बाल समाचार सेवा बिहार क 20 अलग-अलग न्यूज़ रूम कए शेष देश से जोड़ैत अछि
मुजफ्फरपुर / भागलपुर । बिहार क बच्चा एकटा आर इतिहास रचबा लेल कदम बढ़ा चुकल छथि, बिहार क लेल ई गौरव क छण अछि जे बच्चा सब अपन हिसाब से एकटा न्यूज रूम तैयार केलक अछि जे बिहारक 20 टा अलग अलग न्यूज रूम कए शेष देश स जोड़त । अपन तरह क ई अनुठा शुरुआत केलक अछि दिल्ली क एनजीओ गोईंग टू स्कूल । दिल्ली क एनजीओ ‘गोइंग टू स्कूल’ ‘स्क्रैपी किड्स’ मंच क तहत एहि सर्विस कए सोशल वीडियो प्लेटफॉर्म यूट्यूब पर लॉन्च केलक अछि । एहि सर्विस क लेल राज्य क भागलपुर जिला और तिरहुत क्षेत्र क मुजफ्फरपुर जिला सहित बिहार मे बीसटा अलग-अलग न्यूज़ रूम स्थापित कैल गेल अछि ।.
चिल्ड्रेन्स स्क्रैपी न्यूज़ सर्विस क लेल ई सभटा न्यूज रूम पूरा तरह स बेकार चीज़ स बनाओल गेल अछि । एहि अस्थायी स्क्रैपी न्यूज सर्विस अओर न्यूज-टॉक-गेम शो कए बच्चा क लेल आर बच्चा द्वारा तैयार कैल गेल अछि । ई सर्विस भारत क सबसे पैघ समस्या क डिजाइन थिंकिंग और स्क्रैपी कौशल स हल करबाक रास्ता सुझाओत । एहि क लेल भागलपुर आओर मुजफ्फरपुर क न्यूज़रूम लेल अभिनव और दिलचस्प गतिविधी क एकटा लिस्ट तैयार कैल गेल अछि ।
‘स्क्रैपी हीरोज’ स्थानीय उद्यमी जेना मधुमक्खी पालक , महिला ई-रिक्शा चालक, महिला मुक्केबाज चैंपियन, यातायात महिला पुलिस, जैविक किसान, टॉयलेट रिंग मेकर्, अखबार क पुनर्चक्रण करनिहार क संग संग ग्रांड पैरेंट्स (दादा-दादी) क इन्टरव्यू पर ध्यान केंद्रित करताह ।
एहि क अलावा ‘स्क्रैपी डिबेट्स’ मे स्क्रैपी किड एंकर्स स्थानीय मेहमान कए न्यूज़ रूम मे सेहो सही मुद्दों पर चर्चा करबाक आओर समस्या क सामूहिक समाधान तकबाक लेल आमंत्रित करताह ।
उद्धाटनक मौका पर ‘स्क्रैपी पकाओ’ – स्ट्रीट फूड कार्ट क बीच एकटा पकवान बनेबाक प्रतियोगिता भेल जाहि मे बच्चा सभ सहयोग केलक आ सहयोग किया वैह सभ जज सेहो बनल । एहि क बाद बच्चा क ‘स्क्रैपी रेस’ सेहो भेल जाहि मे ओ सब कबाड़ स बनल रेसिंग कार दौड़ोलक । .
गोइंग टू स्कूल क संस्थापक लिसा हेडलॉफ कहैत छथि, “ स्क्रैपी का मतलब बेकार चीज़ स नब चीज बनेनाय होएत अछि । आओर नीक खबर ई अछि जे स्क्रैपी न्यूज मे सभटा नीके खबर होएत । अहॉं दुनिया कए बेहतर बनेबाक लेल की कए सकैत छी ई ओहि क बारे मे अछि । ई एकटा क्रांति अछि जे कहैत अछि आब हमरा पास समय नहि बचल अछि, बच्चा कए लीड करय दिअ.”
‘गोइंग टू स्कूल’ की निदेशक पद्मिनी वैद्यनाथन कहैत छथि, “ चिल्ड्रेन्स स्क्रैपी न्यूज़ सर्विस कए ई देखेबाक लेल बनाओल गेल छल जे बच्चा सब केना सोचैत अछि आओर दुनिया कए आर बेहतर बनेबा मे ओ कोना मदद कए सकैत अछि । ई पूरा तरह स बच्चा क लेल अछि। ”
चिल्ड्रेन्स स्क्रैपी न्यूज़ सर्विस कए बिहार क संगे-संग मुंबई अओर बेंगलुरु मे सेहो लॉन्च कैल गेल अछि ।