• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मोदी-नीतीश कए मित्रता

March 15, 2016
in विचार
A A

विधानसभा चुनाव क बाद पहिल बेर बिहार आयल मोदी; नीतीशक प्रति सकारात्मक रूख अपनौलथि‍ । एक दिस जतय मोदी नीतीश का प्रशंसा केलथि‍ । बिहारक विकास लेल नीतीश कए साधुवाद देलथि‍ । ओतहि नीतीश सेहो मोदीक काजक तारीफ केलथि‍ आ बिहार विकास लेल दुनू कए संग मिलिकए काज करबा लेल कहलथि‍ । दुनू कए एहि भूमिका मे देखि‍ मिडिया भौच्चक अछि आ जनता उत्साहित । दुनू क सकारात्मकता कए एक मंच पर विकसीत बिहार बनैत देखि‍ रहल छथि‍ मिथि‍लाक युवा पत्रकार ‘’रौशन कुमार मैथि‍ल’’  

Raushan Maithilबिहारक  राजधानी पटनामे दिनांक १२ मार्च २०१६ अर्थात रवि कए पटना उच्च न्यायालय द्वारा आयोजित शताब्दी वर्ष समारोह आ दीघा रेल पुल उद्घाटन कार्यक्रम सफलतापूर्वक संपन्न हेबाक संग-संग इतिहासक पन्नामे स्वर्ण अक्षरमे अंकित भए गेल । जतए एक दिस पटना उच्च न्यायालय सफलता पूर्वक सौ वर्ष पूर्ण केलक ओतहि दोसर दिस भारतक सभसँ पैघ दीघा रेल-सड़क पुल राष्ट्रकें समर्पित कएल गेल । प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक उपस्थिति एहि दुनू कार्यक्रममे चारि चान लगेबाक संग-संग एकर महत्ता आर बढ़ा देलक । एहि कारणे ई आयोजन देश भरिक मीडिया मे सेहो छायल रहल आ देश भरिक लोग मे सेहो आकर्षणक केंद्र बनल रहल । ओना त प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक बिहार यात्रा अपने आपमे सदिखन चर्चाक विषय बनल रहैत अछि, मुदा एहि बेरक ई यात्रा कतेको मायनामे प्रधानमंत्रीक पूर्व मे कैल गेल बिहार यात्रा स साफ फराक छल । एहि दुनू कार्यक्रम मे पहिल बेर एहन देखबा मे आएल, जखन दू गोट विकास पुरुष संग-संग चलबा लेल तैयार छथि । एहि दुनू गोटेक बीच एहि दुनू कार्यक्रम मे कोनो तरहक विरोधाभास नहि देखल गेल । संभवत: यैह कारण अछि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक एहि बिहार यात्राक उपरांत राजनीतिक विश्लेषक लोकनि द्वारा एकर फराक-फराक माने निकालल जाए लागल अछि । कियो एकरा मोदी-नीतीशक बीच कम भए रहल तल्खीक रूपमे देख रहल अछि त कियो एकरा मोदीक समक्ष नीतीश कए नतमस्तक हेबाक बात सेहो कए रहल अछि । ओना एतेक त स्पष्ट अछि जे कियो किछु अर्थ लगाबथि, मुदा एहि बेरक जे आपसी सद्भावना आ आदर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी वा बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक-दोसरक प्रति दखेलनि ओ अपने आपमे गजब छल ।

 एहि स पहिने ई दुनू नेता कहियो एतेक गर्मजोशी स एक-दोसरक एहन आपसी सद्भाव नहि देखेने हेताह । संभवत: यैह कारण अछि जे शनि आ रविक राति न्यूज टेलीविजन चैनल सभ नहिये एहि विषय कए अपन डिबेटमे शामिल केलक आ नहिए एहिपर कोनो विशेष कार्यक्रम चलौलक । कारण साफ छल जे एही न्यूज चैनल्र सभकए जे भेटबाक आश छल ओहि तरहक विरोधाभास दुनू नेताक बीच देखबामे नहि आयल । एहि स पूर्व मोदी-नीतीशक छवि एक गोट पैघ विरोधीक रूप मे रहल अछि । कार्यक्रमक संबोधनक क्रम मे पीएम मोदीक जतए नीतीश कुमार धन्यवाद देलनि, ओतहि इहो कहलनि जे केंद्र आ राज्य सरकार मिल कए विकासक गाड़ी कए आगू बढ़ेता । दोसर दिस प्रधानमंत्री सेहो सकारात्मक रुख अपनाबैत नीतीश कुमारक संबोधनक क्रममे किछु भाजपा समर्थक युवा लोकनि द्वारा मोदी जिंदाबाद, मोदी जिंदाबाद नारा लगेबापर अपने ठाढ़ भए हुनका लोकनि कए शांत करबौलनि । एतबे टा नहि ओ अपना संबोधनमे इहो कहलनि जे बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सहयोग स बहुत कम समय मे बिहारक छह हजार गांव धरि बिजली पहुंचाओल गेल अछि । ओ संभावना व्यक्त करैत कहलनि‍ जे भविष्य मे सेहो ओ सीएम नीतीश कुमारक संग मिलि‍कए बिहारक विकास कए पटरी पर दौड़ेता ।

ओना एहि दुनू नेतामे अनायाश आएल ई परिवर्तन कोनो देखेबा मात्र नहि अपितु वास्तविक अछि । हिनका दुनू मे विकास कार्य करबाक लालसा व्याप्त अछि । दुनू क इच्छा छनि जे बेसी स बेसी विकास कार्य करथि । बिहार मे जदयू-भाजपा गठबंधन मे आएल दरारिक बाद भारतीय मीडिया सदैव पीएम मोदी आ बिहारक सीएम नीतीश कुमार कए एक-दोसरक सभसँ पैघ प्रतिद्वंद्वी बना देखेलक, जे आइयो देखाओल जाइत अछि । टीआरपी बढ़ेबाक लालसामे भारतीय मीडिया लोकसभा आ बिहार विधान सभा चुनाव मे एहि दुनू नेताक ऐना ढंग स प्रस्तुत केलक मानू ओ दुनू एक-दोसरक जानी-दूश्मन होथि । ओना हमरा लोकनिक ई नहि बिसरबाक चाही जे संघीय प्रणालीमे प्रधानमंत्री आ कोनो राज्यक मुख्यमंत्री मे कोनो तुलना नहि कएल जा सकैत अछि । दुनू अपना-अपना कैबिनेटक प्रमुख छथि । संगहि दुनू जँ आपसी तालमेल नहि देखेता त राज्य आ देशक विकास असंभव अछि । मीडिया भने अपन कर्तव्यक पालन नहि केलक, मुदा बिहारक जनता अपन फर्ज कए बखूबी निभौलक । ओ जतए लोकसभामे मोदी कए अपन समर्थन देलक त ओतहि विधानसभा चुनाव मे एक बेर फेरो नीतीशपर विश्वास दखेलक । संदेश स्पष्ट छल जे बिहारक जनता एहि दुनू नेताक हाथ कए मजबूत करए चाहैत छल । जाहि स मोदी-नीतीश एकसंग चलि बिहार कए विकासक राहपर लए जा सकथि । संभवत: एही गपकए बुझैत विधानसभा मे पैघ हारि झेलबाक बादो बिहार यात्रापर आएल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सकारात्मक रुख अपनौलनि । जँ भविष्यमे सेहो एहि दुनू नेताक बीच एहन तालमेल बनल रहैत अछि त एहिमे कोनो संदेह नहि जे बिहार बहुत कम समयमे विकासक बाटपर अग्रसर होयत ।

(रौशन कुमार ‘मैथ‍िल’ मिथि‍लाक युवा पत्रकार छथि‍ । फेसबुक पर अपन बेबाक आ स्वतंत्र टिप्पनी लेल मशहुर छथि‍ । अहाँ मिथि‍ला क दैनिक अखबार ‘मिथि‍ला आवाज’ मे सेहो काज कए चुकल छथि‍ । ई लेखक स्वतंत्र विचार अछि । )

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
Tags: modinitishनीतीशमोदी

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - अरून्धति

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - आम्रपाली

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - गार्गी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि