तीन दिवसीय आयोजन में आठ भाषा आ पांच देशक सिनेमाक होएत प्रदर्शन
सावित्री कुमारी
दरभंगा । चारिम दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल क उदघाटन 27 जनवरी कए वित्तंत्री अब्दुलबारी सिद्दीकी करताह। दरभंगा क कामेश्वर नगर स्थित नरगौना पैलेसक सिल्वर जुबली हॉल मे उदघाटन सत्र क आयोजन कैल गेल अछि, जाहि में दरभंगा क तमाम विधायक, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपतिक संगहि सिनेमा जगत क कईटा कलाकार उपस्थित रहताह। एहि साल क आयोजन एहि लेल सेहो खास अछि जे पहिल बेर तीन ठाम सिनेमा देखेबाक व्यवस्था कैल गेल अछि। नरगौना पैलेसक सिल्वर जुबली हॉलक अलावा नरगौना क पैलेस लॉन आ चौरंगी पर सेहो स्क्रीन लगाउल जा रहल अछि। नरगौना क पैलेस लॉन मे करीब 55 साल बाद कोनो समारोहक आयोजन भ रहल अछि, जाहि लेल लोकक जिज्ञासा देखल जा रहल अछि। एहि ठाम किछु एतिहासिक फिल्म सेहो देखाउल जायत।
कार्यक्रम संबंध में संस्थान क प्रमुख मिराज सिद्दीकी कहला अछि जे दरभंगा फिल्म क्लब पिछला तीन साल स इ आयोजन क रहल अछि। तीन दिवसीय एहि चारिम आयोजन में छह देश क कुल आठ भाषाक सिनेमा देखाउल जायत। चारिम दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल क शुरुआत आंचल मिश्राक मैैथिली फिल्म कफन स होएत। मैथिली क अलावा एहि में भोजपुरी, बांग्ला, तमिल, तेलगू, मलियालम, मराठी आ हिंदी जइसन भारतीय भाषाक सिनेमाक स्क्रीनिंग होएत। एहि फिल्म फेस्टिवल में स्पेन, बुलगारिया, बांग्लादेश थाईलैंड आ ब्रिटेनक फिल्म लोक कए देखबा लेल भेटत।