विनीत ठाकुर
अररिया। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी अररिया स्थित कुसियार गाम मे वानस्पतिक जैव विविधता पार्क क उद्घाटन केलथि। ई बिहार क पहिल वायोडायवर्सिटी पार्क अररिया जिला केँ एक नव परिचय देत। ई पार्क अररिया जिला से दस कि.मी दूरी पर नेशनल हाईवे ५७ क वगल मे अवस्थित कुसियार गाँव मे अछि।
पार्क विभिन्न तरहक सुविधा युक्त अछि। वाहन पार्किंग, खान पान क उचित व्यवस्था, शौचालय क सुविधा सँ युक्त एहि पार्कक स्वागत स्थल केँ बहुत आकर्षक बनौल गेल अछि जे पर्यटक केँ आकर्षित करैत अछि। चिल्ड्रेन प्ले एरिया चारि कि.मी मे पसरल अछि.। पार्क मे विभिन्न तरहक गाछ वृक्ष, वर्टिकल गार्डन, जापानी गार्डन, वाटर टावर, रोज् गार्डन बहुत सुंदर ढंग से लगौल गे ल अछि।अद्भुत बिल्डिंग ,अद्भुत गाछ वृक्ष आ फैमिली पार्क सँ सजल पार्क अति मनोरम अछि.
एहि पार्क मे विहार सहित पड़ोसी राज्य क पर्यटक सब सेहो अबैत छथि। उद्घाटन सँ पहिनहि सँ विहार, नेपाल,आ भारतक अन्य क्षेत्र क पर्यटक आबय लगला अछि.। संपूर्ण सीमांचल मे बच्चा सबहक मनोरंजन लेल एहि सँ सुंदर जगह दोसर नहि छैक। सुंदर प्ले ग्राउंड क संग अनेको आकर्षक स्थल मनमोहक अछि। शांत आ शुद्ध वातावरण क उपलब्धता गंभीर चिन्तन हेतु पार्क केँ उपयुक्त स्थल बनबैछ। पार्क क जैव विविधता वनस्पति विज्ञान क छात्र लेल उत्तम जानकारी प्राप्त करबाक जगह अछि। एन एच ५७ क समीप भेला क कारणे पर्यटक सब सुगमतापूर्वक आवि सकैत छथि। नव वर्ष आ पावनि तिहार क समय मे एतय खूब भीड़ होइत अछि। को़सिकंहा आ पूर्णियाँ क पहिल पसिन्नक ई पार्क अपन सुंदरता सँ शहरो के पछारि रहल अछि। आउ, आ अपन देश कोसक एहि पार्क क आनन्द लिअ ।