226.90 एकड़ मे कारखाना तैयार, मशीन लागब बाकी
पांच सौ कए सीधा त पांच हजार कए अप्रत्यक्ष भेटत रोजगार
पटना । देश क दोसर आ बिहार क पहिल मढ़ौरा डीजल इंजन कारखाना कोनो हाल मे जून, 2018 स शुरू भ जायत। कारखाना क स्ट्रक्चर तैयार भ चुकल अछि। कारखाना तक रेल पटरी आ सड़क निर्माण क कार्य पूर्ण क लेल गेल अछि। कारखाना मे विद्युत कनेक्शन सेहो भ गेल अछि। मशरक पावर ग्रिड स विद्युत कनेक्शन पिछला सप्ताह चालू भ गेल। अप्रैल 2018 तक एहि मे मशीन सब लागि जायत। जून 2018 स इंजन निर्माण कार्य शुरू हेबाक उम्मीद कैल जा रहल अछि।
कारखाना निर्माण मे लागल कंपनीक अधिकारी पी पेट्राक कहब अछि जे कारखाना अपन समय स तैयार भ रहल अछि। इ कारखाना भारतीय रेल आ अमेरिका क जेनरल इलेक्ट्रिकल कंपनी (जीइ) मिलकए बना रहल अछि। कारखाना क उपयोगिता आ एक भविष्य पर उठल चर्चा पर अधिकारीक कहब अछि जे भारतीय रेल स कंपनीक जे समझौता भेल अछि ओहि मे कोनो बदलाव नहीं भेल अछि। जहां धरि डीजल इंजनक सेवा खत्म करबाक नीति अछि त ओकरा पूर्णत: लागू करबा लेल एखन समय छै। ता धरि एहि कारखाना मे बिजली इंजनक निर्माण पर कंपनी विचार क सकैत अछि, मुदा एखन पहिने कंपनी हर साल 120 डीजल इंजन क निर्माण करत जे रेलवे क तात्कालिक जरुरत कए पूरा करत।
ओ कहला जे एहि कारखाना क निर्माण मे साढ़े सात सौ करोड़ रुपयाक निवेश भ रहल अछि। संगहि पांच सौ स बेसी लोक कए सीधा रोजगार भेटत जखन कि अप्रत्यक्ष रूप स करीब 5 हजार लोक कए रोजगार भेटबाक उम्मीद अछि।
पूर्व मध्य रेल क सीपीआरओ राजेश कुमार सेहो कहैत छथि जे कारखाना समय स पूरा होएत। रेलमंत्री पियूष गोयल सेहो पिछला सप्ताह साफ क देलथि जे कारखाना पर कोनो संशय नहीं अछि। ओ कहला जे रोजगार लेल कौशल विकास मंत्रालय शीघ्र स्थानीय युवक कए प्रशिक्षित करबाक काज शुरु करत, ताकि हुनका सुलभ रोजगार मुहैया कराउल जा सकत।