हत्याक साजिश रचनिहार चारि गोट आरोपी दोषी करार
तत्कालीन एसपी समेत सब जतेलक फैसला पर असंतोष
दरभंगा कहलक, देर स आयल फैसला, सेहो एहने..
समदिया
नयी दिल्ली/ पटना। पूर्व रेल मंत्री आ दरभंगाक पूर्व सासंद ललित नारायण मिश्र हत्याकांड मे 39 साल बाद आखिर इ तय भ गेल जे हुनहर हत्यारा क पता नहि चलि सकल। कोर्ट आइ चारिटा आरोपी कए हत्याक साजिश रचबा लेल दोषी करार देलक अछि। एहि मामला में अभियुक्त रंजन द्विवेदी, संतोषानंद अवधूत, सुदेवानंद अवधूत और गोपालजी कए संदेह आ परिस्थितिजनक साक्ष्य क आधार पर दोषी मानल गेल अछि। एहि आधार पर हिनका सब कए 10वर्ष स ल कए आजीवन कारावास तक भ सकैत अछि। बचाव पक्षक वकील क कहब अछि जे दोषी करार देल गेल अधिकतर लोग 70 पार छथि, एहन मे हिनकर बैस आ मामला क अवधि सेहो सजा कए प्रभावित करत। संगहि हिनकर सबहक खिलाफ कोनो ठोस साक्ष्य सेहो अदालत में पेश नहि भ सकल अछि। सरकारी वकील एनके शर्मा कहला अछि जे ओ दोषी कए बेसी स बेसी सजा दियेबाक प्रयास करताह।
ललित बाबू कए के मारलक, किया मारलक आ कोना मारलक एहन किछु सवाल हमेशा लेल बनल रहत। पूर्व रेल मंत्री ललित नारायण मिश्र हत्याकांड मे दिल्ली क ककरडूमा सीबीआइ अदालत क जिला एंव सत्र न्यायाधीश विनोद गोयल इ बतेबा मे असमर्थ रहलाह जे ललित बाबू क हत्यारा के अछि आ ओकरा कहिया सजा भेटत। हत्याक आरोपी कए कोर्ट एहि आरोप स मुक्त करैत मात्र साजिश रचबा लेल दोषी करार देलक अछि। सजा पर बहस 15 दिसंबर कए होएत। उल्लेखनीय अछि जे समस्तीपुर रेलवे स्टेशन पर भेल बम विस्फोट में 2 जनवरी 1975 कए मिश्र घायल भ गेल छलाह आ 3 जनवरी कए हुनक मौत भ गेल। एहि हमला मे ललित बाबू क अतिरिक्त रामकिशोर प्रसाद सिंह आ सूर्य नारायण झा क सेहो मौत भेल छल। जखन कि जगन्नाथ मिश्र समेत करीब 25 गोटे घायल भेल छल।
ललित बाबू मामला मे एक टा गप पुख्ता भ गेल जे सीबीआइ एहि मामला कए अपन पटकथा पर सुलझेबाक काज केलक अछि। समस्तीपुर क तत्कालीन एसपी डीपी ओझा कहला अछि जे फैसला निराश करैत अछि। कांग्रेस क नेता रामविलास झा क घर स भेटल दस्तावेज आ बरौनी मे ठहहल पीएमओ क अधिकारी क संबंध में सीबीआइ कोनो जांच नहि केलक। बिहार पुलिस जे 12 घंटा मे सबूत जुटेने छल सीबीआइ ओकरा दबा देलक। श्री ओझा कहला जे जा धरि बिहार पुलिस एहि मामला मे शामिल छल ता धरि आनंदमार्गी एहि हत्याकांड क आरोपी नहि छल। श्री ओझा क अनुसार ललित बाबू पर अरूण कुमार मिश्र आ अरूण कुमार ठाकुर कए बम फेंकबाक जिम्मेदारी देल गेल छल। अरूण कुमार ठाकुर बम मंच पर फेकबा मे सफल रहल जखन कि अरूण कुमार मिश्र क बम पटरी पर जा खसल। बिहार पुलिय ओहि बम कए बरामद केलक आ सीबीआई कए सौंप देलक। ओ बम भारतीय सेना क छल। एहि मामला स बिहार पुलिस कए हटा देल गेल। बम क साक्ष्य पता नहि की भेल। दूनू आरोपी कए स्वीकार केलाक बावजूद रिहा क देल गेल आ आनंदमार्गी कए नव आरोपी बना देल गेल। श्री ओझा कहला जे बिहार पुलिस क पूरा मेहनत कए खारिज क देल गेल। देखबाक चाही जे फैसला मे एकर कोन आधार बताउल गेल अछि।
एहि हमला मे घायल पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र कहला अछि जे हुनका एखन धरि न्याय नहि भेटल अछि आ आजुक फैसला स बुझाइत अछि जे इ कहियो नहि भेटत्। ओ कहला जे आजुक फैसला स ओ असंतुष्ट छथि। हुनकर कहब अछि जे कईटा सवाल क उत्तर एखन नहि भेटल अछि। श्री मिश्र कहला जे एहि मामला मे ओ पीडित छथि आ हुनका न्याय व्यवस्था पर स विश्वास उठल जा रहल अछि। ललित बाबू क पुत्र विजय मिश्र कहला जे एहि मामला मे आयल फैसला बस खानापूर्ति अछि। पूरा मामला कए एतबा लटका देल गेल जे न्याय भेटलाक बावजूद ओकर कोनो मतलब नहि रहत। श्री मिश्र कहला जे एहि मामला क जांच मे घोर लापरवाही बरतल गेल अछि। आनंदमार्गी कए बिना कारण फंसा देल गेल, जखन कि असली दोषी कानून स बाहर रहल। ओ कहला जे ललित बाबू क इलाज में देरी आ फेर एकर जांच में लापरवाही स बुझा रहल अछि जे न्याय मे देरी सेहो साजिशक एकटा हिस्सा छल। श्री मिश्र कहला जे इ त जिला अदालत क फैसला अछि एखन ऊपरका अदालत सब त बाकी अछि। ताहि लेल फैसला पर कोनो खास खुशी क कोनो गप नहि कहि सकैत अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
aapn hidustan mai jbet lok ky ty khub insaf milat ye… je hinka marla ke baad milat.. khabar mai wisay ky bd nik prastuti..