तीनो क रूट तय
स्काई ट्रेन – फतूहा, पुनपुन, मसौढ़ी, बिहटा, मनेर, नोबतपुर, दानापुर, खगौल, दनियावां, खुसरूपुर, फुलवारीशरीफ आ संपतचक ।
मेट्रो – सगुना, हाईकोर्ट, पटना जंक्शन, गांधी मैदान, एनआईटी, राजेन्द्र नगर, एनएमसीएच, बस स्टैन्ड ।
मोनो – एम्स, फुलवारी, कंकड़बाघ, एग्जीविशन रोड, म्युजियम, बोरिंग रोड, पाटलिपुत्र, दीघा ।
पटना । पटना क चेहरा आब बदलि जाएत । जों सब किछु ठीक रहत त पटना देशक महानगर संग किछुए दिन मे कदमताल करय लागत । पूर्वी भारत मे कोलकाता क बाद सबसे पैघ व्यवसायिके केन्द्र टा नहि पटना भारत क सबसे तेज गति स बढ़य बला मेट्रोपोलिटन शहर सेहो अछि । शहर मे जनसंख्या क दवाब तेजी स बढ़ि रहल अछि जेकर असर एतौका यातायात पर सेहो देखा रहल अछि । मुदा आब पटना क चेहरा बदलत । एतय आब पीपीपी मोड पर मेट्रो, मोनो आओर स्काई ट्रान चलेबा क तैयारी अछि । नगर विकास विभाग एहि लेल मुख्यमंत्री क प्रस्ताव पठेने अछि । विभागक मनबाक अछि जे पटना क भौगोलिक स्थिति क मोताबिक एतय मेट्रो, मोनो आ स्काई ट्रेन तीनेा क परिचालन संभव अछि ।
नगर विकास मंत्री सम्राट चौधरी बतेलथि कि जाहि चीज क सफर पटनावासी लेल आरामदायक होएत, ओकर रूट मे आरो विस्तार करल जाएत । तीनू क रूट तय भए गेल अछि । स्काई ट्रान ग्रेटर पटना क्षेत्र मे चलत । प्री बीड मीटिंग क बाद इच्छुक कंपनी क मोनो, मेट्रो आ स्काई ट्रान चलेबाक जिम्मेवारी सौंपल जाएत ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
bihar me metro sambhab nai karan anek.