि असली दोषी कानून स बाहर रहल। ओ कहला जे ललित बाबू क इलाज में देरी आ फेर एकर जांच में लापरवाही स बुझा रहल अछि जे न्‍याय मे देरी सेहो साजिशक एकटा हिस्‍सा छल। श्री मिश्र कहला जे इ त जिला अदालत क फैसला अछि एखन ऊपरका अदालत सब त बाकी अछि। ताहि लेल फैसला पर कोनो खास खुशी क कोनो गप नहि कहि सकैत अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

राजनगर लग विश्व धरोहर बनबाक क्षमता : मिश्र

Esamaad Epaper Website

हाजीपुर-समस्तीपुर रेलखंड पर विद्युत चालित ट्रेन क सफर जनवरी स

Esamaad Epaper Website

संग्रहालय बनत बेलौरियाक पावर हाउस

Comments 1

  1. Saurav jha sethu says:
    10 years ago

    aapn hidustan mai jbet lok ky ty khub insaf milat ye… je hinka marla ke baad milat.. khabar mai wisay ky bd nik prastuti..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि