• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नहि रहलाह मधुबनीक “राजकुमार”

July 16, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
मधुबनी।  पूर्व मंत्री राजकुमार महासेठ (८७वर्ष) क शनि दिन निधन सँ मधुबनी शोकाकुल भय गेल। दूपहर करीब एक बजे बैचेनी क शिकायत पर हुनका मंगरौनी अवस्थित हार्ट अस्पताल पहुँचाओल गेल जतय डाक्टर हुनका मृत घोषित कयलन्हि।ई समाचार सुनितहिंँ शहरवासी शोकाकुल भय हुनक आवास परिसर दिश दौड़लाह । हुनक ज्येष्ठ पुत्र मधुबनी विधानसभा क्षेत्रक वर्तमान विधायक श्री समीर कुमार महासेठ क निर्णयानुसार हुनक अन्त्येष्ट मधुबनी- पंडौल मुख्य मार्ग क समीप अवस्थित हुनक निजी वाग मे आई रवि दिन सम्पन्न भेल।
हुनक निधन पर भाजपा सांसद हुकुमदेव नारायण यादव, सांसद वीरेंद्र चौधरी, राजद विधायक डॉ फैयाज अहमद, विधान पार्षद, रामलखन राम रमण, जदयू क राष्ट्रीय महासचिव संजय कुमार झा, पूर्व मंत्री देवेंद्र यादव, पूर्व विधायक रामनरेश पांडे, पूर्व एमएलसी विनोद सिंह, समाजसेवी हितेंद्र नारायण ठाकुर, जदयू के मुन्ना चौधरी, जदयू सेवादल क प्र्रदेश महासचिव प्रफुल्ल कुमार ठाकुर, युवा जदयू क राष्ट्रीय सचिव रंजीत कुमार झा संवेदना व्यक्त करैत हुनका महान समाजसेवी आ मजदूर किसान क हितैषी नेता जनौलनि।   दिवंगत नेता क प्रति भाजपा जिला अध्यक्ष घनश्याम ठाकुर, देवेंद्र कुमार यादव, शंकर झा, सुनील कुमार मिश्र, डाक्टर पी के झा, नवीन जायसवाल, शशिनाथ चौधरी, सीपीआई मिथिलेश कुमार झा, श्रवण पूर्वे,राजश्री किरण, प्रह्लाद पूर्वे,प्रणव पंजियार, राजेश मिश्रा, पूर्व विधायक रामकुमार यादव,आंन्द मोहन,नंद कुमार मंडल, फूलहसन अंसारी, इत्यादि अपन संवेदना व्यक्त कयलनि।
मुख्यमंत्री श्री नीतीश कुमार पूर्व मंत्री राजकुमार महासेठ क निधन पर संवेदना व्यक्त करैत हुनका प्रख्यात राजनेता आ समाजसेवी जनौलन्हि आ कहलनि जे ओ मिथिलांचल के विकास हेतु सतत प्रयत्नशील छलाह,हुनकर निधन सँ सामाजिक राजनीतिक क्षेत्र मे अपूर्णीय क्षति भेल अछि। मुख्यमंत्री तथा उपमुख्यमंत्री श्री सुशील कुमार मोदी फोन पर विधायक श्री समीर कुमार महासेठ केँ सान्त्वना देलैन। पूर्व मंत्री अपन परिवार मे दू पुत्र-रत्न विधायक श्री समीर कुमार महासेठ आ ई. संजीव कुमार महासेठ,बड़की पुत्री प्रो. श्रीमती कविता नायक, दोसर पुत्री कल्पना कुमारी,तेसर कल्याणी कुमारी आ कीर्ति कुमारी केँ छोडि दिवंगत भेलाह।
पूर्व मंत्री राजकुमार महासेठ क परिवार पारंपरिक रूपेँ प्रतिष्ठित व्यवसायिक पृष्ठभूमिक अछि।हिनक पिता स्व. राम अवतार महासेठ मधुबनी क प्रतिष्ठित व्यवसाई आ मधुबनी नगरपालिका क चेयरमैन छलाह।हिनक प्रारंभिक शिक्षा गोकुल मथुरा सूड़ी स्कूल संँ मैट्रिक, आरके कालेज सँ१९५० ई. मे इंटर आ वाणिज्य क स्नातकोत्तर शिक्षा हिन्दू विश्वविद्यालय वाराणसी से तदनन्तर दरभंगा से कानून क शिक्षा प्राप्त कय मधुबनी वार एसोसियेशन मे वकालत शुरू कयलनि आ शीघ्रे इनकम टैक्स आ सेल्स टैक्स क प्रतिष्ठित वकील मे हिनक गनती होबय लागल। हिनक राजनीतिक जीवन  बीएचयू से एक छात्र नेता क रूपेँ शुरू भेल।१९६६ सँ१९७८ तक ओ एम एल सी आ१९६३ से१९७७ धरि नगरपालिका क चेयरमैन पद पर रहलाह। १९८०मे ओ लोकदल क टिकट पर चुनाव लड़ि विधायक बनलाह। १९९० मे ओ निर्दलीय प्रत्याशी क रूपेँ जीत हासिल कयलनि आ उद्धव सिंचाई क अध्यक्ष बनलाह। १९९५ मे राजदक टिकट पर चुनाव जीत पशु पालन मंत्री बनलाह।
सर्व. महासेठ दरभंगा-राजकुमार स्व जीवेश्र्वर सिंह के सहपाठी छलाह आ इप्टा क मधुबनी चैप्टरक मुख्य संरक्षक छलाह। २७ मार्च २०१८ केँ इसमाद द्वारा लगाओल गेल २०० वर्षक फ़ोटो प्रदर्शनी मे अपन बहुतो पुरान घटना सबहक चर्चा कयलनि। दिवंगत पूर्व मंत्री के अंतिम संस्कार हुनक आवास सँ प्रारंभ भय हिनक महिंद्रा एजेंसी क समीप हिनक पुश्तैनी कलमवाग मे भेल। मुखाग्नि हिनक ज्येष्ठ पुत्र श्री समीर कुमार महासेठ देलखिन।एहि महायात्रा मे शहर आ हिनक चुनाव क्षेत्रसँ सब वर्गक लोक , पदाधिकारी, व्यापारी, संबंधी, जनप्रतिनिधि, राजनेता सम्मिलित भेलाह। राज्यकीय सम्मानक संग हिनका अंतिम विदाई देल गेल।
Tags: madhubaniMahasethRajkumar HamsethSamir mahaseth

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

काष्ठ कला क अद्भुत नमूना अछि बिहार क नेपाली मंदिर,

मृत्‍युभोज : कतेक आ कोना ?

जिला स्तरीय खेल प्रतियोगिताक आयोजन अगस्त मे

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि