• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

राजनगर लग विश्व धरोहर बनबाक क्षमता : मिश्र

December 11, 2014
in फीचर
A A

दोसरसमाचार

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
संरक्षण लेल प्रयास शुरू केलक एएसआई
40 साल बाद फेर शुरू भेल शोध पत्रिका मिथिला भारती
मैथिली साहित्य संस्थान क बेव पेज क सेहो भेल लोकार्पण

MithilaBharti

पटना । भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण कोलकाता क क्षेत्रीय निदेशक डॉ फणीकांत मिश्र कहला अछि जे राजनगर लग विश्व धरोहर बनबाक क्षमता अछि आ ओहि ठामक काली मंदिर क स्थापत्य विश्व इतिहास लेल अनुपम अछि। श्री मिश्र आइ मैथिली साहित्य संस्थान के तत्वावधान मे आयोजित समारोह मे मिथिला पुरातत्व  : दशा और दिशा पर व्याख्यान द रहल छलाह । पटना संग्रहालय क सभागार मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे श्री मिश्र मिथिला क सीमा क जिक्र करैत पौराणिक तथ्य क आधार पर मिथिला क बदलैत भूगोल आ नामक विस्तारपूर्वक उल्लेख केलथि। ओ कहला जे पुरातन ग्रंथ सब मे मिथिला क 12टा नाम क जिक्र भेटैत अछि । असगर विदेह मे 7टा स्वतंत्र देश सम्मिलित छल। ओ कहला जे मिथिला मे पुरातात्विक महत्व पर शोध क बहुत अभाव रहल अछि आ जगह सबहक समुचित संरक्षण नहि‍ भ पाउल अछि। मिथिला मे पुरातात्विक महत्व क कईटा जगह अछि जेकर संरक्षण आ खुदाई क अवश्य्कता अछि। भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण एहि दिशा मे पहल केलक अछि। एहन स्थान क सूची तैयार भ चुकल अछि। मधुबनी जिला क राजनगर क संरक्षण लेल राज दरभंगा कए पत्र पठाउल गेल अछि। आओर स्थान सब लेल काज चलि रहल अछि। ओ कहला जे शोध आ संरक्षणक अभाव मे कालिदास समेत कईटा विभूति क पहचान मिथिला स बिला रहल अछि । एएसआइ कालिदास क डीह क संरक्षण लेल काज शुरू केलक अछि । श्री मिश्र कहला जे राजनगर स्थित काली मंदिर तंत्र साधना क विलक्षण कृति अछि। तांत्रिक काली क एहन मंदिर पूरा विश्व में नहि अछि। एहि ठाम काली कमल पर विराजमान छथि जे तंत्र क साधना क अंतिम पडाव छी। मिथिला क स्थापत्य कला कए रेखांकित करैत डा मिश्र कहला जे मिथिला मे स्थापत्य कला क छहटा शैली विकसित भेल अछि, जे अपना आप मे एकटा महत्वपूर्ण तथ्य अछि। एहि अवसर पर मिथिला भारती शोध पत्रिका क लोकार्पण करैत न्यायमूर्ति श्रीमती मृदुला मिश्र अध्यक्ष बिहार भूमि न्यायाधिकरण कहलथि जे इ प्रसन्नता क गप अछि जे एतेक दिन बाद शोध पत्रिका क पुनरोद्धार कैल गेल। हम एकरा लेल पत्रिका क संपादक मंडल कए धन्यवाद दैत छी । ओ कहलथि जे मिथिला भारती मैथिली क पहिल शोध पत्रिका अछि आ इ दुखद रहल जे चारि अंक क बाद एकर प्रकाशन बंद भ गेल छल । ओ कहलथि जे 1969 में जखन एहि संस्था  आ पत्रिका क शुरुआत भेल छल से एहिना आंखिक समझ अछि । 1977 मे जखन एकर प्रकाशन बंद हेबाक सूचना भेटल छल त अपार दुख भेल छल। आइ एकटा इतिहास जीवित होइत देख रहल छी । अपन अध्यक्षीय भाषण मे प्रख्यात विद्वान प्रो डॉ हेतुकर झा कहला जे मिथिला तंत्र, सनातन, बौद्ध क संग-संग जैन धर्म क सेहो पीठ रहल अछि। मिथिला क बेटी 19म तीर्थंकर छलीह, जेकर प्रमाध 12वीं शताब्दी क जैन साहित्य  मे भेटल अछि । उल्लेखनीय अछि जे महावीर 24म तीर्थंकर छलाह । ओ कहला जे मिथिला पुत्री टा नहि मुदा महावीर से पहिने भेलीह आ असगर महिला तीर्थंकर भेलीह। श्री झा मैथिली पर शोध लेल विभिन्न भाषा क शोधकर्ता कए आगू एबा लेल आह्वान केलथि। एहि अवसर पर निदेशक संग्रहालय बिहार डॉ. जेपीएन सिंह मैथिली साहित्य संस्थान क वेबसाइट क लोकार्पण केलथि। एहि स पूर्व आगत अतिथि क स्वागत करैत संस्थान क सचिव भैरव लाल दास कहला जे मिथिला क पुरातत्व आ संस्कृति क संरक्षण लेल दरभंगा मे एएसआई क आंचलिक कार्यालय क आवश्यकता अछि। संगहि ओ मधुबनी क भौरागढी क संरक्षण लेल सेहो एएसआई कए आगू एबाक अनुरोध केलथि। संस्थान क कोषाध्यक्ष डॉ. शिवकुमार मिश्र धन्यवाद ज्ञापन करैत कहला जे इ मैथिली पत्रिका आ पोथी क इतिहास मे पहिल घटना छी जे 450 टकाक कोनो पत्रिका लोकार्पण क दिन एखन धरि 25 प्रति बिका गेल । इ देखा रहल अछि जे मैथिली मे खरीददारक कमी नहि अछि, कमी गुणवत्ता पूर्ण सामग्री क अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगीक क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका

January 11, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

हाजीपुर-समस्तीपुर रेलखंड पर विद्युत चालित ट्रेन क सफर जनवरी स

Esamaad Epaper Website

संग्रहालय बनत बेलौरियाक पावर हाउस

मैंलोरंग क ‘’चान-चकोर’’

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि