पूर्णिया समेत चारिटा नव एयरपोर्ट लेल केंद्र राज्य मे समझौता
एहि सालक अंत तक उड़त सेवा विमान
मुख्य समदिया
पटना । बिहार मे मचल सियासी घमासान क बीच एकटा सुखद समाद अछि। कई बेरक निजी प्रयास क बाद आखिरकार केंद्र सरकार मिथिला कए हवाईसेवा स जोड़बा लेल बिहार सरकार संग समझौता केलक अछि। आब ओ सपना एहि सालक अंत तक पूरा भ जायत, जे मिथिलाक लोक बर्षों स देख रहल छलथि। बिहार मे पटना आ गया क अतिरिक्त रक्सौल, मुजफफरपुर, भागलपुर, पूर्णिया आ दरभंगा स विमान सेवा शुरु करबा लेल केंद्र सरकार आ राज्य सरकारक बीच एमओयू पर हस्ताक्षर भ गेल। एहि साल छठि पर्व से पूर्व दरभंगा आ पूर्णिया स सेवा शुरु भ जेबाक उम्मीद अछि। जदयू नेता संजय झा एहि बारे मे सूचना दैत कहलथि जे सबसे पहिने दरभंगा स रायपुर लेल सेवा प्रारंभ कैल जाएत । बाकी ठाम स रनवे विस्तार आ किछु आधारभूत संरचनाक निर्माणक बाद अगिला साल क शुरुआत धरि सेवा शुरु होएत।
केंद्र सरकार शुक्रदिन बिहार क बिहटा मे राज्यक तेसर अंतरराष्ट्रीय एयरपोर्ट बनेबा लेल सेहो बिहार सरकार संग एमओयू पर हस्ताक्षर केलक। बिहार सरकार दिस स नीतीश कुमार आ केंद्र सरकार दिस स केन्द्रीय विमानन मंत्री पी अशोक गजपति राजू एमओयू पर हस्ताक्षर केलथि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल एहि बैसार मे केंद्र आ राज्य क बीच कईटा समझौता पर हस्ताक्षर भेल। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे बिहार मे हवाई सेवाक विस्तार बहुत जरूरी अछि। बिहार तेजी स विकास क रहल अछि एहन में हवाई सेवाक मांग बढि गेल अछि। नीतीश गया एयरपोर्ट पर विशेष ध्यान देबा लेल केंद्र स आग्रह केलथि। नीतीश कहलथि जे गया केवल बौद्ध नहि बल्कि पिंडदान देबा लेल सेहो बहुत लोक अबैत छथि, एहन मे गया मे असीम संभावना अछि। नीतीश कहला जे राज्य मे सेवा विस्तार लेल जे रियायत संभव होएत ओ देल जायत। राज्य सरकार विमानन कंपनी कए सब तरहक छूट आ सुविधा देबा लेल तैयार अछि। केंद्रीय मंत्री अशोक गजपति राजू कहलथि जे देश में हवाई सेवाक मांग बढल अछि आ हमर सब जे लक्ष्य तय केलहुं अछि ओकरा बिहार पूरा क सकैत् अछि। बिहार मे सेवा विस्तार लेल केंद्र गंभीर अछि। ओ उम्मीद जतौलथि जे राज्य सरकार शीघ्र जमीनक अधिग्रहण क प्राधिकरण कए सौंप देत।
दोसर दिस बिहटा मे अंतरराष्ट्रीय एयरपोर्ट बनेबाक काज सेहो शुरु भ जायत। बिहार सरकार जमीन अधिग्रहण क काज कए समय स पूरा करबाक वचन देलक अछि। राज्य सरकार एकरा लेल 270 करोड़ आवंटित क चुकल अछि।
एयरपोर्ट निर्माण कार्य कए अंतिम रूप देबा लेल मुख्यमंत्री सचिवालय स्थित संवाद भवन मे केंद्रीय विमानन मंत्री पी अशोक गजपति राजू आ बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच सहमति पत्र पर हस्ताक्षर भेल। संवाद भवन मे बिहार सरकार क तमाम अधिकारी समेत रक्षा मंत्रालय खास क दरभंगा, बिहटा आ पूर्णिया एयरबेसक कमांडर सेहो उपस्थित छलथि। पूर्णिया आ दरभंगा क जिलाधिकारी कए सेहो जमीन अधिग्रहणक प्रक्रिया तेज करबा लेल कहल गेल अछि।