पटना, भारतीय प्रशासनिक सेवाक 1987 बैचक अधिकारी रहल आरके महाजनके सेवानिवृतिक संगहि नव जिम्मेदारी देल गेल अछि। हुनका बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) केर नव अध्यक्ष बनाओल गेल अछि। सामान्य प्रशासन विभाग एकर अधिसूचना जारी क’ देलक। आरके महाजन शिक्षा विभागमे अपर मुख्य सचिवक पद पर तैनात छलाह। सोमदिन ओ सेवानिवृति भेलाह अछि।
सामान्य प्रशासन विभाग द्वारा जारी अधिसूचनाक मोताबिक हुनका 1 सितम्बर 2020 केर प्रभाव स’ आयोगक अध्यक्ष बनाओल गेल अछि। किछु दिन पहिनहि बीपीएससीक सदस्यक नियुक्ति कयल गेल छल। 1987 बैचक भारतीय प्रशासनिक सेवाक अधिकारी आ हिमाचल प्रदेशक मूल निवासी आरके महाजन 31 अगस्तके अपन 33 सालक सुदीर्घ आ यादगार सेवाक बाद सेवानिवृत्त होयताह। शिक्षा मंत्री कृष्णनंदन प्रसाद वर्माक उपस्तिथिमे आरके महाजनक लेल अधिकारी लोकनि दिस स’ समारोह आयोजित कयल गेल।
विभिन्न निदेशालयक अधिकारी अलग-अलग आबि हुनका अगिला पारी लेल शुभकामना देलनि। विभागक प्रवक्ता अमित कुमार बतओलनि जे कोरोना संकटक कारणे सोशल डिस्टेंसिंगक पालन करैत विभिन्न समूहमे विदाइ समारोहक आयोजन कयल गेल। जे-से आरके महाजनक बाद शिक्षा विभागक जिम्मा किनका भेटत, एकरा ल’ शनिएदिन स’ चर्चाक बाजार गर्म अछि। संभावना अछि जे कोनो प्रधान सचिव स्तरक अफसरके इ दायित्व सरकार द्वारा सौपाल जाय।