• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

यूपीएससी मे मैथिली फेर बनेलक रिकार्ड, 22 मे स 13 गोट छात्र सफल

June 1, 2017
in समाचार
A A

सावित्री कुमारी

दरभंगा । संघ लोक सेवा आयोग क सिविल सेवा परीक्षा क नतीजा सोझा अछि आ मैथिली एक बेर फेर सिद्ध केलक अछि जे ओ कोनो आन भाषा क मुकाबले सफलताक बेहतर गारंटी अछि । एहि साल मैथिली भाषा स उत्तीर्ण कुल 22 गोट छात्र साक्षात्कार मे शामिल भेल छलथि, जाहि मे स 13 गोट छात्र क चयन भेल अछि । कोनो भारतीय भाषा लेल इ चयनक एकटा रिकार्ड अछि । मैथिली भाषा स सफल भेल छात्र मे चारिटा छात्र मिथिला मूलक नहि छथि । हरियाणा, उत्तर प्रदेश आ राजस्थान मूल क चारिगोट छात्र क सफलता बता रहल अछि जे कहियो मैथिल ब्राह्मण भाषा बताउल गेल मैथिली आइ अपन राष्ट्रीय उपस्थिति दर्ज करा चुकल अछि । खास गप इ सेहो अछि जे घोषित परिणाम मे मैथिली भाषा क चुनाव केनिहार छात्रक रैंक सेहो 109 स 913 क बीच अछि । सूची पर ध्यान दी त मधुबनीक नीरज कुमार झा -109 आ सचिन कुमार-129 रैंक भेटल अछि। पटनाक राकेश रंजन – 138, विवेक कुमार – 200, कुमार सत्यम- 339 रैंक भेटल अछि । उत्तर प्रदेशक अर्चित विश्वेश -335 रैंक पौलथि त मुजफ्फरपुर क मनीष कुमार- 399 रैंक पर छथि । हरियाणाक आदित्य भरद्वाज- 441 त सुपौलक सोनम कुमार- 451 पर छथि । भागलपुरक कुंदन कुमार -553 आ मुजफ्फरपुर प्रभात कुमार – 775 रैंक पौलथि अछि। राजस्थान क सतपाल – 809 आ सबस नीचा राजस्थान कए नीलिमा खोरवाल -913 रैंक पर संतोष जोकर छथि ।

उल्लेखनीय अछि जे एहि साल देशभरि मे 1099 उम्मीदवार बाजी मारलथि अछि । सामान्य वर्ग स 500, ओबीसी क 347, एससी कैटगरी के 163 और एसटी के 89 उम्मीदवार सफलता हासिल केलथि अछि । आईएएस लेल 180, आईएफएस लेल 45 आ आईपीएस लेल 150 उम्मीदवार क चयन भेल अछि । एकर अलावा केंद्रीय सेवाओं मे ग्रुप-ए लेल 603 आ ग्रुप-बी लेल 231 क चयन भेल अछि ।

परिणाम मे अगर बिहारी क गप करि त एहि साल कुल 31 टा उम्मीदवार बिहार स चयन सूची मे छथि । दरभंगा क सौम्या झा, मधुबनी क नीरज झा, सुमित कुमार झा आ पटना क सन्नी राज क्रमश: 58, 109 ,111 आ 132म रैंक प्राप्त केलथि अछि । बासुकीनाथ झा आ आदित्य झा कए क्रमश: 378 आ 503 स्थान प्राप्त भेल । हिनकर केन्द्रीय सेवा (समुह अ) लेल चयन भेल।

नीरज झा आ सन्नी राज पिछला साल इंडियन रेवेन्यू सर्विसेज क्लियर क चुकल छलथि। 109 रैंक अननिहार नीरज झा विदेश सेवा मे जेताह। नीरज मूल रूप स मधुबनी छथि मुदा फिलहाल धनबाद मे रहैत छथि।
सन्नी राज क इ चारिम प्रयास छल। 132म रैंक स खुश छथि। सन्नी डीएवी खगौल स मैट्रिक केलाक बाद एनआइटी जमशेदपुर स इंजीनियरिंग मे ग्रेजुएशन केलथि।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: maithiliSomya Jhaupsc

Related Posts

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

बहिनक बियाह लेल भतीजी क बलि

एक संग पूरा भेल दू गोट सपना

मीरा नहि राहुल कए खारिज केलथि नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि