पटना : जेइइ मेन-2020 मंगलदिन स’ शुरू भ’ रहल अछि. परीक्षा एक स’ छह सितंबर धरि दू शिफ्टमे आयोजित कयल जायत. भिनसर 9:30 स’ बेरियां 12:30 बजे धरि आ 2:30 स’ सांझ 5:30 बजे धरि परीक्षा होयत. छात्रके एक घंटा पहिने परीक्षा केंद्र पर प्रवेश करय पड़त. परीक्षा शुरू होयबाक आधा घंटा पहिनहि प्रवेशद्वार बंद क’ देल जायत. पूरा देश स’ 8.58 लाख विद्यार्थी शामिल होयत.
ओतहि, एनटीएक अनुसार बिहारमे 43 सेंटर पर इ परीक्षा होयत. एहिमे पटनाक 20, मुजफ्फरपुरक छह, दरभंगाक पांच, भागलपुर एवं गयाक चारि-चारिटा आ पूर्णिया एवं आराक दू-दू गोट सेंटर शामिल अछि. एहि परीक्षा केंद्र पर 61,583 परीक्षार्थी देताह. हुनका एडमिट कार्डक संग एगो फोटो आ परिचयपत्र ओरिजनल ल’ जायब अनिवार्य कयल गेल अछि.
मंगलदिन पहिल दिन बी आर्क आ बी प्लानमे एडमिशन लेबयवला छात्रक परीक्षा होयत. दुनू शिफ्टके मिला क’ पटनामे 1607, बेगूसरायमे 224, दरभंगामे 211, गयामे 202, पूर्णियामे 141, आरामे 46, मुजफ्फरपुरमे 326 परीक्षार्थी पहिल दिन शामिल होयताह. एकरा बाद दू स’ छह सितंबर धरि बीटेक आ बीईमे नामांकन लेबयवला स्टूडेंट्स परीक्षामे शामिल होयताह. एहिमे बेगूसरायमे प्रतिदिन 788, दरभंगामे 778, गयामे 808, मुजफ्फरपुरमे 1536, पूर्णियामे 534, आरामे 315 आ पटनामे प्रतिदिन 3518 परीक्षार्थी शामिल होयताह.
परीक्षा समाप्त होयबाक बाद 10 सितंबरके रिजल्ट जारी क’ देल जायत. जेइइ मेनक लेल नेशनल टेस्टिंग एजेंसी (एनटीए) गाइडलाइन जारी कयलक अछि. कोरोना स’ सुरक्षाके देखैत कतेको बात परीक्षार्थी ध्यानमे राखय पड़त. जेइइ मेनमे प्रति सेंटर परीक्षार्थीक संख्या घटा क’ 120 क’ देल गेल अछि.
एनटीएक अध्यक्ष विनीत जोशी कहलनि अछि जे भीड़ नहि जुटय, एकरा लेल परीक्षार्थीके अलग-अलग रिपोर्टिंग टाइम देल गेल अछि. जेना ज’ एक सेंटर पर 150 अभ्यर्थी अछि, त’ हुनका अलग-अलग ग्रुपमे बांटल गेल अछि. ग्रुपक रिपोर्टिंग टाइममे 30 स’ 40 मिनटक अंतर अछि. रिपोर्टिंग टाइम अभ्यर्थीक एडमिट कार्डमे देल गेल अछि.