विशेष समदिया
पटना । प्रदेश क सातटा सरकारी इंजीनियरिंग कॉलेज मे नियुक्ति लेल आवेदन करनिहार शिक्षक अभ्यर्थि लेल खुशखबरी अछि । एकरा लेल फरवरी मे लिखित परीक्षा भ सकैत अछि। सरकार दसटा ट्रेड मे कुल 900 शिक्षक क बहाली लेल बिहार लोकसेवा आयोग स अधियाचना केने छल । शिक्षक क अभाव मे राज्य क सरकारी इंजीनियरिंग कॉलेज ढनढना रहल अछि। पढाई बाधित हेबाक कारण इंजीनियरिंग कॉलेज कैम्पस राजनीति क अखाडा बनि चुकल अछि। शिक्षक क कमी क गूंज जनता क दरवार मे मुख्यमंत्री कार्यक्रम मे सेहो कई बेर सुनाई पडल छल। हालात इ अछि जे इंजीनियरिंग कॉलेज मे एकदिस शिक्षक क कमी अछि। ओतहि दोसर दिस शिक्षक दस्तखत बना मुख्यालय क रास्ता नाप दैत छलाह । एहि स कैम्पस मे अराजकता क माहौल बनि चुकल अछि। इंजीनियरिंग कॉलेज मे दाखिला लेनिहार छात्र एहि स्थिति स तंग भ पलायन करबा क मूड बना रहल छथि। सरकार एहि मदृदेनजर शिक्षक क बहाली क पेच पहिने सुलझेबाक काज केलक अछि। आओर शिक्षक क नियुक्ति शीघ्र करबाक प्रक्रिया शुरू क देलक अछि। एम्हर लापरवाह शिक्षक पर नकेल कसबा लेल सेहो इंतजाम सरकार क लेलक अछि। शिक्षक आ कर्मचारी क उपस्थिति सुनिश्चित करबा लेल इंजीनियरिंग कॉलेज में बायोमेट्री सिस्टम एक दिसम़्बर स लागू क देल गेल अछि। एहि स मुख़्यालय कए शिक्षक आ कर्मचारी क उपस्थिति क जानकारी भेट जाइत अछि । एम्हर सरकार इंजीनियरिंग कॉलेज में पढाई क गुणवत्ता पर सेहो ध़्यान देब शुरू क देलक अछि। इंजीनियरिंग कॉलेज क संग संग सब पालिटेकनिक कॉलेज क शिक्षक कए आधुनिक ज्ञान स लैस करबाक फैसला लेलक अछि। शिक्षक कए कंप्यूटर आ आईटी युक्त ज्ञान मुहैया करेबा लेल 25 स 31 दिसम़्बर तक राष्ट्रीय स्तर क विशेषज्ञ द्वारा प्रशिक्षण देल जाएत ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
नीक लागल