• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

साल क अंत तक शुरू होएत दरभंगा स विमान सेवा

July 16, 2017
in समाचार
A A

पूर्णिया समेत चारिटा नव एयरपोर्ट लेल केंद्र राज्य मे समझौता

एहि सालक अंत तक उड़त सेवा विमान

मुख्य समदिया

पटना । बिहार मे मचल सियासी घमासान क बीच एकटा सुखद समाद अछि। कई बेरक निजी प्रयास क बाद आखिरकार केंद्र सरकार मिथिला कए हवाईसेवा स जोड़बा लेल बिहार सरकार संग समझौता केलक अछि। आब ओ सपना एहि सालक अंत तक पूरा भ जायत, जे मिथिलाक लोक बर्षों स देख रहल छलथि। बिहार मे पटना आ गया क अतिरिक्‍त रक्‍सौल, मुजफफरपुर, भागलपुर, पूर्णिया आ दरभंगा स विमान सेवा शुरु करबा लेल केंद्र सरकार आ राज्‍य सरकारक बीच एमओयू पर हस्‍ताक्षर भ गेल। एहि साल छठि पर्व से पूर्व दरभंगा आ पूर्णिया स सेवा शुरु भ जेबाक उम्‍मीद अछि। जदयू नेता संजय झा एहि बारे मे सूचना दैत कहलथि जे सबसे पहिने दरभंगा स रायपुर लेल सेवा प्रारंभ कैल जाएत ।  बाकी ठाम स रनवे विस्‍तार आ किछु आधारभूत संरचनाक निर्माणक बाद अगिला साल क शुरुआत धरि सेवा शुरु होएत।

केंद्र सरकार शुक्रदिन बिहार क बिहटा मे राज्यक तेसर अंतरराष्ट्रीय एयरपोर्ट बनेबा लेल सेहो बिहार सरकार संग एमओयू पर हस्ताक्षर केलक। बिहार सरकार दिस स नीतीश कुमार आ केंद्र सरकार दिस स केन्द्रीय विमानन मंत्री पी अशोक गजपति राजू एमओयू पर हस्ताक्षर केलथि।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल एहि बैसार मे केंद्र आ राज्य क बीच कईटा समझौता पर हस्ताक्षर भेल। एहि अवसर पर मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे बिहार मे हवाई सेवाक विस्‍तार बहुत जरूरी अछि। बिहार तेजी स विकास क रहल अछि एहन में हवाई सेवाक मांग बढि गेल अछि। नीतीश गया एयरपोर्ट पर विशेष ध्‍यान देबा लेल केंद्र स आग्रह केलथि। नीतीश कहलथि जे गया केवल बौद्ध नहि बल्कि पिंडदान देबा लेल सेहो बहुत लोक अबैत छथि, एहन मे गया मे असीम संभावना अछि। नीतीश कहला जे राज्‍य मे सेवा विस्‍तार लेल जे रियायत संभव होएत ओ देल जायत। राज्‍य सरकार विमानन कंपनी कए सब तरहक छूट आ सुविधा देबा लेल तैयार अछि। केंद्रीय मंत्री अशोक गजपति राजू कहलथि जे देश में हवाई सेवाक मांग बढल अछि आ हमर सब जे लक्ष्‍य तय केलहुं अछि ओकरा बिहार पूरा क सकैत्‍ अछि। बिहार मे सेवा विस्‍तार लेल केंद्र गंभीर अछि। ओ उम्‍मीद जतौलथि जे राज्‍य सरकार शीघ्र जमीनक अधिग्रहण क प्राधिकरण कए सौंप देत।

दोसर दिस बिहटा मे अंतरराष्ट्रीय एयरपोर्ट बनेबाक काज सेहो शुरु भ जायत। बिहार सरकार जमीन अधिग्रहण क काज कए समय स पूरा करबाक वचन देलक अछि।  राज्य सरकार एकरा लेल  270 करोड़ आवंटित क चुकल अछि।

एयरपोर्ट निर्माण कार्य कए अंतिम रूप देबा लेल मुख्यमंत्री सचिवालय स्थित संवाद भवन मे केंद्रीय विमानन मंत्री पी अशोक गजपति राजू आ बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच सहमति पत्र पर हस्ताक्षर भेल। संवाद भवन मे बिहार सरकार क तमाम अधिकारी समेत रक्षा मंत्रालय खास क दरभंगा, बिहटा आ पूर्णिया एयरबेसक कमांडर सेहो उपस्थित छलथि। पूर्णिया आ दरभंगा क जिलाधिकारी कए सेहो जमीन अधिग्रहणक प्रक्रिया तेज करबा लेल कहल गेल अछि।

Tags: Air ServicesdarbhangaDarbhanga Purnia Air Services

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

बिहार क सबस विकसित शहर बनबा लेल तैयार अछि राजगीर

तस्वीर मे देखाओल गेल दरभंगा क तीन सौ सालक इतिहास

कम भ गेल सरकारी क्षेत्र मे नौकरी क अवसर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि