देशक चारिम राज्य बनल बिहार, चहुंओर जयजयकार
पटना । नीतीश क बिहार में आब शराब नहि भेटत। एकरा स्त्रीगणक जीत मानल जा रहा अछि। सरकार तत्काल प्रभाव स राज्य मे पूर्ण शराबबंदी लागू कए देने अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे मंगलदिन भेल राज्य कैबिनेट क बैसार मे ई फैसला लेल गेल अछि जे देशी वा विदेशी कोनो तरहे क शराब आब उपलब्ध नहि होएत। एहि फैसलाक बाद बिहार आब गुजरात, नगालैंड वा मिजोरम क बाद देशक चारिम ड्राय स्टेट भए गेल अछि।
कैबिनेट क बैसार क बाद फैसलाक जानकारी दैत अपने पत्रकार स मुखातिब होएत मुख्यमंत्री कहलथि जे संपूर्ण राज्य मे शराब क थोक आओर खुदरा बिक्री पर प्रतिबंध लगा देल गेल अछि। एहि सोमवारे स तत्काल प्रभाव स एकरा लागू कए देल गेल अछि। कतहू आब शराबक दोकान नहि होएत। बिवरेजजे कारपोरेशन क दिस स खुलय बला दोकान सेहो आब नहि खोलल जाएत। जे दोकान खुलि गेल छल, ओकरा सेहो बन्न करि देल गेल अछि । कोनो होटल, बार वा रेस्टूरेंट मे सेहो शराब नहि परोसल जाएत, केकरो एकर लाइसेंस नहि देल जाएत । खाली मिलिट्री कैंटीन मे शराब क बिक्री क अनुमति होएत। मुख्यमंत्री कहलथि जे शराबबंदी क लकए मीडिया कए सेहो अपन अभियान जारी रखनाय चाही । ओ कहलथि जे हम थाकय बला मे स नहि छी। सीधा मॉनिटरिंग कए रहल छी। नीतीश कुमार ने कहलथि जे ओ राज्य मे शराबबंदी क लेल फैसला कए चुकल छथि, मुदा माहौल बनबा क इंतजार कए रहल छलहूँ। पिछला तीन-चार दिन मे जे शराब क खिलाफ माहौल बनल ओहिक बाद ई निर्णय लागू कैल गेल अछि । ओ शराबबंदी क फैसला क लेल महिला कए धन्यवाद देलथि अओर हुनकर प्रयास क तारीफ केलथि। मुख्यमंत्री कहलथि जे हुनकर सरकार एहि फैसला क माध्यम स बिहार मे सामाजिक परिवर्तन क बुनियाद रखने अछि । मुख्यमंत्री कहलथि जे ताड़ी पर सरकारक कोनो नब निर्णय नहि अछि। ई कानून 1991 स लागू अछि। अो कहलथि जे ताड़ी मे मादक गुण होएत अछि, जखनकि नीरा गुणकारी अछि। एहिलेल सरकरा कंफेड क तर्ज पर नीरा कए बढ़ावा देत। तार क उत्पाद क लेल कमिटी बनाओल गेल अछि । एकटा ताड़ क गाछ स 6 हजार टका क इनकम होएत। सरकार चटाई आओर टोकरी क उत्पाद क मार्केटिंग करत। ओ कहलथि जे अगला सीजन स नीरा बाजार मे उपलब्ध होएत। सरकार एहिक लेल वित्तीय सहायता देत आओर उद्योग विभाग नोडल एजेंसी होएत। सरकार नीरा क बोटलिंग करत। सुरुजक किरण फुटबा स पहिने क ताड़ी कए लोग इस्तेमाल कए सकत।