• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एहि बेर नहि बनत ‘एमपी०’ आ ‘एसपी०’ क सरकार !

April 15, 2016
in विचार
A A

ज्योति श्रीवास्तव

Jyoti Sriwastavवर्ष 2016 क पंचायत चुनाव क प्रक्रिया चलि रहल अछि। किछु समय बाद नव पंचायत गठित भ जायत। जिला परिषद सन कईटा संस्था क पुनर्गठन भ जायत, मुदा एहि बेर वर्ष 2011 क चुनाव क बाद सरीखा दृश्य कम देखबा लेल भेटत। जे महिला पांच साल तक पंचायत क बागडोर सम्हारि चुकल छथि आ अपन पति क दखलंदाज़ी मे काज केने छथि ओ आब अपन सोच स विकास क बागडोर सम्हारबा लेल तैयार छथि। हालांकि आजुक समय मे ई शत प्रतिशत नहि अछि आ पति क दखल स पूर्णरूपेण मुक्त हेबा मे समय लागत, मुदा 2011 क मुक़ाबला मे एहि बेर महिला बेसी सबल बनिकए सत्ता सम्हारबा लेल तैयार देखा रहल छथि।

बिहार देश क एहन पहिल राज्य छल जाहि ठाम पंचायत चुनाव मे महिला लेल  50 फीसदी आरक्षण क व्यवस्था लागू भेल छल। सीएम नीतीश कुमार लेल इ एकटा एहन सपना छल जेकरा पूरा करब हुनका लेल बहुत पैघ चुनौती छल। बिहार मे एकरा महिला सशक्तीकरण क दिशा मे मील क पाथर कहल जाइत अछि। हालांकि देश क कईटा राजनीतिक पंडित  तखन आशंका जतौने छलाह। महिला सशक्कतीकरण क मामला मे कोनो पैघ सफलता क उम्मीद स बहुत सहमति नहि जताउल गेल छल। एकर पाछु तर्क छल जे बिहार मे महिला क शिक्षा आ साक्षरता दर काफी कम छल। विश्लेषक क मानब छल जे आरक्षण क फायदा महिला कए नहि भेटत, बल्कि पुरूष हुनकर कान्ह पर बंदूक राखिकए चलौताह। एहि तरह इ  आरक्षण छलावा साबित होएत। राजनीतिक पंडित क दलील शुरूआती साल मे सही साबित भेल। मुदा जेना जेना समय बीतल बिहार मे महिला आरक्षण क दाह स ग्रामीण क्षेत्र मे बदलाव देखबा मे अबैत गेल। इ नज़ारा विकास क किछु कम मुदा महिला क उभरैत राजनीतिक ताक़त आ सूझबूझ क रूप मे बेसी देखबा लेल भेटल।

वर्ष 2011 क पंचायत चुनाव मे 50 फीसदी महिला मुखिया, सरपंच, पंचायत समिति सदस्य, जिला परिषद सदस्य, वार्ड सदस्य इत्यादि पद लेल प्रत्याशी बनिकए चुनाव मैदान मे उतरलथि। पंचायत चुनाव प्रचार क दृश्य किछु एहन छल जेकरा देखि कए एक बेर त मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क फैसला पर कोफ्त भेल। अगर कोनो महिला किरण देवी कोनो पंचायत स मुखिया प्रत्याशी बनलथि त हुनकर चुनाव प्रचार तक हुनकर पति अपन नाम स करैत छलाह। पति क नाम आ पतिक पहचान क बिना महिला प्रत्याशी क पहचान गौण छल। अधिकतर पंचायत मे त महिला प्रत्याशी अपन चुनाव प्रचार सेहो अपने नहि केलथि आ जीत कए मुखिया सन पद पर आबि गेलीह। चुनाव परिणाम एलाक बाद त स्थिति आओर हास्यास्पद भ गेल।

बिहार मे ‘एमपी०’ आ ‘एसपी०’ नाम क दूटा नव अघोषित किंतु पॉवरफुल पद अस्तित्व मेेे आबि गेल। पहिने एमपी क मतलब सांसद आ एसपी क मतलब पुलिस अधीक्षक होइत छल, मुदा गाम में ‘एमपी०’ क अर्थ ‘मुखिया पति आओर ‘एसपी०’ क मतलब ‘सरपंच पति भ गेल। इ एमपी आ एसपी  मुखिया आ सरपंच क बदला मे लगभग सब काज करैत छलाह। हद त तखन भ जाइत छल जखन ग्राम सभा स लकए प्रखंड स्तरीय जन प्रतिनिधि क सम्मेलन मे सेहो एमपी आ एसपी प्रतिनिधित्व करैत छलाह। इ हालात केवल अनपढ़ महिला संग नहि छल बल्कि अधिकतर महिला संग छल। पढ़ल लिखल महिला सेहो बस दस्तखत तक जन प्रतिनिधि क रूप मे करैत छलीह। बाकी क अधिकतर काज हुनकर पति करैत छलथि। कई बेर बिहार क सीओ-बीडीओ आ डीएम सरीखे अधिकारी तक एहि व्यवस्था कए मौन स्वीकृति द चुकल छथि। एहन मे पंचायत मे महिला आरक्षण बस छलावा साबित भ चुकल छल।

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

महिलाक बीच सेहो धीरे धीरे इ चर्च बनल जे आखिर हम सब कहिया ढार होयब। धीरे-धीरे स्थिति मे बदलाव आयल। कईटा जिला स एहन उदाहरण सामने आयल जखन महिला मुखिया आ सरपंच अपन जन प्रतिनिधि हेबाक जिम्मेदारी निभेबा लेल कुर्सी पर बैसलथि। अपने अपने क्षेत्र मे विकास क काज शुरु केलथि आ अपन पति आ घर क दखलअंदाजी सिमित बा खंत्म केलथि। अनपढ़ पंचायत प्रतिनिधि महिला सब सेहो घर क चहारदीवारी स निकलि पंचायत भवन तक पहुंचलथि आ काज मे रूचि लेलथि। कईटा महिला कए एकर ख़ामियाजा सेहो भुगतए पड़ल। हुनका घर आ पति क प्रताडऩा सहए पडल, मुदा ओ झुकली नहि, टूटली नहि। एहि बेर एहन महिलाक संख्या काफी भ चुकल अछि। बिहार मे बदलाव क झलक साफ देखा रहल अछि। पति क फैसला पर महिला सवाल उठा रहल छथि। हस्ताक्षर करबा स पहिने पूरा मामला कए बुझबा लेल समय मांगी रहल छथि। केस स्टडी आ समस्या क पड़ताल क रहल छथि।

आखिरकार ओ महिला जे कहियो ग्राम सभा क बैसार मे नहि अबैत छलीह से आब सभाक अध्यक्षता क रहल छथि। प्रखंड आ जिला स्तरीय सम्मेलन मे महिला जन प्रतिनिधि क रूप में शामिल भ रहल छथि। अपन सूझ बूझ स आवाज़ बुलंद क रहल छथि। पंचायत क विकास मे महिला क भागेदारी धीरे धीरे देखा रहल अछि। राजनीतिक रूप स ग्रामीण बिहार क महिला सबल आ सक्षम भ रहल छथि। एहि स आब कियो इनकार नहि क सकैत अछि। हालांकि इ परिवर्तन एहन शत प्रतिशत नहि कहल जा सकैत अछि आ राजनीतिक पशिक्षण एकटा सतत क्रिया छी जे कालांतर मे आओर मजबूत आ प्रखर रूप मे देखबा लेल भेटत। आजुक परिस्थिति मे एतबा त कहल जा सकैत अछि जे एहि बेर बिहार मे पंचायत चुनाव क उपरांत एमपी आ एसपी क भूमिका आओर सिमित होएत, किया त एकर झलक चुनाव प्रचार मे देखबा मे भेट रहल अछि। एहि बेर महिला क ऊपर पतिक नाम त देखा रहल अछि, मुदा दृश्य कम होइत जा रहल अछि। एहि स उम्मीद क एकटा किरण जगैत अछि जे एक दिन जरुर महिला सशक्तीकरण क इ जनप्रतिनिधि मिसाल पेश करतथि।

Tags: mpspबिहार चुनाव

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

सूखाइत सीतामढ़ी क जमीन पर फेर उतरल एकटा हल

डीडी बिहार पर भारत एक खोज आब मैथिली में

पंजी व्यवस्था क होए डिजीटलीकरण – दिवाकर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि