• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

इमरजेंसी: ओहि दिस स एहि दिसका लोकतंत्र

June 25, 2019
in विचार, समाचार
26
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021

सौमित्र रॉय

देशक लोकतंत्र क सबसे करिया अध्याय यानी इमरजेंसी कए आय 44 साल भए गेल । 25 जून 1975 क आधा राति‍ कए देश भरि‍ मे अभिव्यक्ति क आज़ादी छीन लेल गेल छल । हमरा पता नहि, केतबा क इ गप याद होएत, मुदा हमरा अपन पिताजी क उदास चेहरा आइयो याद अछि, जखन अगिला 5 दिन ओ अखबार क दफ्तर नहि‍ गेल छथि‍ ।
इलाहाबाद हाईकोर्ट चुनाव मे सरकारी संसाधन क इस्तेमाल आओर सरकारी कर्मचारी क मदद लेबय जेहन 14टा आरोप मे से 2टा पर इंदिरा गांधी कए अयोग्‍य ठहरा देने छल । रायबरेली से हुनकर निर्वाचन अवैध ठहराओल गेल ।
बीजेपी क अखैन 303टा सांसद अछि और NDA क 353टा, मुदा इंदिरा 352टा सांसद क बहुमत से चुनि‍कए आएल छलीह । तखनो इलाहाबाद हाईकोर्ट चुनाव आयोग क पाले मे गेंद डलबाक बजाय अपन फैसला सुना देलक । मोदी पर सेहो बनारस क रैली मे जरूरत से बेसी खर्च करबाक आरोप लागल छल । मुदा भेल की ? कोर्ट कोनो कार्रवाई केलक ? मोन राखब ।
अभिव्यक्ति क आज़ादी पर खतरा आइयो धरि ओतबे अछि, बल्कि ओहि से आर बेसी । खाली अभिव्यक्तिये टा नहि, खानपान, पहनावा आओर विचारधारा क लकए सेहो बंदिश बढ़ि‍ रहल अछि । अभिव्यक्ति क आज़ादी कए लोकतांत्रिक दर्जा देबाक देबय लेल मारिते रास संस्था सत्ता क संग अछि । त सत्ता कए ऐना देखाबय वला आवाज़ कए दबेबा क लेल आब खुलि‍कए राजनीतिक विरोध नहि होएत, किएक आब लोकतंत्र मे विपक्ष बचले नहि अछि ।
इमरजेंसी कए इंदिरा अनुशासन पर्व कहने छलीह । आब सरकारक मनमाफिक एहि कथित अनुशासन कए देशक सुरक्षा से जोड़ि‍कए देखल जा रहल अछि ।
सरकारक सभटा अंधेरगर्दी कए कतहुँ देश, सम्प्रदाय, सुरक्षा आओर कतहुँ धर्मक नाम पर न्यायोचित ठहरा देल जा रहल अछि ।
देशक 130+ करोड़ अवाम आब एकरा बर्दाश्त करब सीख लेने अछि । किछु छुटपुट आवाज़ सोशल मीडिया पर सेहो उठैत अछि आओर हेराय जाएत अछि ।
इंदिरा गांधी से लकए 2019 तक कि‍छु नहि‍ बदलल । जों बदलल अछि त उ मूल्य अछि, जाहि पर देशक लोकतंत्र कए ठाढ़ हेबाक चाही छल । एहि बदलाव कए समाज सेहो स्वीकार कए लेने अछि । नहि‍ त दागी आओर आपराधिक पृष्ठभूमि क नेता जीतिकए नहि आबतिए । फेर कोन मुँह से हम रेप आओर भ्रष्टाचार पर रोक लगेबाक बात करैत छी ?
आब सत्ता, यानी ताक़त जे कहत वैह दुहराबए पड़त, नहि त उधर या इधर क गप होएत । राम आओर वंदे मातरम त एकटा बहाना अछि । सरकार कए आंगुर देखाएब यानी सत्ता कए ललकारब ।
ई सबसे सुविधाजनक स्थिति अछि । अहाँ सत्ताक संग भए जाएब त फेर अहांक सभटा फायदा भेटय लागत ।
भक्तों कए यैह नीक लगैत अछि । खुद कए बहुसंख्यक मानि‍कए ताक़तवर बननाय सेहो सत्‍ते त अछि ।
इमरजेंसी से पहिने इंदिरा कए दुर्गा कहल गयल छल । 71क जंग जीतबा क बाद । मोदी त खाली एयर स्ट्राइके केने छलथि‍ । मुदा तखन ज़मीनी मुद्द छल आओर एहि पर जेपी क संग संघ सेहो ठाढ़ छल ।
आय ज़मीनी मुद्दा गायब अछि । आओर संघ केकर साथ ठाढ़ अछि ? सोचिकए देखब ।
फेर विकल्प की अछि ? आब त समूचा विपक्ष लकवाग्रस्त भकए अन्‍हार मे अछि । केकरो पास कोनो विजन नहि । लिहाज़ा जमीन पर कोनो आंदोलन सेहो नहि देखाबैत अछि । किछु संगठन क आवाज़ नक्कारखाने मे तूती जेहन गुँजैत अछि ।
ई 1975 क आपातकाल से सेहो पैघ स्थिति अछि, जखन कतहूँ त विरोध छल । चाहे ओ जेपी ही किएक नहि होए । अवाम कए ई त पता छल जे कांग्रेस कए ओकर गलती क सज़ा देनिहार नेता अछि, फेर चाहे ओ जेले मे किएक नहि होए ।
आब सबकए पेट भरल अछि । सड़क पर उतरबा लेल कियो तैयार नहि अछि । केकरो फिक्र नहि‍ । उधर सत्ता बेफिक्र अछि । ओकरा कोनो डर नहि, किएक तमाम संस्था ओकर संग अछि । मुदा जों सत्ता कए आँगा कोनो खतरा आनि पड़ल त विरोध क बगैर तखन क इमरजेंसी क साया आओर गहि‍र होएत ।

इ लेखक अपन निजी राय अछि ।

Tags: 25th JuneEmergencyIndira GandhiIndira Modi
Share26TweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post

आधुनिक व्यावसायिक शिक्षा क सन्दर्भ मे भारतीय शिक्षा विषय पर जागेश्वर झा मेमोरियल लेक्चर दू जुलाई कए

बिहारक संगीत परंपराक संगहि समृद्ध भेल भारतक संगीत : प्रवीण

दिल्लीक स्कूल मे होएत मैथिलीक पढाई, भोजपुरी लेल तेज होएत लडाई

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

एखनो अछि मिथिलाक छाती पर गरल सुगौली कील क टीस

by संपादक
March 5, 2017
1

Read more

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि