• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home देश-दुनिया

२०१७ क नेपाली विद्यापति मैथिली पुरस्कार रोशन जनकपुरी कए

November 8, 2017
in देश-दुनिया, समाचार
A A
14
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

राजविराज । नेपाल सरकार दिस स स्थापना कैल गेल नेपाल विद्यापति पुरस्कार कोष एहि वर्षक लेल विभिन्न बिधाक मैथिली पुरस्कार पाँच गोटे साहित्यकार कए प्रदान करबाक घोषणा केलक अछि ।

नेपाली दू लाख रुपैया नगद राशि सहित नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा–साहित्य पुरस्कार धनुषा जिलाक रोशन जनकपुरी (अरविन्दकुमार लाल) कए प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल अछि । एहिसँ पहिने नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा साहित्य पुरस्कार डा राजेन्द्र विमल, रामभरोस कापडि भ्रमर, डा रेवती रमण लाल, रामानन्द युवा क्लब, मिथिला नाट्यकला परिषद कए प्राप्त भेल अछि ।

एहि तरहें रु १ लाख राशिक एहि वर्षक नेपाल मैथिली अनुवाद पुरस्कार मैथिली साहित्य परिषद राजविराजक पूर्व अध्यक्ष रहि चुकल सप्तरी नेपालक साबिक बरही बिरपुर वार्ड नम्वर ६ (सम्प्रति छिन्नमस्ता गाउँपालिका १ ) निवासी देवेन्द्र मिश्र कए प्रदान करबाक निर्णय कोष कएलक अछि । संस्कृत भाषामे लिखल श्रीमद्भगवद्गीताक मैथिली पद्यानुवादक लेल उक्त पुरस्कार हिनका प्रदान कएल जाएत । बगियाक गाछ नामक बाल कथा संग्रह, मैथिली सामान्य ज्ञान, मैथिली मनोहर पोथी, श्रीमद्भगवद्गीता मैथिली पद्यानुवाद आदि कैकटा पुस्तक ओ लिखि चुकल छथि । एहिसँ पहिने ई पुरस्कार डा रामदयाल राकेश,पं सूर्यकान्त झा,डा गङ्गा प्रसाद अकेला, धीरेन्द्र प्रेमर्षि, मुरलीधरके भेटल अछि ।

१ लाखक नेपाली रूपया नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपि पुरस्कार सिरहा जिलाक हिमांशु चौधरीके हुनक मैथिली कथा संग्रहक पाण्डुलिपि अनर्थक लेल देबाक घोषणा भेल अछि । एहिसँ पहिने ई पुरस्कार प्रा परमेश्वर कापडि,रामनारायण सुधाकर,काशीनाथ झा,चन्द्रशेखर लाल शेखर,अवधेश पोखरेल आ हिमांशु चौधरीके प्राप्त भेल अछि ।

एक लाख नेपाली राशिक नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसन्धान पुरस्कार सर्लाही जिलाक ( काठमाडौँ निवासी) सहप्राध्यापक देवनारायण यादवकें देबाक निर्णय भेल अछि । एहिसँ पहिने ई पुरस्कार डा रामावतार यादव,डा योगेन्द्र प्रसाद यादव,डा सुनिल कुमार झा,डा बासुदेव लाल दास,डा विरेन्द्र पाण्डेके देल गेल छल ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

तहिना नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार धनुषा जिलाक सहप्राध्यापक रामसागर पण्डितकें हुनक मूर्तिकलाक लेल देल गेल अछि । एहिसँ पहिने ई पुरस्कार रञ्जू झा,महेन्द्र मलङ्गिया,रामशोभित राय,चित्रकार श्यामसुन्दर यादव,नवीन कुमार मिश्रके देल गेल छल । एहू पुरस्कारक राशि ने रु एक लाख अछि ।

प्राध्यापक डाक्टर विजय दत्तक अध्यक्षतामे रहल सञ्चालक परिषदद्वारा गठित प्राध्यापक आशा सिन्हाक संयोजकत्वमे उप प्राध्यापक रुपेश कुमार सिंह आ श्यामा कुमारी महतो सम्मिलित चयन समितिद्वारा १ नवम्बर २०१७ कें ई निर्णय कएल गेल आ कोषक विधान अनुसार विद्यापति स्मृति पर्वक दिन १ नवम्बरक दिन एकर घोषणा कएल गेल । २०११ ईश्वीमे नेपाल सरकारद्वारा नेपाली रुपैया १ करोडक अक्षय कोष राखि व्याजसँ प्रत्येक वर्ष एकटा दू लाख आ चारिटा एक एक लाख राशिक पुरस्कार पाँच टा अलग अलग विधामे देल जाइत अछि । ज्ञातब्य जे किछु अपरिहार्य कारणसँ २०१५ ई क लेल ई पुरस्कारसभ किनको नइँ देल गेल छल ।

Tags: Dhirendra PremarshiRoshan Janakpuri
Share14TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

बिहार मे भारत क पहि‍ल बाल समाचार सेवा शुरू

भव्य आ विशाल होएत महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालयक नव भवन

मिथिलाक चीनीसं मुंह मिठेता लोक, फेरसं खोलल जायत रैयाम चीनी मिल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि