• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहारक जल संसाधन मंत्री विदेश मंत्री स’ कयलनि भेट, कहलनि- राजयमे बाढ़िक समाधानक लेल नेपालमे हाईडैम आवश्यक, ठोस पहल करय केंद्र

September 1, 2020
in समाचार
A A

पटना : बिहारक जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा सोमदिन नव दिल्लीमे विदेश मंत्री एस जयशंकर स’ भेट क’ राज्यक बाढ़ि संबंधी चिंता स’ विस्तार स’ अवगत करओलनि. ओ उत्तर बिहारमे बाढ़िक दीर्घकालिक समाधानक लेल माननीय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा लगातार उठाओल जा रहल मुद्दा दिस विदेश मंत्रीक ध्यान आकृष्ट कयलनि आ नेपाल स’ आबयवला प्रमुख नदी पर नेपाल भू-भागमे हाईडैम बनयबाक दशक भरि स’ लंबित प्रस्ताव पर ठोस डेग उठयबाक आधिकारिक अनुरोध सेहो कयलनि. भेट काल विदेश मंत्री बिहारक मांग पर नव तरहे गौर करबाक भरोस देलनि.

संजय कुमार झा विदेश मंत्रीके बतओलनि जे भौगोलिक स्थितिक कारण बिहारक 28 टा  जिलाके बाढ़ि स’ तबाही झेलय पड़ैत अछि. एहि बाढ़िक कारण एहन नदी अछि, जकर उद्गम स्थल आ बेसी जलग्रहण क्षेत्र नेपालमे स्थित अछि. सभ साल बाढ़ि स’ बचावक उपाय, आपदा प्रबंधन, राहत एवं पुनर्वासक काजमे बिहार सरकारक हजारो करोड़ टाका खर्च भ’ जा रहल अछि, जाहि स’ राज्यक विकासके गति भेटि सकैत छल.

झा बिहारक बाढ़िक दीर्घकालिक समाधान ताकबाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अनुरोधके दोहरबैत कहलनि जे नेपाल स’ आबयवला कोसी, कमला आ बागमती नदी पर नेपाल भू-भागमे हाई डैमक निर्माणक प्रस्ताव लंबित अछि. हाई डैमक निर्माणक आवश्यकता पर भारत आ नेपाल सरकार बहुत समय स’ सहमत अछि आ कतेको बेर 2004 स’ स्थापित संयुक्त कार्य समितिक बैसक सेहो भ’ चुकल अछि, मुदा कोनो संतोषजनक प्रगति नहि भ’ सकल अछि.

बाढ़िक स्थिति पर हालमे प्रधानमंत्री संग वीडियो कॉन्फ्रेन्सिंगक काल सेहो मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नेपालमे हाई डैम निर्माणक आवश्यकता, सीमा क्षेत्रमे बाढ़ि सुरक्षात्मक काजमे नेपालक असहयोगात्मक रवैया आ फरक्का बराजक नीक स’ संचालन सहित कतेको मुद्दा उठौने छलाह. झा अनुरोध कयलनि जे विदेश मंत्रालयके एहि मामिलामे ठोस पहल शुरू करब बेसी आवश्यक भ’ गेल अछि.

भेटक दौरान विदेश मंत्री एस जयशंकर नेपाल स’ संबद्ध बिहारमे बाढ़िक सभ मुद्दाके गंभीरता स’ सुनलनि ओहि पर नव तरीका स’ सकारात्मक पहल करब तथा जरूरी डेग उठेबाक भरोस देलनि. संजय कुमार झा विदेश मंत्रीके बतओलनि जे जल संसाधन विभाग, बिहार द्वारा एहि साल कोसी, गंडक आ कमला नदीक नेपाल भू-भागमे बाढ़ि संघर्षात्मक एवं कटाव निरोधक काजक 28 योजना प्रस्तावित छल, मुदा लॉकडाउन आ नेपालक असहयोगात्मक रुखक कारण एहि योजना पर काज बहुत विलंब स’ शुरू भ’ सकल.
संजय कुमार झा बिहारक एहि  मांग के सेहो दोहरओलनि जे संयुक्त प्रोजेक्ट ऑफिस, विराटनगरमे भारत आ नेपाल सरकारक संग-संग बिहार सरकारक अधिकारीके सेहो प्रतिनिधित्व भेटबाक चाही. ओ सीमा क्षेत्रमे बाढ़ि संघर्षात्मक कार्य करायब संबंधी नीतिके आवश्यक संशोधनक माध्यम स आओर बेसी व्यावहारिक बनयबाक अनुरोध सेहो विदेश मंत्री स’ कयलनि.

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

झा विदेश मंत्रीके बतओलनि जे भारत-नेपाल सीमा पर लालबकैया नदीक दहिना बान्हके सुदृढ़ करबाक काजमे सेहो नेपाल द्वारा बाधा उत्पन्न कयल गेल, जखनकि इ काज बिहार सरकारक जल संसाधन विभाग द्वारा कराओल जाएत रहल अछि. एहि तरहे  कमला वीयरक दाहिना बान्ह पर बाढ़ि संघर्षात्मक काजके सेहो बाधित कयल गेल.

Tags: BiharSanjay Jha

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
बिहार चुनाव: BJP-JDU के बीच 50-50 सीटक बंटवारा! बाकी घटक दलक लेल होयत इ फॉर्मूला

बिहार चुनाव: BJP-JDU के बीच 50-50 सीटक बंटवारा! बाकी घटक दलक लेल होयत इ फॉर्मूला

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

सुशांत अहां कए ऐना नहि जेबाक छल

सुशांत केमे सीबीआई जांचक 12म दिन: रियाक माय-बाप स' पहिल बेर सीबीआई क' रहल पूछताछ

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि