• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जे काज बाहर करैत रही, आब बिहार मे भेटत, रहू आब एहि ठाम : नीतीश

मुख्‍यमंत्री निर्देश देलथि जे क्वारंटाइन केन्द्र मे ठहरल सब गोटे पूर्ण सर्वे कराउल जाये, आ हिनका सब लेल केहन रोजगारक सृजन भ सकैत अछि तेकर रिपोर्ट तैयार कैल जाये।

May 23, 2020
in समाचार
A A

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लगातार दोसर राज्‍य स घुरल मजदूर सब स संवाद क रहल छथि। 20 जिलाक 40टा क्वारंटाइन केन्द्र से एखन धरि ओ वीडियो कान्फ्रेंसिंग क माध्‍यम स इ संवाद केलथि अछि। एहि दौरान ओ केंद्र मे मजदूर लेल कैल गेल व्‍यवस्‍थाक सेहो निरीक्षण करैत छथि।

सीएम क्वारंटाइन केन्द्र मे रहि रहल बाहर स आयल बिहारी क संग संवाद करैत केंद्र में भेट रहल तमाम सुविधा क बारे मे जानकारी लैत छथि। क्वारंटाइन केन्द्र पर शौचालय, पेयजल, रसोई घर, लोकक सुतबाक व्यवस्था आ केन्द्र क साफ-सफाई क सेहो बारीकी स अवलोकन करैत छथि। मुख्‍यमंत्री स सीधा संवाद मजदूर कए एहि अवस्‍था मे रामवाण क काज क रहल अछि। ओ अपन पीडा सीधा मुख्‍यमंत्रीक समक्ष राखि रहल अछि आ मुख्‍यमंत्री सेहो सीधा ओकरा भरोस द रहल छथि। असहाय मजदूर लेल इ भरोस केतबा बल प्रदान करैत अछि इ ओहि मजदूर सबहक चेहरा स पता चलैत अछि। मजदूर सबहक कहब अछि जे तकनीकक उपयोग एहने हेबाक चाही जेहन मुख्‍यमंत्री क रहल छथि।

शनिदिन बाहर स आयल लोक स संवाद करैत मुख्यमंत्री कहला जे अहां सब जखन अपन घर लौट एलहुं त आब एहि ठाम रहूं, बाहर जेबाक कोनो जरुरत नहि छै। सरकार क संकल्प अछि जे अहां सब कए बिहार मे रोजगार उपलब्ध करौल जायत। जहां धरि संभव भ सकत तहां धरि अहां सब कए ओ रोजगार बिहार मे भेटत जे करबा लेल अहां सब बाहर गेल रही। अपन बिहार कए बनेबा मे आब अपन योगदान दी से हमर आग्रह।

मुख्‍यमंत्री निर्देश देलथि जे क्वारंटाइन केन्द्र मे ठहरल सब गोटे पूर्ण सर्वे कराउल जाये, आ हिनका सब लेल केहन रोजगारक सृजन भ सकैत अछि तेकर रिपोर्ट तैयार कैल जाये। सर्वे मे एहि बात क सूची सेहो शामिल हुए जे के कौन ठाम स लौटलथि अछि आ जाहि ठाम गेल छलाह ओहि ठाम कोन तरहक काज करैत छलाह। सरकार एहि रिपोर्ट क आधार पर हिनका सब लेल तत्‍काल ओहन रोजगारक सृजन करबाक प्रयास करत जाहि स इ सब फेर देस से बाहर जेबा लेल मजबूर नहि होइथि।

मुख्यमंत्री कहला जे इ हमर दायित्व अछि जे सब कए रोजगार क अवसर भेटय। जे लौटलाक बाद अपन कोरोबार करबाक इच्‍छुक छी तेकरा सरकार हर संभव मदद करबा लेल तैयार अछि। ओ कहला जे हुनकर इच्‍छा अछि जे आब बिहारक विकास मे सब योगदान दी आ ककरो बाहर जेबाक मजबूरी नहि रहै। आब जखन अहां सब बिहार मे रहब त तय मानू जे एहि ठाम काज क अवसर पैदा कैल जायत। विभिन्न उद्योगक क क्लस्टर क पहचान करबाक प्रयास भ रहल अछि। बदलाव अहां सबहक संग भेटत त जरुर होएत। अहां सब देस छोडि बाहर जा कए काज करैत रही, ओहि ठाम विभिन्‍न तरहक कष्‍ट उठबैत रही। आब लौट कए नहि जाउ, हमर इच्छा अछि आब एहि ठाम रहू, मिल कए एकजुट भ कए अपन बिहार कए विकसित करू। बिहार क विकास मे भागीदार बनू। ककरो कष्‍ट नहि हुए, ककरो सुरक्षा क चिंता नहि रहै तेकर व्‍यवस्‍था हम करब। इ हमर दायित्व छी। अहां आब राज्‍यक विकासक चिंता करू आ हम आब अहां चिंता करैत छी।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

मुख्यमंत्री कहला जे सूक्ष्म आ लघु उद्योग कए बढ़ावा देल जा रहल अछि। अहूं सब जनैत छी जे बिहार मे एकर असीम संभावना अछि। मुजफ्फरपुर क्षेत्र में चमड़ा, जूता उद्योग तथा कपड़ा उद्योग क अपार संभावना देखा रहल अछि। एहि स संबंधित उद्योग कए बढ़ावा देबा लेल अहां सब आगू आउ हम हर संभव मदद लेल तैयार छी। एकर अलावा बाहर स आबि रहल कुशल कारिगर जे बिजली क कार्य में दक्ष छथि हुनका रोजगार उपलब्ध करेबा लेल बिहार राज्य पावर होल्डिंग कम्पनी लिमिटेड कए कहल गेल अछि। ओ एहि दिशा मे जल्‍द कार्रवाई करत। सीएम कहला जे क्वारंटाइन केन्द्र मे अहां सब लेल जे व्‍यवस्‍था भेल अछि ओ अहां सबहक हित लेल अछि। 14 दिन क्वारंटाइन मे रहू फेर खुशी-खुशी अपन घर जाउ।

Tags: Biharnitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
गुजरात स लौटलाह सबस बेसी मजदूर, लौटनिहार मजदूर में चंपारणक लोक सबस बेसी

गुजरात स लौटलाह सबस बेसी मजदूर, लौटनिहार मजदूर में चंपारणक लोक सबस बेसी

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि