पटना. बिहार विधानसभा चुनावक गहमागहमीक बीच बात आब सीट बँटवाराक होमय लागल अछि. एनडीए गठबंधनक दू गोट महत्वपूर्ण घटक दल जनता दल युनाइटेड आ बीजेपीक बीचमे सीटक बंटवाराके ल’ 50-50 केर लेल फॉर्मूला बनाओल जा रहल अछि.
सूत्रक मानब त’ जाहि घटक दलक सहयोगी दल अछि ओ ओकरा अपना कोटा स’ निपटाबय. जानकार सेहो मानैत छथि एहि फॉर्मूला पर बात चलि रहल अछि. यद्यपि नेता एहि पर किछु खुजि क’ बाजि नहि रहल छथि. हुनक कहब छनि जे शीर्ष नेतृत्व सभ किछु आसानी स’ तय क’ लेत. बिहार बीजेपीक नेता संजय पासवान पूर्वमे केंद्रीय मंत्री रही चुकल छथि आ वर्तमानमे पार्टी स’ विधान परिषदक सदस्य छथि. ओ कहलनि जे बिहारमे एनडीएक बीच सीटक बंटवारा लोकसभा चुनावक आधार पर होअय वा फेर 50-50 केर बंटवारा होअय. एकर अलावा जे घटक दल अछि ओ जाहि पार्टीक संग सहज अछि, ओ ओकरा संतुष्ट करय. जेना बीजेपी चिराग पासवानक पार्टी लोक जनशक्ति पार्टीके अपना कोटा स’ संतुष्ट करय त’ ओतहि जेडीयू जीतन राम मांझीक हिंदुस्तानी आवाम मोर्चा अपना कोटा स’ संतुष्ट करय. माने जेडीयू बीजेपी आधा-आधा सीटक बंटवारा क’ लिअय.
संजय पासवानक एहि फॉर्मूलाके एनडीएक दुनू घटक दल (बीजेपी-जेडीयू) केर नेता नकारैत नहि छथि मुदा एतेक अवश्य कहैत छथि जे शीर्ष नेतृत्व एहि बातके तय करत जे सीटक बंटवारा कोन फॉर्मूलाक अंतर्गत होयत. यद्यपि बीजेपीक वरिष्ठ नेता आ नीतीश सरकारमे मंत्री प्रेम कुमार कहैत छथि जे कार्यकर्ताक भावनाक ध्यान अवश्य राखल जायत. ओतहि जेडीयूक प्रवक्ता अंजुम आराक कहब छनि जे सभ किछु नीक तरीका स’ भ’ जायत. जेडीयू आ बीजेपीक नेचुरल अलाइंस अछि. पैघ नेता जखन बैसताह त’ सभ ठीक भ’ जायत. जानकारक सेहो मानब अछि जे बिहार विधानसभा चुनाव 2020 मे एनडीएमे सीटक बंटवाराके ल’ पेंच फंसयवला अछि.
लोकसभा चुनाव 2019 केर परिस्थिति अलग छल मुदा आबयवला विधानसभा चुनावक परिस्थिति अलग अछि. पछिला विधानसभा चुनावमे नीतीश कुमार महागठबंधनक संग छलाह. एहि बेर ओ एनडीएमे अछि. आब फॉर्मूला आधा-आधा पर फिक्स भ’ सकैत अछि.
जे-से जेना-जेना बिहार विधानसभा चुनाव लग अबैत जा रहल अछि, एहि बात पर चर्चा तेज होएत जा रहल अछि जे कोन गठबंधनक कोन घटक दलके कतेक सीट भेटत. बिहारमे एनडीएक एखन तीनटा घटक दल अछि – जेडीयू, बीजेपी आ एलजेपी. मुदा आब जीतन राम मांझी स’ जेडीयूक लगातार बातचीत भ’ रहल अछि जाहि स’ इ मानल जा रहल अछि जे जीतन राम मांझी शीघ्रहि एनडीएक संग आबि जयताह. ऐनामे सीट बंटवारामे कोन तरहक फॉर्मूला फिट बैसैत अछि इ त’ दलक पैघ नेता बतओताह मुदा तत्काल जे अनुमान लागि रहल अछि ओनामे 50-50 केर फॉर्मूला मजगूत देखबामे आबि रहल अछि.