सुनील कुमार झा
रविदिन पूर्णिया क श्रीनगर प्रखंड क छोट स गाम चनका मे, जखन देश विदेश स आयल आभासी दुनिया क सितारा अपन चमक बिखेर रहल छलाह तखन नैनपन मे हीरो-होंडा क एकटा विज्ञापन स्मरण करबा लेल बाध्य छलहुं, जाहि मे कहल गेल छल- जे बाट गाम स शहर दिस जाइत अछि, ओ बाट शहर स गाम दिस सेहो अबैत अछि। स्थानीय किसान आओर सोशल मी़डिया मे सक्रिय गिरीन्द्र नाथ झा आओर श्रीनगर डयोढी क चिन्मयानंद सिंह एहने बाट कए आइ कोलकाता आ दिल्ली स गाम दिस अनबाक प्रयास क रहल छथि। हिनक प्रयास स सोशल मीडिया मीट क आयोजन एकटा एहन गाम मे भेल जाहि ठाम पहुंचबा लेल एखनो ढंग क सडक नहि अछि, मुदा आभासी दुनिया स संपर्क लेल इंटरनेट उपलब्ध अछि। इ आयोजन नैनपन क भतकुरिया भोज क स्मरण करा देलक। तरह-तरह कए लोग एहि मे जुटलाह। कियो वामपंथी छलाह, त कियो उत्तर आधुनिक विमर्शकार। कियो आरएसएस क प्रचारक छलाह त कियो पत्रकार। सोच आ भाषा मे सब अपना मे अलग अलग, मुदा सब कए जोडि रहल छल एकटा अदृश्य तरंग जेकरा स्पेंट्रम कहल जाइत अछि। लगभग पूरा दिन क एहि बैसार में मुख्य रूप स सोशल मिडिया क लोकतंत्र पर चर्च भेल आ ओ देखबा लेल सेहो भेटल। किछु पुरान आ गंभीर सदस्य एकर पैरवी केलथि जे फालतू टाइप क पोस्ट पर सामूहिक प्रतिबंध लगाउल जाये, मुदा इ प्रस्ताव बाकी सदस्य कए नीक नहि लागल आ प्रस्ताव चर्च क बिना खारिज क देल गेल। मीडिया मीट मे जे तार्किक निष्कर्ष निकलल ओ इ छल जे अभिव्यक्ति क आजादी क समर्थक आब बेसी छथि जखन कि विरोध करनिहारक संख्या कम भेल जा रहल अछि। सोशल मिडिया क दुनिया एकटा समुद्र अछि आ आहि मे सब कए अपन अपन नदी कए विसर्जित करबा लेल विनम्रता स अनुमति देबाक चाही।
फेसबुक, ट्विटर आओर ब्लॉग जेहन सोशल मीडिया स जुडल लोक जखन शहर स कोसी क कछैर क रुख करैत छथि त खिस्से बदलि जाएत अछि। अमर कथाकार फणीश्वर नाथ रेणु क धरती पर सोशल मीडिया क दिग्गज जखन इकट्ठा भेलाह त माहौल आंचलिक ग्लोबलाइजेशन क भ गेल। बैसा मे गामक विकास पर कईटा सुझाव आयल आ ओहि पर चर्च भेल। सभ एक सुर मे गाम क विकास मे इंटरनेट आ सोशल मीडिया क योगदान कए महत्वपूर्ण मानलथि। एकर अलावा ग्रामीण भारत, डिजिटाइलेजशन आओर सोशल मीडिया से जुड़ल तमाम मुद्दा पर एहि बैसार मे चर्चा भेल। बैसार मे मुख्य रुप स नेपाल स आयल युवा उद्यमी प्रवीण नारायण चौधरी, वरिष्ठ साहित्यकार आओर बिहार प्रशासनिक सेवाक अधिकारी तारानंद वियोगी, स्टील ऑथोरेटि ऑफ इंडिया क सेवानिवृत अधिकारी एनके ठाकुर, शिक्षाविद राजेश मिश्र, धरोहर रक्षा पर काज करिनिहार अमित आनंद सहित कई गोटे शामिल भेलथि।
कार्यक्रम क आयोजक गिरीन्द्र नाथ कहलथि जे ओ अपन किछु दोस्त स विचार केलाक बाद चनका गाम मे एहि तरहक आयोजन करबाक योजना तैयार केने छलाह आओर आइ सबकिछु सफल देखिकए ओ खुश छथि। ओ कहलथि जे आगाँ सेहो एहि तरह क कार्यक्रम आयोजित होएत रहत। गाम मे विकासक किरण संगे डिजिटल दुनिया क रोशनी सेहो पहुँचेबाक बेगरता अछि। प्रधानमंत्री क डिजिटल इंडिया क नारा कए गाम तक पहुंचेबा क लेल ऐहन कार्यक्रम क जरुरत अछि, ताकि गाम देहात क लोग सेहो इंटरनेट क ताकत आ फायदा कए बुझि सकय। गिरीन्द्र नाथ कहलथि कि ओ आगाँ सेहो गाम-देहात मे एहि तरह क बैसार आयोजित करैत रहताह। एकर अलावा ओ गाम मे स्कूली छात्र लेल सेहो एकटा योजना पर काज क रहल छथि, एहि लेल आईआईटी खडगपुर क छात्र संग सेहो संपर्क मे छथि। योजना क तहत चनका गाम क ग्रामीण आ स्कूली बच्चा कए डिजिटल दुनिया स रुबरु कराउल जाएत।
चनका बनल आधुनिक ग्रामीण बिहारक पहचान
पिछला एक साल पहिने तक पूर्णिया क श्रीनगर प्रखंड क छोट स गाम चनका क नाम आसपास क जिला मे सेहो लोक ठीक स नहि जनैत छल, मुदा पिछला एक साल मे स्थानीय किसान आओर सोशल मी़डिया मे सक्रिय गिरीन्द्र नाथ झा चनका कए आधुनिक ग्रामीण बिहारक केंद्र बना देलथि अछि। एहि मे हुनक संग द रहल छथि बनैली स्टेट क श्रीनगर डयोढी क कुमार चिन्मयानंद सिंह। श्रीनगर बिहारक पहिल शिक्षामंत्री कुमार गंगानंद सिंह क गाम अछि। चनका कए आधुनिक ग्रामीण बिहारक केंद्र बना देनिहार गिरीन्द्र नाथ झा अपनहुं शिक्षित युवा लेल एकटा आदर्श बनि गेल छथि। दिल्ली विश्वविद्यालय स शिक्षित आ कानपुर आ दिल्ली मे पत्रकारिता केलाक बाद श्री झा चनका क खेत मे अपना कए समर्पित क चुकल छथि। हुनक किसानी रेणु आ गुलजार क सपना कए साकार करबा लेल अछि। गिरीन्द्र नाथ झा ओहि युवा टोली लेल एकटा उदाहरण छथि जे अपन जमीन छोडि आन ठाम नौकरी लेल जाइत अछि। गिरीन्द्र नाथ झा आओर चिन्मयानंद सिंह क जोड़ी एतौका किसान कए यूट्यूब जेहन सोशल मीडिया टूल स सेहो परिचय कर रहल छथि। एकरा संगहि पिछला एक साल मे हिनक सबहक प्रयास स चनका मे यूनिसेफ क सौजन्य से ग्राम्य फिल्म महोत्सव क आयोजन भेल। एकर अलावा अंतराष्ट्रीय साइकिल चालक जोड़ी डेविड आओर लिंडसे फ्रेनसेन चनका आयल छलथि आ चनका क किसानी स अवगत भेलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa