रेल मंत्री करताह उद्घाटन
विनीत ठाकुर
दरभंगा । भारतीय जीवन मे रेल यात्रा क सर्व प्रिय आ महत्वपूर्ण साधन थिक।एहि सुविधा सँ विगत चारि वर्ष से नररटियागंज – रक्सौल क लोक सब पुन: प्राप्त करबा लेल प्रतीक्षारत छलाह। विगत २४ जुलाई केँ एहि रेल खंड पर १२ कोच क ट्रायल स्पेशल ट्रेन केँ११० कि.मी. क गति सँ सफल परिचालन कैल गेल। २०१४ सँ प्रतीक्षारत लोक सबहक मन प्रसन्नता सँ आलोकित भ उठल ।
२४ जुलाई कए ११० कि.मी क गति सँ ट्रेन परिचालन क निरीक्षण कय सीआर एस प्रमोद कुमार अच्चार्य हरी झंडी देखाय कहलनि जे आब एहि रेल खंड पर १०५ कि.मी. क गति सँ ट्रेन परिचालन कयल जायत।
रेल मंत्री श्री पीयूष गोयल पाँच अगस्त केँ मुगलसराय जंक्शन पर एक भव्य कार्यक्रम क बीच नररटियागंज रक्सौल मध्य ट्रेन परिचालन क उद्घाटन रिमोट कंट्रोल द्वारा करता.सर्वप्रथम पसिंजर ट्रेन केँ हरी झंडी देखाय रक्सौल से नररटियागंज विदा कयल जायत। अधिकारीक सूचना अनुसार तीन जोड़ी ट्रेन चलाओल जायत, पहिल दरभंगा- नररटियागंज, दोसर समस्तीपुर – नररटियागंज, तेसर सीतामढ़ी नररटियागंज क बीच गाड़ी सब चलत। पहिने से घोषित दरभंगा- अजमेर एक्सप्रेस कए १५ अगस्त सँ चलबाक संभावना अछि.।
ध्यातव्य अछि जे कामाख्या – कटरा एक्सप्रेस आ दरभंगा- जालंधर सिटी अंत्योदय एक्सप्रेस अपन पूर्ववर्ती मार्ग भाया वेतीया त रूट पर चलत, एकर मार्ग परिवर्तन नहि हेतैक।