• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

कविता : तारानंद वियोगी क जेना सरिपहुं मैथिले छलहुं

तारानंद वियोगी मैथिली साहित्य क एकटा अनमोल हस्ताक्षर छथि।

November 12, 2019
in फीचर
18
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

आजादी असलियत मे उतरल मिथिला मे
कि बलजुमरी थोपल गेल?

ओइ दिन पुछने रहथि जगदेव मंडल
गिदबास-निवासी हमर मित्र,
जिनकर गाम जुगजुग सं
गिद्ध बैसबाक कलंक ढोइत
मुदा, असल मे जे सब शास्त्रक भूर ढुकबा मे पारंगत

असल मे ओ
यादव जीक मैथिली लिखबा पर हनछिन क’ रहल छला

–क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका
पीठ पिछू दैत रहै छनि बिखिन बिखिन गारि
–लिखै छथि रचि रचि कय, मुदा कैटा छनि पाठक?
जेहो अछि ताहि मे हुनकर कैटा अछि?
मैथिलिए पढ़त लोक तं अमर जी कें नै पढ़त
जे सेखुलर-बामी-पाकिस्तानी कें पढ़त?

बजैत बजैत ओ तं हमरे पर ढरि गेल छला–
–औ, हुनकर मानता अलग, अहां के अलग
भासा हुनकर तं जूतियो चलैत हुनके
अहां बें बें करबै से कते दिन करबै?

दोसरसमाचार

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020

— मानल जनता अमर छै,
मुदा बें बें करब जनताक काज नहि थिक
ने भाउ लगा क’ कथा गढ़ब…

–कोन काज अछि अहां कें मैथिली मैथिली करबाक?
जिनकर छियनि तिनका तं अथिये मे गाछ
ओ लोकनि तं छाहरिये मे
आ सबटा फिकिर अहीं कें? छि:…

–कहू त, जेहन अहांक जीवन अछि, लोक-व्यवहार अछि
किए अहां कें गारि सुनबाक चाही?
अही सेहन्ता मे लालन-पालन केलनि माय-बाप?
पुरखा-पितर की अही गोत्रोच्चारण लेल रहला प्रतीक्षारत?
किए गारि सुनै छी औ बाबू तं मैथिली दुआरे

अही दुआरे ने जे मानू
हुनका सभक पुस्तैनी संपति लुटने जाइ छियनि
जे मैथिली लिखै छी…

–लिखबे करब तं प्रोजेक्ट लेल लिखू महराज,
सिनेमा लेल लिखू
कतय सं कतय पहुंचि जाएब, किछु अछि अंटकर?
मुदा, ई की तं मैथिली हमर माता थिकी

–औ, माता तं हुनकर गंगो छथिन
देखियनु जा क’ गंगाक हाल,
गाइयो छथिन, देखू चहुंदिस गाइयेक हाल
भारतो तं माते छथिन हुनके देखि लियनु…

बजैत बजैत ओ आक्रोश मे
हमरे हिला रहल छला
हिलि रहल छलहुं सरिपहुं हमहूं
जेना सरिपहुं मैथिले छलहुं

Tags: maithilisahitya
Share18TweetPin

Related Posts

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगीक क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका

January 11, 2020
Next Post
कहानी : रमानाथ मिश्र क ‘हेमा दीदी’

कहानी : रमानाथ मिश्र क 'हेमा दीदी'

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

जल्द शुरू होए डीडी मिथि‍ला न्यूज चैनल, दरभंगा मे खुजय सेंसर बोर्डक क्षेत्रीय कार्यालय : मैथि‍ली फिल्म अकादमी

जल्द शुरू होए डीडी मिथि‍ला न्यूज चैनल, दरभंगा मे खुजय सेंसर बोर्डक क्षेत्रीय कार्यालय : मैथि‍ली फिल्म अकादमी

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

एखनो अछि मिथिलाक छाती पर गरल सुगौली कील क टीस

by संपादक
March 5, 2017
1

Read more

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि