कईटा परियोजना उतरल जमीन पर, कईटा परियोजना एबाक आस

जिलाधिकारी डॉक्टर त्यागराजन एस एम क नेतृत्व मे तमाम महत्वपूर्ण परियोजना लेल जमीन क अधिग्रहण क काज पूरा कैल जा रहल अछि। कईटा परियोजना लेल त जमीन संबंधित विभाग कए हस्तगत सेहो कैल जा चुकल अछि।
जानकारीक अनुसार नालंदा अंतरारष्ट्रीय विश्वविद्यालय कए केंद्र राखि ओकर चारूकात ठेरा, नेकपुर आ पिलखी सन गाम आब कोनो विकसित शहर स कम नहि देखबा मे लागत। एहि गाम मे एक स एक परियोजना कए जमीन पर उतारबा लेल सबका जरुरी काज पूरा कैल जा चुकल अछि। सबस महत्वपूर्ण गप इ जे जमीन अधिग्रहण क कार्रवाई पूरा कैल जा चुकल अछि।
राजगीर के ठेरा गांव के पास 20 एकड़ में फिल्म सिटी के निर्माण लेल जमीन के अधिग्रहण संबंधित सब तरह क कार्यवाही पूरा क लेल गेल अछि। एहि ठाम 90 एकड़ मे अंतरराष्ट्रीय स्पोट्र्स एकेडमी सेहो बनत। इ दूनू पैघ परियोजना कला संस्कृति आ युवा विभाग स संबंधित अछि।
अंतरारष्ट्रीय स्तर क आईटी सिटी सेहो एहि ठाम स्थापित भ रहल अछि जेकरा लेल पहिल फेज मे 30 एकड़ आ द्वितीय फेज मं 63 एकड़ कुल 93 एकड़ जमीन क अधिग्रहण सूचना एवं प्रावैधिकी विभाग लेल कैल जा रहल अछि।
आधारभूत संरचना विकास प्राधिकार एहि ठाम लैंड बैंक क रूप मे 19 एकड़ जमीन उपलब्ध करा रहल अछि, जाहि मे पैघ परियोजना क सहयोगी कंपनी कए जमीन उपलब्ध करेबाक योजना अछि।
भवन निर्माण विभाग राजगीरक नेकपुर मे 22 एकड़ में अन्तरारष्ट्रीयस्तर क कनफ्लिक्ट रिजोल्यूशन सेंटर बना रहल अछि, एकरा लेल विभाग कए जमीन हस्तगत करा देल गेल अछि। इ केंद्र बिहार लेल अद्भुत एवम् जिला क गौरव होएत।
दोसर दिस नालंदा विश्वविद्यालय क एंडोमेंट प्लान लेल 70 एकड़ जमीन शिक्षा विभाग कए उपलब्ध करा देल गेल अछि आ अन्य विभिन्न परियोजना लेल सेहो 20 एकड़ जमीन कए सुरक्षित रखल गेल अछि। एहि क्षेत्र मे 22 एकड़ सड़क लेल आ 5 एकड़ जमीन ड्रेनेज सिस्टम लेल सेहो संबंधित विभाग कए देल जा चुकल अछि।
राजगीर मे प्रस्तावित आयुर्वेदिक रिसर्च सेंटर लेल सेहो जमीन उपलब्ध करा देल गेल अछि।
जिलाधिकारी कहला जे एहि सब परियोजना कए पूरा भेलाक बाद एहि इलाकाक लोक कए आर्थिक स्थिति सेहो समृद्ध होएत। एकरा स नहि केवल राजगीर क स्वरूप बदलत बल्कि बिहार क विकास मे सेहो एहि इलाकाक अहम योगदान रहत।