* गाँधी सेतुक एक लेन अही साल शुरू भS जाएत। चीन सँ मंगाओल जाएत स्टील।
* सभटा एनएच 50 केर 50 किलोमीटर पर एम्बुलेंस आओर क्रेनक सुविधा रहत।
* आरा-मोहनियां एनएच एनएचएआई बनाओत।
* 218 करोड़ के गंगा रिवर फ्रंटक दोसर फेजकें मंजूरी।
* गंगा पर नवका बैराज आब नैS बनाओल जाएत।
* हल्दिया सँ वाराणसीक मध्य फेरी सेवा शुरू करबाक विचार।
* फरक्का बराज केर असरि आकलन हेतु नव कमेटी।
* स्टेट कैपिटल रीजन केर नींव राखल गेल।
रामबाबू
पटना । इंडो-नेपाल बाॅर्डर पर 552 किलोमीटर सड़कक भारत माला प्रोजेक्ट केर माध्यमसँ आब केन्द्र सरकार बनाओत। अहि लेल एनएचएआई केर डीपीआर बनाबय लेल कहल जा रहल अछि। भारत माला प्रोजेक्ट केर अधीनस्थ औरंगाबाद सँ जयनगर धरि राजमार्ग निर्माण काज यथाशीघ्र शुरू होमय वाला अछि। केन्द्रीय सड़क परिवहन आऔर राजमार्ग मंत्री नितिन गडकरी सोमदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकें साथ करीब 6 घन्टा धरि भेल बैठकक उपरान्त संयुक्त संवाददाता सम्मेलनमे ई घोषणा कएल गेल। दिल्लीकें लेल जतेक महत्वपूर्ण एनसीआर मतलब स्टेट कैपिटल रीजन होयत अछि तहिना पटनाकेँ लेल सेहो एनसीआर महत्वपूर्ण होयत। अहि एनसीआर केर नींव फोरलेन रिंग रोड सँ शुरू होयत। ग्रेटर पटनाक बनबाक रास्ता स्पष्ट भ चुकल अछि। एकर चारु कात फ़ॉर लेन रिंग रोड बनत। राज्य सरकार अहि काज लेल जमीन अधिग्रहण करत आ केंद्र सरकार सँ एकर निर्माण काराओत। अहिसँ पटनाक मुखाकृति बदलि जाएत।
आगामी 25 वर्षकें ध्यानमे राखि पटना रिंग रोडकें एलाइनमेंट बनाएल गेल अछि। वैशाली जिला केर हाजीपुर सँ सारण केर सोनपुर आऔर पटना जिला केर बिहटा सँ कच्ची दरगाह धरि ग्रेटर पटनाकें विस्तार कएल जाएत। राजधानीमे अनीसाबाद सँ फुलवारीशरीफ होयत पटना एम्स धरि नव एलिवेटेड रोडक निर्माण कएल जाएत। राज्य सरकारक अहि प्रस्तावकेँ गडकरी तत्काल मंजूरी द देलक।
पटना रिंग रोड प्रोजेक्ट केर माध्यम जेपी सेतु केर बरोबरि एकटा नव पुलक निर्माण होयत। अहिसँ जेपी सेतु फोर लेन भ जाएत। गांधी सेतु केर बरोबरि 3300 करोड़क लागत सँ अहि नव सेतुक निर्माण अही वर्ष शुरू भ जाएत। एकर पहुंच पथ आठ लेनक बनत।
रिंग रोड केर तहत दीघा मनेर एलिवेटेड रोडक निर्माण होयत। गंगा केर काते-कात दीघा सँ मनेर धरिक ई जाममुक्त नव मार्ग होयत।
लोकनायक गंगा एक्सप्रेस-वे सँ मनेर धरि विस्तार भेलासँ लाभ पूर्वी पटनाकें कच्ची दरगाह सँ पश्चिमी पटनाकें मनेर धरि जएबामे आसान होयत। शहरकें भीतर नहि आबय पडत। गंगा पर दीघा सेतु केर बरोबरि एकटा नव पुल आऔर गंगा पथकें दीघा सँ मनेर धरि विस्तार करय पर सेहो सहमति बनि गेल अछि। संगहि भागलपुरमे बिक्रमशिला पुलकें बरोबरि पुल बनाएल जाएत। गडकरी स्पष्ट कहलनि कि आरा-मोहनियां राजमार्ग सेहो आब एनएचएआई बनाओत।