• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार क सबस विकसित शहर बनबा लेल तैयार अछि राजगीर

July 25, 2017
in समाचार
A A
75
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
कईटा परियोजना उतरल जमीन पर, कईटा परियोजना एबाक आस
पटना ।  शहरी विकासक क्षेत्र मे नीतीश सरकार क आलोचना होइत रहल अछि। बिहार मे शहरक विकास लगभग ठमकल अछि। पुरान शहर अव्यवस्थित अछि त नव शहर निर्माण नहि भ पाबि रहल अछि। एहन मे बिहार कए पुरानत शहर राजगीर नहि केवल नव रूप मे विकसित कैल जा रहल अछि बल्कि अगिला दशक मे इ बिहारक सबस विकसित आ सुसज्जित शहर क रूप मे हमरा सबहक समक्ष आबि रहल अछि। अंतरारष्ट्रीय पर्यटक स्थल राजगीर बिहार क सबस विकसित शहर बनबा लेल तैयार भ रहल अछि। एक जमाना मे जेना महाराजा कामेश्वर सिंह पटनाक समतुल्य दरभंगा कए विकसित करबाक प्रयास केने छलाह तहिना नीतीश कुमार पटनाक समतुल्य राजगीर कए सुसज्जित करबा लेल प्रयासरत छथि। एहि शहर कए नव रूप रंग देबा लेल कईटा परियोजना धरती पर उतरि रहल अछि। अगिला कुछ वर्ष मे राजगीर बिहारक सबस विकसित आ सुविधायुक्त शहर होएत। एहि शहर मे नालंदा अंतरारष्ट्रीय विश्वविद्यालय, फिल्म सिटी, इंटरनेशनल स्पोट्र्स एकेडमी, अंतरारष्ट्रीय स्तर का कनफ्लिक्ट रिजोलुशन सेंटर, एयरपोर्ट सहित कईटा अन्य पैघ परियोजना शामिल अछि।
जिलाधिकारी डॉक्टर त्यागराजन एस एम क नेतृत्व मे तमाम महत्वपूर्ण परियोजना लेल जमीन क अधिग्रहण क काज पूरा कैल जा रहल अछि। कईटा परियोजना लेल त जमीन संबंधित विभाग कए हस्तगत सेहो कैल जा चुकल अछि।
जानकारीक अनुसार नालंदा अंतरारष्ट्रीय विश्वविद्यालय कए केंद्र राखि ओकर चारूकात  ठेरा, नेकपुर आ पिलखी सन गाम आब कोनो विकसित शहर स कम नहि देखबा मे लागत। एहि गाम मे एक स एक परियोजना कए जमीन पर उतारबा लेल सबका जरुरी काज पूरा कैल जा चुकल अछि। सबस महत्वपूर्ण गप इ जे जमीन अधिग्रहण क कार्रवाई पूरा कैल जा चुकल अछि।
राजगीर के ठेरा गांव के पास 20 एकड़ में फिल्म सिटी के निर्माण लेल जमीन के अधिग्रहण संबंधित सब तरह क कार्यवाही पूरा क लेल गेल अछि। एहि ठाम 90 एकड़ मे अंतरराष्ट्रीय स्पोट्र्स एकेडमी सेहो बनत। इ दूनू पैघ परियोजना कला संस्कृति आ युवा विभाग स संबंधित अछि।
अंतरारष्ट्रीय स्तर क आईटी सिटी सेहो एहि ठाम  स्थापित भ रहल अछि जेकरा लेल पहिल फेज मे 30 एकड़ आ द्वितीय फेज मं 63 एकड़ कुल 93 एकड़ जमीन क अधिग्रहण सूचना एवं प्रावैधिकी विभाग लेल कैल जा रहल अछि।
आधारभूत संरचना विकास प्राधिकार एहि ठाम लैंड बैंक क रूप मे 19 एकड़ जमीन उपलब्ध करा रहल अछि, जाहि मे पैघ परियोजना क सहयोगी कंपनी कए जमीन उपलब्ध करेबाक योजना अछि।
भवन निर्माण विभाग राजगीरक  नेकपुर मे 22 एकड़ में अन्तरारष्ट्रीयस्तर क कनफ्लिक्ट रिजोल्यूशन सेंटर बना रहल अछि, एकरा लेल विभाग कए जमीन हस्तगत करा देल गेल अछि। इ केंद्र बिहार लेल अद्भुत एवम् जिला क गौरव होएत।
दोसर दिस नालंदा विश्वविद्यालय क एंडोमेंट प्लान लेल 70 एकड़ जमीन शिक्षा विभाग कए उपलब्ध करा देल गेल अछि आ अन्य विभिन्न परियोजना लेल सेहो 20 एकड़ जमीन कए सुरक्षित रखल गेल अछि। एहि क्षेत्र मे 22 एकड़ सड़क लेल आ 5 एकड़ जमीन ड्रेनेज सिस्टम लेल सेहो संबंधित विभाग कए देल जा चुकल अछि।
राजगीर मे प्रस्तावित आयुर्वेदिक रिसर्च सेंटर लेल सेहो जमीन उपलब्ध करा देल गेल अछि।
जिलाधिकारी कहला जे  एहि सब परियोजना कए पूरा भेलाक बाद एहि इलाकाक लोक कए आर्थिक स्थिति सेहो समृद्ध होएत। एकरा स नहि केवल राजगीर क स्वरूप बदलत बल्कि बिहार क विकास मे सेहो एहि इलाकाक अहम योगदान रहत।
Tags: bodhgayagayarajgir
Share75TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

तस्वीर मे देखाओल गेल दरभंगा क तीन सौ सालक इतिहास

कम भ गेल सरकारी क्षेत्र मे नौकरी क अवसर

तेलंगानाक हैदराबाद जेकां नहि भेल मिथिलाक दरभंगा क संरक्षण

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि