पटना । पटना में स्थित पीएमसीएच विश्वक सबस पैघ हॉस्पिटल बनत| नीतीश कैबिनेट पटना मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल (पीएमसीएच) कए पुनर्विकास लेल तैयार प्रस्ताव कए मंजूरी द देलक अछि। एकर तहत पीएमसीएच क ए करीब 5540.07 करोड़ क लागत स दुनिया क सबस बेसी 5462 बिछान वाला अस्पताल मे बदलल जा सकत। बिछान क संख्या नहि कवल 1754 स बढ़कए 5462 भ जाय बल्कि एमबीबीएस, पीजी आ सुपरस्पेशलिटी क सीट सेहो बढि जायम। संगहि, एहि ठाम वर्ल्ड क्लास क चिकित्सकीय सुविधा भेटत।
मंत्रिपरिषद विभाग क प्रधानसचिव संजय कुमार कहला जे विश्व क सबस पैघ अस्पताल बेलग्रेट मे अछि| एहि अस्पताल मे 3500 बिछान अछि| पीएमसीएच कए एहि स पैघ अस्पताल बनेबाक लेल सरकार प्रयास शुरू क देलक अछि। एकरा लेल बिहार चिकित्सा सेवाएं एवं आधारभूत संरचना निगम लि स प्राप्त प्रस्ताव आ तकनीकी अनुमोदन क आधार पर कैबिनेट प्रस्ताव कए प्रशासनिक स्वीकृति द दलक अछि| एहि स प्रदेश क जनसंख्या क अनुपात मे चिकित्सकक कमी कए दूर कैल जा सकत आ मरीज कए बेहतर सुविधा भेटत।
स्वास्थ्य विभाग क अनुसार, एमबीबीएस कए 150 सीट वर्तमान मे अछि, इ बढि कए 250 भ जायत। एहि प्रकार स पीजी सीट लल 146 आ सुपर स्पेशलिटी लल आठ सीट अछि| जे बढि कए क्रमश: 200 आ 36 भ जायत। दोसर दिस, 883.10 करोड़ स मेडिकल उपकरण क सेहो खरीद होएत।