विनीत ठाकुर
जयनगर, मधुबनी। जयनगर नेपाली रेलवे स्टेशन सँ आई खजुरी तक रेल इंजन क सफल ट्रायल भेल। आई बुध दिन नव निर्मित बड़ी रेल लाइन पर ट्रायल इंजन क परिचालन वर्षो से कायम भारत- नेपाल मध्य सांस्कृतिक, धार्मिक, वैवाहिक संबंध केँ आओर सशक्त बनेबा लेल मील स्तंभ सिद्ध होयत आ आजुक दिन इतिहास क पन्ना मे लिखायत।
भारत- नेपाल क अहि नव रेल परियोजना क अन्तिम चरण क काज संपन्न भेला बाद आई बुध दिन नेपाली रेलवे स्टेशन से निर्माण एजेंसी इरकॉन इंटरनेशनल प्राईवेट लिमिटेड क महाप्रबंधक रवि सहाय आ जयनगर रेलवे स्टेशन अधीक्षक राजेश मोहन मल्लिक संयुक्त रूपेँ झंडी देखाय विदा कयलनि।
निर्माण एजेंसी क महाप्रबंधक रवि सहाय जनौलनि जे जयनगर- जनकपुर- वर्दीवास क ६९ कि मी बड़ी रेल लाइन क निर्माण काज पहिल चरण मे २९ कि मी कुर्था तक अंतिम चरण मे अछि आ आशा अछि जे वर्ष क अंत तक अहि रेल खंड पर परिचालन आरंभ भs जायत। संम्प्रति आई ट्रायल इंजन केँ लगभग आठ कि मी , जयनगर से खजुरी तक सफल परीक्षण कयल गेल। ट्रायल इंजन पर चालक देवनारायण राय,सहायक सुभाष कुमार, इरकॉन इंटरनेशनल क महाप्रबंधक रवि सहाय, स्टेशन अधीक्षक राजेश मोहन मल्लिक,ए जी एम दीपक कुमार, डीजीएम विनोद कुमार सिंह, विवेक निगम आ नेपाल क अभियंता विनोद ओझा सहित अन्य अधिकारी खजुरी तक गेलाह।
नव ट्रैक क कारणे इंजन १५-२० कि मी क गति सँ चलाओल गेल । महाप्रबंधक जनौलनि जे ट्रायल क बाद ट्रैक पर ब्लास्टर मालगाड़ी से खसाय पैकिंग कार्य कयल जायत। अहि रेल परियोजना क घोषणा वर्ष २००७ मे तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद दरभंगा से जयनगर बड़ी लाईन क उद्घाटन क समय कयने छलाह। अहि परियोजना केँ वर्ष २०१४तक पूरा करबाक छलैक परंतु मधेश आन्दोलन आ राशि क अभाव क कारणे विलंब भेलैक। प्रधानमंत्री श्री मोदी जी क जनकपुर यात्रा पश्र्चात कार्य मे अपेक्षित प्रगति भेल।