• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

गांधी असगर विकल्‍प क रूप मे दुनियाक समझ ढार छथि : हरिवंश

हरिवंश सोमदिन कामेश्‍वरनगर क नरगौना परिसर स्थित जुबिली हॉल मे इसमाद क 10 साल पूरा भेला पर आयोजित आचार्य रमानाथ झा हेरिटेज सीरीज क अंतिम व्याख्यान मे 'गांधी ही विकल्प' विषय पर विष्णु कांत झा स्मृति व्याख्यान द रहल छलाह। 

December 25, 2019
in समाचार
A A

टीम समदिया

दरभंगा। राज्यसभा क उपसभापति व प्रख्‍यात पत्रकार हरिवश कहला अछि जे महात्मा गांधी क जीवन दर्शन हर युग में प्रासंगिक रहत। आइ जखन दुनिया कए बचेबाक बाट ताकल जा रहल अछि त गांधी असगर विकल्‍प क रूप मे दुनियाक समझ ढार छथि। हुनकर विकास मॉडल मे विश्‍व कए बचेबाक क्षमता अछि आ जे हुनका नहि पढलक, देखलक आ बुझलक ओ सहो हुनकर देखाउल बाट पर चलबाक गप दोहरा रहल अछि। इ साबित करैत अछि जे दुनिया कए बचेबा लेल दुनिया मे गांधी क कोनो विकल्‍प नहि अछि।

 

श्री हरिवंश सोमदिन कामेश्‍वरनगर क नरगौना परिसर स्थित जुबिली हॉल मे इसमाद क 10 साल पूरा भेला पर आयोजित आचार्य रमानाथ झा हेरिटेज सीरीज क अंतिम व्याख्यान मे ‘गांधी ही विकल्प’ विषय पर विष्णु कांत झा स्मृति व्याख्यान द रहल छलाह।

हरिवंश कहला जे ग्लोबलाइजेशन क दौर मे खतरा सेहो ग्लोबल होइत जा रहल अछि। पहिने दुनिया विचार स चलैत छल, मुदा आब आब टेक्नोलॉजी स चलि रहल अछि। औद्योगिक क्रांति क बाद ग्लोबल वार्मिंग क कारण बाढ़, भूकंप, ग्लेशियर क पिघलब, पीबा लेल जल, स्वच्छ हवा आदि क कमी पैघ समस्या बनि चुकल अछि। जनसंख्या क संगहि भौतिक सुख-सुविधा बढ़ैत जा रहल अछि। समस्या एहन जे कम हेबाक बदला मे भीषण भ चुकल अछि। आर्थिक विकास क दौड़ मे विश्व विनाश क कगार पर ढार अछि। अगिला पीढ़ी क जीवन सुरक्षित रख पायब चुनौती बनैत जा रहल अछि। वैज्ञानिकक साफ कहब अछि जे कार्बन कए कम नहि कैल गेल त दुनिया तबाह भ जायत।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

हरिवंश महान वैज्ञानिक स्टीफन हॉकिंस क चर्चा करैत कहला जे वो एकटा वैज्ञानिक छलाह, मुदा तखनो गांधी क मानवता क सिद्धांत क तहत जनसंख्या वृद्धि, जल संकट, जलवायु परिवर्तन आओर बीमारीक इलाज लेल मिल-जुल कए काज करबाक सिद्धांत कए स्‍वीकार केलथि। स्टीफन हॉकिंस कहला अछि जे हमरा लग दुनिया कए नष्ट करबाक हथियार त अछि मुदा लेकिन विश्वव्यापी समस्या स निबटबाक कोनो उपाय नहि अछि। ओ एहि स बचबा लेल उपाय सेहो बतेलाह अछि। ओ कहला जे वैज्ञानिक कए आगू आबि कए बतेबाक चाही जे विकास लेल बेहतर पर्यावरण क जरूरत होएत।

हरिवंश कहला जे आइ दुनिया मे 720 करोड़ लोक रहैत अछि। जखनकि धरती क प्राकृतिक संपदा महज 200 करोड़ लोक लेल सीमित अछि। भारत क आबादी 2030 मे 130 करोड़ होएत जखनकि भारत लग दुनिया क महज 2.1 प्रतिशत भू-भाग अछि। आबादी क अनुसार फिलहाल हम दुनिया क 17 प्रतिशत आबादी छी। अनुमान क अनुसार पानी, पेट्रोल, कोयला सन संसाधन महज 47 साल तक चलत। एहन मे बढ़ैत आबादी लेल खाद्यान्न आ अन्य संसाधन कतए स आउत।

ओ कहला जे महात्मा गांधी विकास क जाहि मॉडल क कल्पना केने छलाह ओहि मे भौतिक विकास स बेसी मानसिक शांति पर ज़ोर छल। गुलामी क पहिल जंजीर भौतिक सुख होइत अछि। गांधी की आर्थिक नीतिक चर्च करैत हरिवंश कहला जे हुनकर आर्थिक मॉडल मे लोक आर्थिक रूप स स्‍वतंत्र होइत छल। आइ दुनिया पूंजीवाद क चंगुल मे फंसल अछि, गांधीक आर्थिक नीति ओहि समय मे भारत समेत दुनिया क कईटा देश कए गुलामी स मुक्त हेबाक बाट देखेने छल।

ओ कहला जे देश जखन आज़ाद भेल तखन गांधी स पत्रकार पूछने छल जे भारत कए विकास क ब्रिटेन मॉडल होएत बा कोनो आओर मॉडल अहां लग अछि। तखन गांधी ब्रिटेन क विकास मॉडल कए खारिज़ क देने छलाह। गांधी कहने छलाह जे आइ ब्रिटेन क आबादी महज एक करोड़ अछि। ओ दुनिया क कईटा देश कए गुलाम बनाकए ओहिठाम क संसाधन छीन लेलक। भारत क आबादी आज़ादी क समय 30 करोड़ अछि, अगर भारत ब्रिटेन क विकास मॉडल पर चलत त ओकरा देश नहि बल्कि ग्रह आ आकाशगंगा तक कए गुलाम बनेबाक जरुरत पडत।

गांधी एकटा पत्र एहि संबंध मे नेहरू कए लिखने छलाह जाहि मे वो कहने छथि जे भारत क विकास मॉडल ओ अछि जाहि मे जनता कए आत्‍मनिर्भर बनेबाक क्षमता हो। जाहिमे गाम मे लोक खेती करै, पशुपालन करै, सहकारिता कए अपनाबै। शहर में औद्योगीकरण ककरो अधिकार आ पयार्वरण कए क्षति पहुंचा कए नहि हो। गांधी 1928 मे कहला जे आधुनिक सभ्यता क विशेष चरित्र इच्छा क अनंत बहुतायत अछि। बर्धा क आश्रम मे उल्‍लेखित गांधीक संदेश मे एकरा गांधी पागल दौड कहने छथि। हम बहुत फोटो खींचेबाक इच्‍छुक नहि रहैत छी, मुदा बर्धा मे हम ओहि संदेशक आगे ढार भ फोटो खींचेबाक इच्‍छुक भेल रही।

हरिवंश कहला जे आजुक वैज्ञानिक दुनिया कए प्रकृति दिस लौटबा लेल आग्रह क रहल छथि। ओ भले गांधी कए नहि जानैत हो मुदा गांधी जे बहुत पहिने सावधान क गेल छथि वैह बता रहल छथि। ओ कहला जे आइ विचार नहि बल्कि दुनिया कए तकनीक बदलि रहल अछि। इ ठीक नहि अछि। अगर अगिला सदी मे मानव समाज कए पहुंचेबाक अछि त गांधी असगर विकल्‍प छथि। अपन एक घंटा क संबोधन में करीब दू दर्जन स बेसी स्रोत क उल्‍लेख करैत हरिवंश कहला जे दुनिया मे एहि धरती कए बचेबा लेल जे जतए जेना कहल जा रहल अछि ओ ककरो नहि गांधी क कहल गप अछि आ इ साबित करैत अछि जे दुनिया लग एखन गांधी क कोनो विकल्‍प नहि अछि।

एहि स पूर्व हरिवंश मिथिलाक गौरवशाली इतिहास आ दरभंगा महाराजक योगदान पर प्रकाश देलथि। ओ कहला जे न्‍याय क एहि भूमि पर ज्ञान कण कण मे बसल अछि। एहि ठाम जे बौद्धक संपदा अछि ओ हमरा सब कए भविष्‍य निर्माण मे बहुत सहायक भ सकैत अछि। एकर अध्‍ययन आ संरक्षण क जरुरत अछि। दरभंगा मे इतिहास क बहुत धरोहर अछि। राज पुस्‍तकालय आ महाराजा कामेश्‍वर सिंह कल्याणी फाउंडेशन आइ देखबाक मौका भेटल। एहि दूनू लाइब्रेरी मे ज्ञान क खजाना भरल अछि। एहि स नव पीढ़ी कए सीखबाक चाही।

 

दरभंगा महाराजक चर्च करैत हरिवंश कहला जे ओ बीएचयू क छात्र छथि जाहिक स्‍थापना मे दरभंगा क महाराजाक भूमिका अहम रहल अछि। कलकत्‍ता आ अन्‍य शहर मे सेहो दरभंगा क योगदान देखाइत रहैत अछि। दिल्‍ली क लेडी हार्डिंड अस्‍पतालक चर्च करैत हरिवंश कहला जे ओकर निर्माण मे सेहो दरभंगा महाराजक दान देखबा लेल भेटल। आचार्य रमानाथ झा आ मिथिला मिहिरक पहिल संपादक विष्‍णुकांत झाक चर्च करैत हरिवंश कहला जे एहि प्रकारक लोक समाज मे हरदम जीवित रहैत अछि। अंत मे ओ इसमाद फाउंडेशन क व्याख्यानमाला क तारीफ केलथि। ओ कहला जे इसमाद जाहि प्रकार स एहि आयोजन कए पूरा केलक अछि एहिना शैक्षणिक संस्था सब मे सेहो कार्य हेबाक चाही। इसमादक टीम कए एहि लेल बहुत बहुत बधाई।

Tags: darbhangagandhiharivanshmithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
एक संग होएत एयरपोर्टक उदघाटन आ एम्‍सक शिलान्‍यास

एक संग होएत एयरपोर्टक उदघाटन आ एम्‍सक शिलान्‍यास

जयनगर द कए 30 कए जनकपुर पहुंचत पहिल ट्रेन

जयनगर द कए 30 कए जनकपुर पहुंचत पहिल ट्रेन

कविता : कुमुद रंजन क आब आओर कतेक प्रतीक्षा?

कविता: कुमुद रंजनक कियै छै ,यौ?

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि