
केंद्र सरकार क शहरी विकास मंत्रालय बिहार सरकार कए पत्र लिखकए एहि संबंध मे रिपोर्ट मंगलक अछि। नगर विकास आ आवास विभाग सेहो गया क जिलाधिकारी कए पत्र लिखकए मेट्रो रेल परिचालन क उपयुक्तता आ उपयोगिता पर रिपोर्ट मंगलक अछि। नगर विकास आ आवास विभाग स पत्र प्राप्त भेलाक बाद गया क जिलाधिकारी कुमार रवि सेहो नगर आयुक्त कए पत्र लिखकए एहि संबंध मे विस्तृत जानकारी एक सप्ताह क भीतर उपलब्ध करेबाक निर्देश देलथि अछि।
गया क जिलाधिकारी कुमार रवि कहला अछि जे मेट्रो रेल परिचालन लेल उपयोगिता रिपोर्ट मांगल गेल अछि। रिपोर्ट मे गया स बोधगया क दूरी, रूट , पर्यटक क संख्या आदि क संबंध में जानकारी मांगल गेल अछि। एक सप्ताह क भीतर इ रिपोर्ट नगर विकास विभाग कए पठा देल जाएत। ओ कहला जे केंद्र सरकार क 80 प्रतिशत आ राज्य सरकार क 20 प्रतिशत राशि स मेट्रो रेल क कार्य कैल जायत।
जानकारी क अनुसार महाबोधि मंदिर स मगध विश्वविद्यालय होइत गया जंक्शन तक मेट्रो रेल क सुविधा देबाक योजना तैयार भ रहल अछि। उल्लेखनीय अछि जे रेलवे वर्ष 2014 मे भारत सरकार क नगर विकास मंत्रालय जे मेट्रो आ मोनो रेल कॉरिडोर क नोडल ऐजेंसी अछि, तेकरा कार्रवाई लेल पत्र लिखने छल।