• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

सवाल उठैत अछि जे हम सब की विकल्प निकाली जाहि स अपन जीवन बचि सकए, सांस रुकबा स रुकि सकए। दरभंगा प्रमंडलक पंडौल प्रखंडक सरिसब गाम मे लोक सब एकटा विकल्प तैयार केलथि अछि. एहि गाम मे निजी सहयोग स नहि केवल सरकार लेल बल्कि दोसर गाम लेल सेहो एकटा उदाहरण पेश केल गेल अछि.

June 3, 2021
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दरभंगा : कोरोना महामारी स लड़बा लेल सरकार अपन दिस स कोशिश क रहल अछि, मुदा सरकारक प्रयास नकाफी अछि. खास क बिहारक गाम मे त स्वास्थ्य सेवा लगभग खत्म जेकां अछि. एहन मे सवाल उठैत अछि जे हम सब की विकल्प निकाली जाहि स अपन जीवन बचि सकए, सांस रुकबा स रुकि सकए। दरभंगा प्रमंडलक पंडौल प्रखंडक सरिसब गाम मे लोक सब एकटा विकल्प तैयार केलथि अछि. एहि गाम मे निजी सहयोग स नहि केवल सरकार लेल बल्कि दोसर गाम लेल सेहो एकटा उदाहरण पेश केल गेल अछि.

दरभंगा प्रमंडलक पंडौल प्रखंड क सरिसब गांव मे आजादी स पहिने प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र बनल, मुदा 80क दशक अबैत अबैत पुरान सरकारी अस्पताल बंद क देल गेल आ भवन सेहो खंडहर बना देल गेल. गामक लोकक हो हल्ला पर आखिरकार पिछला दशक मे भवनक जीर्णोद्धार भेल. नव-नव डाक्टर सेहो पदस्थापित भेलाह. नव – नव कुर्सी आ टेबुल आयल, मुदा दुर्भाग्य स एहि कोरोना वायरस संक्रमण काल मे सेहो भवन क मुख्य द्वार नहि खुलल. केबार बंद आ ताला लटकल रहल. एहि अस्पतालक हालात स अहां पूरा बिहारक चिकित्सा व्यवस्थाक अंदाजा लगा सकैत छी.

स्थानीय युवा आ प्रवासी ग्रामीण सब मिली कए एहि गाम मे लगभग बंद भ चुकल प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र कए फेर स जीवित करबा मे लागल छथि. स्वास्थ्य केंद्र मे लटकल ताला त नहि खुलल, मुदा आपसी सहयोग स गामक “बाढ़ राहत भवन” मे कोविड संक्रमित मरीजक प्राथमिक इलाज लेल “आत्मनिर्भर केंद” तैयार क देल गेल. एहि नेक कार्य कए बुद्धिजीवि सब ‘गांव जागे तो देश जागे’ क अप्रतिम मिशाल बता रहल छथि.

जानकारीक अनुसार गामक युवा सब कोरोना स लड़बा लेल एकटा ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’ बनेबाक फैसला केलाह. गामक मुखियाक समर्थन युवा सब कए उत्साहित केलक. संगहि एहि फैसलाक गूंज गामक प्रवासी लोक तक सेहो पहुंचल. दिल्ली मे रहनिहार वरीय पत्रकार मदन झा गामक युवा आ प्रवासीक बीच सेतु क काज केलिथ आ देखैत देखैत कोरोना संक्रमितक इलाज़ लेल एहि गाम मे उत्तम व्यवस्था भ गेल. ग्राम पंचायत क “बाढ़ राहत भवन” मे कोविड सुरक्षा सह तत्काल प्राथमिक सहायता केंद विकसित कैल गेल. समाज क प्रबुद्ध लोक क उपस्थिति मे एहि केंद्रक विधिवत लोकार्पण भेल. स्थानीय अयाची युवा संगठन कोविड काल मे ग्रामीण कए फ़र्स्ट ऐड सलाह संग अन्य सेवा उपलब्ध करेबा लेल एहि केंद्रक संचालन मे जुटल अछि.

संगठनक कर्ताधर्ता विक्की मंडलक अनुसार गामक प्रवासीक सहयोग स इ सब भ सकल. एहि गाम मूल निवासी आ दिल्ली मे रहनिहार मैनेजमेंट एक्सपर्ट एएन झा आ पटना मे रहनिहार एजुकेशन स्पेशलिस्ट कमल नाथ झा और दिल्ली के पत्रकार मदन झा सब प्रारम्भिक समय स अमूल्य भागीदारी प्रदान केलिथ. हिनक सबहक प्रयास स गामक आर प्रवासी जेना संजय झा, जे मुंबई मे कार्यरत छथि, मधुबनी स्थित पत्रकार उदय कुमार झा स सम्पर्क केलथि आ यथा सम्भव मदद केलथि. उजान गामक संजय सेहो अपन आई.आई.टी. क मित्र सबहक सहयोग स मेडिकल इक्विप्मेंट क इंतज़ाम क देलथि. मुंबई स्थित संस्था “डॉक्टरस फ़ोर यू” क संग संग आई.आई.टी. खरगपुर और INSEAD business school क पूर्ववर्ती छात्र सब सेहो 4 ऑक्सीजन कॉन्सेन्ट्रेटर ऑक्सीमीटर, पीपीई किट उपलब्ध करा देलथि अछि.

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

एखन एहि केंद्र मे गामक जरुरत क हिसाब स पर्याप्त संसाधन भ चुकल अछि. एहि केंद्र में चार ऑक्सीजन सिलिंडर, कोरोना संक्रमण मे उपयोगी दवाइयाँ, औक्सीमीटर, थर्मल थर्मामीटर, सैनिटाइजर, मास्क, पीपीई किट आदि अछि जे ग्रामीण क आर्थिक सहयोग स आयल अछि. एहि मे सरकार या बाहरी कोनो संस्थाक योगदान नहि अछि.

एहि केंद्रक संयोजक आ गामक मुखिया रामबहादुर चौधरी कहला जे सरिसब पाही शिक्षा आ आर्थिक दृष्टिकोण स सबदिन सबल रहल. ओना पिछला दू दशक स स्वास्थ्य विभाग क कथित अकर्मण्यता क कारण पंचायत क करीब 100 साल पुरान एपीएचसी बंद अछि. इलाज लेल लोक कए 20 किमी मधुबनी मुख्यालय जेबाक मजबूरी अछि. खासकर कोविड संक्रमण क समय मे एहि इलाकक 10 गाम हाटी, बिठ्ठो रामपुर, इसहपुर, कल्याणपुर, लालगंज, लोहना, पाही, भट्टपूरा, कोइलखाहा मे कोनो चिकित्सा सुविधा नहि अछि. एहि कारण ग्रामीण संग विमर्श क कोविड संक्रमित क फ़र्स्ट एड लेल इ छोट सन प्रयत्न कैल गेल अछि.

किया जरुरत पड़ल ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’ क

आब सवाल उठैत अछि जे आखिर एहन ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’ क जरुरत किया भेल? एहि प्रश्न क जबाव इलाके मे स्वास्थ्य सुविधा का घोर अभाव अछि. सरिसब मे एक छोटा सा सरकारी अस्पताल अछि. किछु दिन तक इ खस्ता हाल मे छल, एखन बंद अछि. कोनो डॉक्टर एहि ठाम पदस्थापित नहि छल. ग्रामीण क दवाब आ बहुत ज्यादा भागदौर करलाक बाद एहि ठाम एकटा डॉक्टर क पदस्थापन भेल, मुदा कोरोना काल मे सेहो ओ हुनकर प्रतिनियुक्ति जिला मुख्यालय क कोविड केयर सेंटर पर क देल गेल अछि. नतीजा क़रीब 10 किलोमीटर क आसपास मे कोनो सरकारी अस्पताल बा डॉक्टर नहि अछि. क्षेत्र क जनता क इ नियति बिन चुकल अछि.
आस पास क गाँव हाटी, बिठ्ठो, इसहपुर, रामनगर, संकोर्थु, लोहना, पाही, लालगंज, भट्टपुरा, गंगौली, कोइलखाहा आदिक लोक लेल स्वास्थ्य सुविधा क अभाव अछि. लोक कए इलाज लेल या त मधुबनी मुख्यालय या झंझारपुर, सकरी विकल्प अछि. अंत मे त दरभंगा जायब मजबूरी अछिये. कोरोना क समय मे एतबा दूर जायब गरीब लोक लेल की अमीर लेल सेहो मुश्किल अछि. एहन मे आसपास क सबटा सरकारी सेंटर पर डॉक्टर क अभाव क्षेत्र क जनता कए मजबूर क देलक जे ओ अपना स्तर पर आत्मनिर्भर होइथि. आपात स्थिति स निपटबा लेल आखिर लोक कतए जायत. एहन मे इ केंद्र लोक लेल जीवन दायनी सिद्ध होएत.

Tags: darbhangamadhubanimithilaSarisab villageSelf-reliant center
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल 'Price War', Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि