• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बहिनक बियाह लेल भतीजी क बलि

June 7, 2017
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
सुनील कुमार झा
मधुबनी/सोनवर्षा । चर्चित नैन्सी हत्याकांड क गुनाहगार कए पुलिस आखिरकार पकडि़ लेलक। नैन्सी क हत्यारा कियो आर नहि बल्कि ओकर अपन काका निकलल। पुलिस हिरासत मे भेल पूछताछ क बाद बुधदिन आरोपी राघवेंद्र आओर पंकज अपन अपन जुर्म कुबूल क लेलक।
मामला सुलझा लेबाक दावा करैत मधुबनीक एसपी दीपक वर्णवाल कहला जे सख्ती स भेल पूछताछ क बाद नैन्सी क दुनू काका अपन मुंह खोललथि आ अपन अपराध स्वीकार केलथि अछि। राघवेंद्र पुलिस कए कहलथि जे नैन्सी क बुआ कए लालू झा संग प्रेम संबंध छल। जेकर जानकारी नैन्सी कए सेहो भ गेल छल।  इम्हर, नैन्सी क बुआ विवाह तय क देल गेल छल।  जाहि मे बाधा देबा लेल नैन्सी प्रयास क रहल छल। ताहि लेल नैन्सी कए एहि विवाह कार्यक्रम स दूर राखल गेल छल, मुदा ओ विवाह स ठीक पहिने ननिहाल स आबि गेल। एहन मे ओकर योजना कए विफल करबा लेल 25 मई कए ओकर एकटा कोठली मे बंद क देल गेल। मुदा नैन्सी चुप हेबाक नाम नहि ल रहल छल, एहि क्रम मे ओकरा गला दबा कए मारि देल गेल। जखन नैन्सी क बुआ क विवाह 26 मई कए भ गेल तखन 27 मई कए नैन्सी क शव तिलयुग नदी क पुला पर स फेंक देल गेल आ नैन्सी क हत्याक आरोप लालू झा पर लगा देल गेल।
सोशल मीडिया पर हल्ला मचलाक बाद मधुबनी स दिल्ली तक जखन एहि मामला मे न्याय क मांग उठल त जदयू नेता संजय झाक प्रयास स नैन्सी हत्याकांड क खुलासा लेल एसआईटी क गठन भेल।  पुलिस राघवेन्द्र आ पंकज कए पहिनहुं शक क बिनाह पर हिरासत मे लेने छल, मुदा नैन्सीक पिता थाना मे हंगामा मचा ओकरा घर ल कए चल गेलथि, मुदा जखन एसआइटी राघवेंद्र आओर पंकज क फ़ोन रिकॉर्ड खंगाल केलक त दुनू पर शक बढ़ैत गेल। मंगलदिन एसआइटी सैन्सी क मामा कए सेहो उठेलक। पूछताछ भेल आ सूत्र भेटल। ओकर बाद पुलिस दूनू कए फेर उठा लेलक आ पूछताछ शुरु केलक। दुनू स अलग-अलग पूछताछ क बाद दुनू क बयान मे काफी अंतर पाओल गेल। जाहि स मडर मिस्ट्री क खुलासा भेल।
ज्ञात होए जे मधुबनी जिला क फुलपरास अनुमंडल अंतर्गत अंधरामठ थाना क महादेवमठ गांव मे शिक्षक रविन्द्र नारायण झा क 12 सालक बेटी नैंसी झाक एक राति अपहरण भए गेल। एहि बाबत घटना क प्राथमिकी 25 मई अंधरामठ थाना मे दर्ज कराओल गेल। घटना क दू दिन बितलाक बादो प्रशासन क ढ़ुलमुल रवैया रहल आ पुलिस कोनो सुराग नहि ताकि सकल। तेसर दिन 27 मई कए नैन्सी कए लहाश तिलयुगा नदी क कात मे जरल अवस्था मे भेटल। नैन्सी क परिजन क आरोप छल जे पुलिस अपन काज सही से नहि कए रहल अछि आ अपराधी कए संरक्षण दए रहल अछि । शक आ प्रत्यक्ष गवाह क आधार पर पकड़ल गेल अपराधी कए पुलीस छोडि़ देलक आ पूछताछ क नाम पर नैन्सी क दू टा पितिऔत काका राघवेन्द्र झा आ पंकज झा क संग पुलिस ज्यादती कए परेशान कए रहल छल।
घटनाक खुलासाक बाद नैन्सी क माता-पिता क आरोपीक प्रति सहानुभति सेहो सवाल ढार क रहल अछि। आखिर ओ पुलिस कए जांच मे सहयोग क बदला मे नैन्सीक हत्यारा कए किया बचा रहल छलथि।
घटना क सोशल मीडिया कए हवा भेटला क बाद प्रशासन पोस्टमॉर्टम रिपोर्ट सार्वजनिक केलक। पोस्टमार्टम तीनटा डॉक्टर क बोर्ड केलथि जाहिमे दू टा महिला छलीह। पोस्टमार्टम रिपोर्ट एबाक बाद प्रशासन क लोग एकटा प्रेस कांफ्रेंस मे बतेलक जे पोस्टमार्टम मे दुष्कर्म, नस काटब, गला रेतब वा एसिड अटैक जेहन कोनो बात नहि अछि । रिपोर्ट क अनुसार लगभग 72 घंटा पहिने नैन्सी क हत्या भेल छल जे गला दबाकए कैल गेल छल। हालाँकि नैंसी क परिजन पोस्टमार्टम रिपोर्ट कए ई कहि कए मनबा स इनकार कए देलथि जे पोस्टमार्टम रिपोर्ट मे छेड़छाड़ भेल अछि हुनका अनुसार नैन्सी क नस काटल गेल अछि आओर एसिड अटैक भेल अछि जखनकि एकर उल्लेख पोस्टमार्टम में नहि अछि।
आब इ सवाल उठैत अछि जे परिजन बेर बेर साक्ष्य कए किया भ्रमित क रहल छलथि।
एहि मे कोनो संदेह नहि जे पूरा परिवार एक मत स लालू झा आ पवन झा कए हत्यारोपी जतोलथि। ओ बतेलथि जे 5 साल पहिने नैंसी क बुआ रानी क संग छेडख़ानी ल कए झगड़ा भेल छल। लालू झा आ पवन झा  नैन्सीक बुआक विवाह रोकबाक सजिश लेल अपहरण आ हत्या केलक अछि।
पूरा मामला उलझल जा रहल छल, एहि बीच एसआईटी क पैध कारवाई भेल आ मंगलदिन नैन्सी क अपन मामा अविनाश झा कए पुलिस घोघरडीहा स उठेलक । अमित स पूछताछ क बाद पुलिस अविनाश कए उठेलक। ज्ञात होए जे नैन्सी एक सप्ताह स अपन नानीगाम मे छलीह। घटना क दिन भोर अपन गाम जेबाक जिद करबाक कारण नानी मॉं लग पठेने छलीह।
पुलिस लेल सबस संदेह क गप यैह छल आखिर बुआ क विवाह समारोह  नैन्सी दूर किया राखल जा रहल छल। आखिर के केलक नैन्सी क फेसबुक पेज बन्न। एहन मे कैकटा सवाल छल जेकर जवाब पुलिस ताकि रहल छल।
जेना जेना पूछताछ बढल तेना तेना राघवेद्र पर शक मजबूत भेल गेल। राघवेंद्र टा घरक एकलौता आदमी छल जे भोज मे शामिल नहि भेल छल आ घर पर छल। राघवेंद्रे नैन्सी कए आखरी बेर देखबाक दावा करैत छल। ओकर दावा छल जे नैंसी कए एकटा आमक गाछ लग देखने छल आओर वैह लालू झा आओर पवन झाक नाम कए एहि केस से जोडऩे छल। जखन डॉग स्क्वाड आयल त ओ वैह घर पर रुकल जाहि घर मे नैंसी अंतिम बेर देखल गेल छलीह।
पुलिस लेल सबस पैघ सूत्र नैन्सी क पिता दिस स करल गेल एफआईआर छल। नैन्सी क पिता एफआईआर मे लिखेने छलाह जे एकटा आदमी मोटरसाइकिल पर नैन्सी कए ल गेल। ओहि बाइक क पॉछा पॉछा लालू झा आ पवन झा पैदल चलि रहल छलाह । जखनकि इ कतहूँ संभव नहि अछि जे एकटा आदमी जे खुद बाईक चला रहल छल ओ कोनो 12 वर्षीय लड़की क अपहरण क जबरन ल जा सकत। खैर आब पूरा मामला साफ अछि आ समाज लेल एकटा गंभीर सवाल अछि जे एहन मामला मे सरकार आ कानून स बेसी ओ समाज दोषी अछि जे अपन मूल्य कए छोडबा मे बताह बनल अछि।
एहन अपराध लेल अपराधी कए कानून सजा देत, मुदा अपराधी त इ समाज क बहुत लोक छथि जिनका के सजा देत….
Tags: NainsiNainsi Hatyakan

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

एक संग पूरा भेल दू गोट सपना

मीरा नहि राहुल कए खारिज केलथि नीतीश

साल क अंत तक शुरू होएत दरभंगा स विमान सेवा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि