पटना : बिहारक जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा सोमदिन नव दिल्लीमे विदेश मंत्री एस जयशंकर स’ भेट क’ राज्यक बाढ़ि संबंधी चिंता स’ विस्तार स’ अवगत करओलनि. ओ उत्तर बिहारमे बाढ़िक दीर्घकालिक समाधानक लेल माननीय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा लगातार उठाओल जा रहल मुद्दा दिस विदेश मंत्रीक ध्यान आकृष्ट कयलनि आ नेपाल स’ आबयवला प्रमुख नदी पर नेपाल भू-भागमे हाईडैम बनयबाक दशक भरि स’ लंबित प्रस्ताव पर ठोस डेग उठयबाक आधिकारिक अनुरोध सेहो कयलनि. भेट काल विदेश मंत्री बिहारक मांग पर नव तरहे गौर करबाक भरोस देलनि.
संजय कुमार झा विदेश मंत्रीके बतओलनि जे भौगोलिक स्थितिक कारण बिहारक 28 टा जिलाके बाढ़ि स’ तबाही झेलय पड़ैत अछि. एहि बाढ़िक कारण एहन नदी अछि, जकर उद्गम स्थल आ बेसी जलग्रहण क्षेत्र नेपालमे स्थित अछि. सभ साल बाढ़ि स’ बचावक उपाय, आपदा प्रबंधन, राहत एवं पुनर्वासक काजमे बिहार सरकारक हजारो करोड़ टाका खर्च भ’ जा रहल अछि, जाहि स’ राज्यक विकासके गति भेटि सकैत छल.
झा बिहारक बाढ़िक दीर्घकालिक समाधान ताकबाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अनुरोधके दोहरबैत कहलनि जे नेपाल स’ आबयवला कोसी, कमला आ बागमती नदी पर नेपाल भू-भागमे हाई डैमक निर्माणक प्रस्ताव लंबित अछि. हाई डैमक निर्माणक आवश्यकता पर भारत आ नेपाल सरकार बहुत समय स’ सहमत अछि आ कतेको बेर 2004 स’ स्थापित संयुक्त कार्य समितिक बैसक सेहो भ’ चुकल अछि, मुदा कोनो संतोषजनक प्रगति नहि भ’ सकल अछि.
बाढ़िक स्थिति पर हालमे प्रधानमंत्री संग वीडियो कॉन्फ्रेन्सिंगक काल सेहो मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नेपालमे हाई डैम निर्माणक आवश्यकता, सीमा क्षेत्रमे बाढ़ि सुरक्षात्मक काजमे नेपालक असहयोगात्मक रवैया आ फरक्का बराजक नीक स’ संचालन सहित कतेको मुद्दा उठौने छलाह. झा अनुरोध कयलनि जे विदेश मंत्रालयके एहि मामिलामे ठोस पहल शुरू करब बेसी आवश्यक भ’ गेल अछि.
भेटक दौरान विदेश मंत्री एस जयशंकर नेपाल स’ संबद्ध बिहारमे बाढ़िक सभ मुद्दाके गंभीरता स’ सुनलनि ओहि पर नव तरीका स’ सकारात्मक पहल करब तथा जरूरी डेग उठेबाक भरोस देलनि. संजय कुमार झा विदेश मंत्रीके बतओलनि जे जल संसाधन विभाग, बिहार द्वारा एहि साल कोसी, गंडक आ कमला नदीक नेपाल भू-भागमे बाढ़ि संघर्षात्मक एवं कटाव निरोधक काजक 28 योजना प्रस्तावित छल, मुदा लॉकडाउन आ नेपालक असहयोगात्मक रुखक कारण एहि योजना पर काज बहुत विलंब स’ शुरू भ’ सकल.
संजय कुमार झा बिहारक एहि मांग के सेहो दोहरओलनि जे संयुक्त प्रोजेक्ट ऑफिस, विराटनगरमे भारत आ नेपाल सरकारक संग-संग बिहार सरकारक अधिकारीके सेहो प्रतिनिधित्व भेटबाक चाही. ओ सीमा क्षेत्रमे बाढ़ि संघर्षात्मक कार्य करायब संबंधी नीतिके आवश्यक संशोधनक माध्यम स आओर बेसी व्यावहारिक बनयबाक अनुरोध सेहो विदेश मंत्री स’ कयलनि.
झा विदेश मंत्रीके बतओलनि जे भारत-नेपाल सीमा पर लालबकैया नदीक दहिना बान्हके सुदृढ़ करबाक काजमे सेहो नेपाल द्वारा बाधा उत्पन्न कयल गेल, जखनकि इ काज बिहार सरकारक जल संसाधन विभाग द्वारा कराओल जाएत रहल अछि. एहि तरहे कमला वीयरक दाहिना बान्ह पर बाढ़ि संघर्षात्मक काजके सेहो बाधित कयल गेल.