इनोवेशन स बेराजगारी कम करब संभव : उद्योग मंत्री
पटना। उद्योग मंत्री जय कुमार सिंह कहला अछि जे नौकरी क अवसर मुहैया करेनिहार जेतबा गोटे सामने अउताह ओतबा समाज मे बेरोजगारी कम होएत। एहन नवाचार अर्थात इनोवेशन स संभव भ सकैत अछि। इवेंट मैनेजमेंट एहनने एकटा विधा अछि, जतए नौकरी आ रोजगार क असीम संभावना अछि।
श्री सिंह रविदिन बिहार, झारखण्ड मे नेशनल इंस्टिट्यूट ऑफ़ इवेंट मैनेजमेंट क पहिल सेंटर क उद्घाटन केलथि। सभा कए संबोधित करतै कहला जे सरकारी क्षेत्र मे नौकरी क अवसर काफी कम भ गेल अछि। ओतहि निजी क्षेत्र क परंपरागत व्यवसाय मे गाला काट प्रतियोगिता अछि, एहन मे युवा कए न हि उपयुक्त स्वरोजगार भेट पाबि रहल अछि आ नहिये हुनका सब कए नौकरी क बेहतर अवसर भेट रहल अछि। एहन मे इवेंट मैनेजमेंट सन नव क्षेत्र कए बढ़ावा देल जेबाक चाही। देश आ दुनिया मे इ सबस तेज़ी स उभरैत क्षेत्र अछि, मुदा बिहार क युवा क हिस्सेदारी एहि मे काफी कम अछि। एहि संस्थान स प्रशिक्षित भ कए निकलल युवा देश मे बिहार क नाम रौशन करताह। एहि अवसर पर सिकंदरा क विधायक सुधीर कुमार उर्फ बंटी चौधरी, अल्पसंख्यक कल्याण विभाग क अपर सचिव एस. आई. फैसल, ग्रामीण विकास विभाग क अपर सचिव आर. आर. महिवाल, कला संस्कृति एवं युवा विभाग क अपर सचिव आनंद कुमार, वाणिज्यकर विभाग क सहायक आयुक्त वीरेंद्र कुमार, एयरपोर्ट अथॉरिटी क सहायक महानिदेशक ब्रिज मोहन सिंह, केंद्रीय जीएसटी क उपायुक्त ओम प्रकाश सिंह आ बहुत रासे गणमान्य व्यक्ति मौजूद छलथि। सबहक स्वागत संस्थान क निदेशक प्रियंका सिंह केलथि।