• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे बनत बिस्कुट, नूडल्स, कूकीज, ब्रिटानिया करत डेयरी मे निवेश

February 24, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
रामबाबू
पटना । राज्य निवेश प्रोत्साहन परिषद (एसआईपीबी) सँ बिहारमे निवेश हेतु 25 नव प्रस्ताव आएल अछि। हालहि मे एसआईपीबी केर बैसारमे अहिमे सँ 22 केर मंजूरी भेट चुकल अछि। अहिमे करीब एक अरब रुपैयाक निवेश केर संभावना अछि। अहिमे सँ 11 प्रस्ताव खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्रकें लेल अछि।
ओतय प्लास्टिक एवम रबर क्षेत्रक लेल पांच प्रस्ताव अछि। स्वास्थ्यसँ जुड़ल दू,  तकनीकी शिक्षासँ दू, पर्यटनसँ एकटा, केमिकल क्षेत्रसँ एकटा आऔर अन्य सँ तीन प्रस्ताव शामिल अछि। अहि सभमे बड़का प्रस्ताव मुजफ्फरपुरमे फार्मास्युटिकल कंपनीक लेल 59 करोड़ 90 लाख रुपैया आऔर पटनामे तकनीकी शिक्षा क्षेत्र लेल 20 करोड़ रुपैयाक प्रस्ताव शामिल अछि।
प्रदेशक करीब 70 प्रतिशत जनसँख्या कृषि पर निर्भर अछि। जतय बिहारमे नव औद्योगिक नीति लागू भेलाक बाद सबसँ बेसी रुचि खाद्य प्रसंस्करणकें क्षेत्रमे निवेशक देखा रहल अछि। राज्य सरकारकें एखन धरि खाद्य प्रसंस्करणकें क्षेत्रमे निवेशककें 50 सँ बेसी प्रस्ताव भेट चुकल अछि। अहिमे केवल 220 करोड़ रुपैयाक निवेश प्रस्तावित अछि। अहिमे चावल मिल सँ लSक चाय प्रसंस्करण इकाई धरि शामिल अछि। एकर सोझा सोझी लाभ बिहारक किसान सभकेँ आऔर कृषि क्षेत्रमे काज करनिहार लोककेँ भेटतनि।
ब्रिटानिया कंपनी बिहारमे डेयरी केर क्षेत्रमे आएब रहल अछि। एकर एकगोट इकाई हाजीपुरमे काज कS रहल अछि। इमामी सेहो बिहारमे खाद्य तेल इकाई लगेबाक गप्प कहलक अछि। आईटीसी राज्यमे दूध उत्पादनकें बढोतरीमे जुटल अछि। कंपनी कच्चा मालक स्वरूपे राज्यक सात जिलासँ करीब एक लाख टन गहूम आऔर मकई ख़रीदलक अछि। ई कंपनी आब राज्यमे फल सभक जूसकें पैकेजिंग करेबा पर सोचि रहल अछि।
खाद्य प्रसंस्करणमे आएल पैघ पैघ कम्पनी सभ : उद्योग विभाग केर अधिकारि सभक कथन अछि कि खाद्य प्रसंस्करण लेल देशक कएको पैघ कम्पनी सभ बिहारमे निवेश कएलक अछि, आ कएको नव कम्पनी सभ निवेशमे रुचि देखेलक अछि। केवल अही क्षेत्रमे ई साल मार्च तक करीब 1,000 करोड़ रुपैयाक निवेशक आशा अछि। जाहिसँ करीब 2,000 लोकक रोजगार भेट सकैत अछि। आधिकारिक सूत्रक कथन अछि कि नेस्ले बिहारमे 500 करोड़ रुपैयाक निवेशक इच्छा जतेलक अछि। बिस्कुट, नूडल्स, कूकीज आऔर दोसर खाद्य उत्पाद बनेबाक ओकर प्रस्ताव अछि।
Tags: BiharBiscutBritanniaDairy

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मैथिल सिनेमा जगत मे प्रेमक बसात बहेबा लेल तैयार छथि रुपक

बैकिंग छोड़ि‍ सब किछु करैत अछि बैंकर

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि