• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

….त आइ बचि गेल रहिते दरभंगा

August 15, 2015
in विचार
A A

देश अपन स्‍वतंत्रताक 68 वर्ष पूरा केलक । एहि 68 वर्ष मे देश कतेको मामला मे सकारात्‍मक परिणाम देलक आ खूब प्रगति केलक अछि । सामाजिक, आर्थिक आ सांस्‍कृतिक प्रगतिक संग आन क्षेत्र मे सेहो देश उल्‍लेखनीय प्रगति केलक अछि । मुदा 1947 क परिपेक्ष मे देखि त 2015 मे किछु एहनो क्षेत्र अछि जे उपेक्षित रहि गेल त किछु एहनो अछि जे ताहु स बदतर भ गेल । जाहि पर विचार आ मंथन समग्र विकास लेल जरूरी नहि बल्कि अनिवार्य अछि । आशावादी नजरि स  निराशावादी समाजक मसला कए उठेबाक हमर सतत प्रयास रहल अछि । आजादीक 69 साल बाद हम अपन शहर, अपन राज्‍य, अपन देश आ अपन समाज कए कतए आ कोना देखैत छी,  ओकरा केहन आ कोना बनेबाक सपना गढैत छी ताहि पर इसमाद किछु विशेष लोक क आलेख अपने लोकनिक समक्ष राखि रहल अछि । आजादीक 69 साल बाद क एहि विशेष आयोजन क आजुक आलेख प्रस्‍तुत अछि । – समदिया

रमन दत्त झा

Raman Dutt Jhaहरियर  घास, कारी बाट, कात मे गुलमोहर क गाछ,  लकडी क गेट आ पांच स सात बिग्घा क परिसर मे पीयर-पीयर बंगला कोना बिसरी सकैत छी। दरभंगा क गिरिद्र मोहन मिश्र पथ क इ स्मरण लुटियन दिल्ली आ नूतन राजधानी क्षेत्र पटना क समतुल्य छल। कहल जाइत छै जे पुरान घर खसे आ नव घर उठे, ताहि परिपेक्ष मे देखल जाए त 1934 क भूकंप क बाद खसल पुरान घर क स्थान पर बनल इ नव घर एतबा जल्दी पुरान भ खसि पडत तेकर कल्पना नहि छल। गिरिद्र मोहन मिश्र रोड क एकटा बंगला नंबर 10 स हमर व्यक्तिगत जुडाव रहल। हमर जन्म काल स आइ धरि आंखिक सामने मे एहि सडक आ संपूर्ण मिथिला कए अवसान देखबाक दुर्ग्भाय भेटल। सच पूछू त देखैत देखैत सब किछु बदलि गेल । एकटा खिस्सा जेका लगैत अछि ओ सबकिछु आइ। तहि लेल एकटा खिस्सा जेकां अहां सब लग ओहि विकास क सपना कए रखबाक कोशिश क रहल छी ।

कोनो शहरक विकास लेल पहिने ओकर पिछडापन कए बुझब जरुरी होइत अछि, दरभंगा क विनाश क कारण बुझने बिना एकर आगू क विकास दिशाहीन होएत आ किछु  हद तक संभव सेहो नहि अछि। 1934 मे आयल भयंकर भूकम्प क बाद दरभंगा क तत्कालीन युवा महाराजाधिराज राज एरिया स सटल करीब 87 बीग्घा जमीन रैयत स आजार दाम स बेसी टका पर अधिग्रहण केलथि आ निश्चित योजना क तहत पैघ पैमाने पर निर्माण कार्य प्रारम्भ कराउल गेल। एहि योजना क अंतर्गत हराही रेलवे स्टेशन (एकर बाद मे दरभंगा स्टेशन नाम द देल गेल) स राज पुस्तकालय तक गिरीन्द्र मोहन रोड क निर्माण भेल। एकर दूनू कात  ‘A’ टाइप बंगला आ एकर दक्षिण बी टाइप क्वार्टर बनल । चौडा रोड क दूनू कात फूटपाथ, स्ट्रीट लाइट ,अंडर ग्राउंड केबल, नल क व्यवस्था कैल गेल, जे ताहि समय मे बिहारक कोनो आन शहर मे उपलब्ध नहि छल। पक्का ड्रेनेज क सेहो निर्माण एहि पहिल कालॉनी मे भेल ताहि कारण स जलजमाव आ कादो एहि ठामक लोग लेल सपना छल ।  बंगला मे प्रवेश करबा लेल दू गोट बाट मुख्य परिसर वृत मे छल जे बंगला क पोर्टिको स गुजरैत छल ।  ओहि रास्ता क काते काते बोतल पम्प क गाछ एखनो मन प्रफुल्लित क दैत अछि । एहि रोड पर एहन कुल छह टा बंगला छल, जाहि मे तिरहुत सरकार क छह टा प्रमुख पदाधिकारी रहैत छलाह । सबटा बंगला मे छह स सात टा पैघ-पैघ कोठली छल । सबटा बंगला मे आउट हाउस आ गैराज आ गाड़ी धोबा लेल वर्क स्टेशन बनल छल । गिरीन्द्र मोहन रोड क उत्तर स्थित बंगला आ दक्षिण स्थित बंगला मे कनि भिन्नता छल । एकटा इंग्लिश स्टाइल क छल जेना ओकर ड्राइंग रूम मे फायर बॉक्स छल । सब आवास मेससर मैकिनटोश बर्न द्वारा भूकंप निरोधी तकनीक स निर्मित कैल गेल छल । आउट हाउस क छत सीमेंट क लाल खपरा (टाइल्स ) क छल, जाहि पर Burn(ब्रुन) खुदाइल छल।  सबटा आवास इंट क चाहरदीवारी आ ओकर उपर लोहा क जाली स घेरल छल । जाली पर लाल रंग क गुची वाला लाटर छल आ ओकर बगल स श्रिष्ट जाहि मे पीयर फूल होइत छल । सड़क स बंगला करीब – करीब नहि देखाइ दैत छल । रोड क कात क गुलमोहर या अमलतास क गाछ गर्मी मे गिरीन्द्र मोहन रोड लाल आ पीयर रंग स पाटि दैत दल । बंगला नंबर 1 मे मोहंगी क गाछ देखबा योग्य छल । इ बंगला गिरिद्र मोहन मिश्र लेल आवंटित छल । बाद मे इ बंगला मे युवराज जीवेश्वर सिंह लेल आवंटित कैल गेल । बंगला नंबर 8 क गेट क समीप मस्जिद अछि । जे गिरिद्र मोहन मिश्र रोड क दरभंगवी संस्कृति कए देखबैत अछि । ओकर आगू करवला अछि । स्टेशन स करवला स सीधा पश्चिम गिरीन्द्र मोहन रोड स होइत पैलेस एरिया जेबाक बाट छल । करवला क दाहिना एक टा पैघ उज्जर द्वार आ लोहा क गेट छल जाहि ठाम स डेनबी रोड A टाइप बंगला नंबर 6 होइत सडक पैलेस एरिया जाइत छल । इ सडक सेहो गिरिद्र मोहन मिश्र रोड जेका सुसज्जित छल । बंगला नंबर 6 स सटल एकटा पार्क छल । एकर अलावा  सी टाइप ,डी टाइप , इ टाइप क्वार्टर छल जे लेक (सरोवर ) क काते काते एक प्रकार स मेरिन ड्राइव  आनंद दैत छल । गिरिद्र मोहन रोड आ डेनबी रोड एहि दूनू कालॉनी क सडक अलग अलग गेट स पैलेस एहिया मे जाइत छल । सबटा ठाम कारी लोहा क मजबूत नक्कशीदार गेट छल । पेलेस एरिया मे जे पहिने धुलभरल बाट छल तेकरा नव निर्माण मे  पक्का आ चौडा सडकक रूप देल गेल छल । तत्कालीन सरकार कए पर कई लाख टका खर्च केने छल । राज परिवार क भांति दरभंगा क आम जनता लेल सेहो एकटा प्लान टाउनशिप विकसित करबाक प्रस्ताव महाराजा कामेश्वर सिंह ब्रिटिश सरकार लग रखलथि आ अपन आर्थिक हिस्सेदारी देबाक प्रस्ताव सेहो ओहि मे सम्मलित केलथि । कामेश्वर सिंह क प्रस्ताव क अनुसार दरभंगा क विकास सुनियोजित तरीका स हेबाक चाही ताहि लेल एकटा दरभंगा इम्प्रूवमेंट ट्रस्ट बनाउल जेबाक चाही। एहि संदर्भ मे अगर सरकार कोनो विधेयक विधान परिषद मे अनैत अछि त हमरा खुशी होउत । महाराजा कामेश्वर सिंह क प्रस्ताव पर बिहार व उडिशा  विधान परिषद् मे एहि संर्दभ मे एकटा विधेयक आनल गेल आ काफी बहसक बाद पारित भेल । एहि विधेयक क अनुसार दरभंगा मे बाजार क विस्तार ,रोड क चौरीकरण , पार्क , अस्पताल लेल जगह क आरक्षण, पर्यावरण ,जल निकासी ,जलापूर्ति , बिजली आपूर्ति क समुचित प्रबंध करबाक छल । दरभंगा इम्प्रूवमेंट ट्रस्ट बिल ( बिल नंबर 7 /1934 ) बिहार उडिशा विधान परिषद् मे सरकार क दिस स 3 सितम्बर कए  प्रस्तुत कैल गेल । विधेयक पेश करैत मिस्टर डब्लू . बी . ब्रेट अपन संबोधन मे कहला जे भूकंप क बाद दरभंगा क महाराजाधिराज  आगू बढि कए शहरक विकास लेल प्रस्ताव देलथि अछि आ एकरा लेल एकटा इम्प्रूवमेंट ट्रस्ट बनेबाक आग्रह केलथि अछि जाहि मे ओ अपन दिस स पैघ राशि देबाक इच्छा प्रकट केलथि अछि। महाराजक एहि प्रस्ताव कए सरकार स्वागत करैत अछि जाहि स शहर क तंग आ संकरी बस्ती कए फेर स एहि रूप मे प्लान क बनाउल जाएत जाहि स दरभंगा क लोक कए  पिछला भूकंप मे जे त्रासदी आ जान-माल क नुकसान भेल ओ नहि भ सकत। दरभंगा कए इम्प्रूवमेंट स्कीम किया चाही एहि संबंध मे काफी बहस भेल । एहि बहस मे ब्रेट कहला जे पिछला भूकंप देखिनिहार अगर इ सवाल करैत छथि त आश्चर्य ।  बहस मे कहल गेल इ गप सही अछि जे इ शहर दू भाग मे बंटल अछि । दरभंगा आ लहेरियासराय, जे काफी खुलल अछि आ मुख्य सडक चौडा अछि, मुदा शहरक पश्चिम भाग जे आन भाग स प्राचीन अछि आ काफी तंग अछि, इ इलाका मुख्य रूप स बाजार क इलाका अछि। बड़ी बाजार स कटकी बाजार होइत गुदरी बाजार तक काफी घना बस्ती अछि आ भूकंप क दौरान एहि ठाम भगदड क संभावना अछि । एहन मे  एहि ठाम लेल इम्प्रूवमेंट स्कीम क सख्त जरुरत अछि ।  भूकंप स पहिने इ काफी घनी भीड़ वाला बाजार छल, जतए संकरी सड़क छल ओहन किछु मजबूत मकान छल,  मुदा अधिकांश पुरान आ छोट – छोट दुकान छल ।  एहि ठाम एतबा भीड रहैत अछि जे दम लेबाक लेल जगह नहि भेटैत अछि ।  एहन मे अगर फेर स ओहन भूकंप भेल त एहि तंग गली मे ओहन घटना घटत जेहन हाल मे आयल भूकंप में मुंगेर मे घटल अछि । लोग घर स निकलत त बाट पर मकान क मलबा मे दबा जायत । कोनो खुलल जगह एहि ठाम नहि अछि । ओना विगत 3-4 मास मे हमरा कईटा सुझाव प्राप्त भेल अछि । किछु सुझाव  नीक छल त किछु अव्यावहारिक । इ सच अछि जे आब पक्का कंक्रीट क घर बनबाक चाही ,किछु सदस्यक कहब अछि जे एहन घर बनए जे भूकंप मे झूलि जाय, मुदा एकटा मुर्ख आदमी क नाते हम मानैत छी जे सबस बेहतर होएत जे भूकंप एला पर लोग दौड़ कए जल्दी स जल्दी खुलल जगह पर आबि जाइथि जतए हुनकर माथ पर कोनो मलबा खसबाक संदेह नहि रहए । मुदा बड़ी बाजार क लोक कए इ सलाह देनाइ मजाक होएत । कल्पना करू जे 10 फुट क सड़क पर हजार स बेसी लोक  एकाएक एला पर के आगू भागी सकत । ककरो लेल बाहर निकलब कठिन हाएत । एहि लेल  जरुरी अछि जे एहि बाजार कए फेर स बनाउल जाये । जाहि मे चौडा रोड बने ।  इ काज इम्प्रूवमेंट स्कीम करत l एकरा जरूरी कहब नम्र शब्द होएत दरअसल इ दरभंगा क लोक लेल जीवन होएत ।

यदि आजुक पीढ़ी कए नहि त निश्चित रूप स हुनकर आगूक पीढ़ी लेल l बहस क अंत निर्णायक नहि रहल आ इ विधेयक एकटा सेलेक्ट कमेटी कए सौंप देल गेल ।  एहि समिति कए बिल पर 7 सितम्बर ,1934 तक रिपोर्ट देबा लेल कहल गेल ।  कमिटी मे श्री सच्चिदानंद सिन्हा , मौलवी शेख मुहम्मद शफी , मौलवी मुहम्मद हस्सन जन , राय बहादुर श्यामानंद सहाय , बाबु चंद्रेश्वर प्रशाद नारायण सिन्हा , मिस्टर डब्लू . जी . लकी और कुमार गंगानंद सिन्हा सदस्य बनाउल गेलाह । सेलेक्ट कमिटी क रिपोर्ट दरभंगा इम्प्रूवमेंट ट्रस्ट बिल क पक्ष मे रहल । रिपोर्ट सदन मे राखल गेल त ओहि पर सेहो खूब बहस भेल। 18 सितम्बर 1934 कए आखिरार विधेयक पारित भेल। पारित हेबा स पूर्व  मुहम्मद शेख शफी बिल मे संसोधन क प्रस्ताव दैत कहला जे एहि विधेयक क कॉपी दरभंगा क लोक मे प्रसारित कैल जाय, जेकर विरोध में डा. सच्चिदानंद सिन्हा ठार भेलाह । श्री सिन्हा क संग मौलवी मुहम्मद हस्सन जन सेहो एहि संशोधन क विरोध केलथि । मौलवी हस्सन जन कहला जे  अगर केकरो एहि बिल स असुविधा अछि त ओ एकटा पुनीत कार्य लेल एहि शहर क हित मे एहि असुविधा कए वहन करबा लेल तैयार रहू, नहि त क्षेत्र क प्रगति कहियो नहि भ सकत आ आगू क पीढी लेल अहां खलनायक सिद्ध भ जायब ।  राय बहादुर द्वारिकानाथ जे तिरहुत डिवीज़न नगरपालिका स चुनि कए सदन मे आयल छलाह ओ सेहो एहि बिल क समर्थन केलथि आ कहलथि जे एहन बिल केवल दरभंगा लेल किया आन शहर लेल सेहो एबाक चाही। ओ कहला जे हम एहि विधेयक क विरोध करैत रही मुदा  लोकक अवधारणा जे इम्प्रूवमेंट ट्रस्ट दरभंगा राज क इशारा पर आनल गेल अछि एकर हम खंडन करैत छी आ इ आरोप बेबुनियाद अछि ।  ओ कहला जे ट्रस्ट बोर्ड क छह सदस्य मे मात्र एकटा सदस्य दरभंगा महाराज कए मनोनीत करबाक अधिकार अछि ।  बाबू निरसु नारायण सिन्हा सेहो बिलक  समर्थन केलथि,बाबू हरेकृष्ण चौधरी कहलथि जे दरभंगाक विकास मे इ मीलक पाथर साबित होएत ।  मौलवी मुहम्मद अब्दुल घनी  पूजा आ इबादत क स्थान कए ल कए प्रस्ताव देलथि जाहि पर सरकार कहलक जे पूजा स्थान यथावत राखल जाएत, चाहे वो सडकक बीच मे किया नहि आबि जाये । बहसक अंत मे डा. सच्चिदानंद सिन्हा दरभंगा इम्प्रूवमेंट ट्रस्ट बिल क पुरजोर समर्थन करैत एकरा पास करबाक प्रस्ताव रखलथि । सिन्हा कहलथि जे इ आधुनिक दरभंगा नहि बल्कि आधुनिक बिहार क सपना थीक । ओ कहला जे भारत मे लोक हित मे हमर अमीर लोकनि टका नहि खर्च करैत छथि जेना कि दोसर देश सब क मे अमीर लोकनि खर्च करैत छथि । ओहि देश सब मे लोक भावना अपन देश स बेसी अछि ।  अपन देश मे जतए अधिकांश लोक गरीब अछि धनवान लोकक टका लोक हित मे लगबाक चाही । एहि विधेयक क सराहना एहि गप क लेल सेहो हेबाक चाही । महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह एहि आपदा क समय मे लोकहित मे सराहनीय कार्य केलथि अछि । हुनकर दान क लाभ उठेबाक जरुरत अछि आ ताहि लेल बिल कए पारित करब जरुरी अछि । एकर बाद बिल पास भ गेल ।  ट्रस्ट क चैयरमैन बाबू विशेश्वर सिंह कए बनाउल गेल आ ट्रस्ट अगिला नवम्बर स कार्य करै लागल। ट्रस्ट द्वारा सबस पहिने दरभंगा-लहेरियासराय क हवाई सर्वे कराउल गेल । एहि प्रकार स दरभंगा देशक पहिल शहर बनल जेकर विकासक खाका आसमान मे बनल । कोलोनेल टेम्पले कए दरभंगा टाउशिप विकसित करबाक जिम्मा सौंपल गेल । राज परिसर क बाहर राजपरिसर जेका सुव्यवस्थित नगर बसेबाक चुनौती क अंदाजा टेम्पले कए छल । ओ अपन योग्यता क परिचय देलथि । महाराजा ऑफिस हुनका दरभंगा क प्लान कए अमली जामा पहिरेबा मे काफी मदद केलक । मुदा टेम्पले क सपना पूरा जमीन पर नहि उतरि सकल । 1942 क भारत छोडो आंदोलन आ एकटा नव शासन व्यवस्था प्रर्दुभाव क आहट समाज क अदूरदर्शी लोक सब कए मौका द देलक । योजना क मुख्य केंद्र गोल मार्केट क दरभंगा क एकटा मुख्य कारोबारी विरोध क देलथि । किछु लोग बंगाली टोला स मिथिला कॉलेज कए स्थानांतिक क ओहि बाजार मे आनि देलथि । कटकी बाजार आ बड़ी बाजार गोल मार्केट मे शिफ्ट नहि भ सकल । ओहि दूनू बाजार क सड़क संकरी रहि गेल । एहि प्रकार स चिल्ड्रेन पार्क लेल आरक्षित जगह पर स्कूल खोली देल गेल जखन कि लालबाग मे राज स्कूल लग आमजन लेल पार्क क स्थान आइ धरि मैदान बनल अछि ।  1988 आ 2015 क भूकंप मे फेर स ओ चिंता जताउल गेल । 1988 मे त जानमाल क क्षति सेहो भेल । अजीमाबाद पार्क मे कॉलेज खोलला स दरभंगा शिक्षा क केंद्र त नहि बनि सकल, मुदा जे प्रदेश क एकटा पैघ व्यापारिक केंद्र बनबा क सपना देखैत छल ओ सपना नींद टूटबा स पूर्वहि टूटी गेल..दरभंगा एखन धरि अपन भविष्य क प्रति सचेत भ सुतल अछि । सच कहू त 1934 मे सुव्यवस्थित रूप स बसबा लेल अगर उजरि गेल रहिते दरभंगा, त आइ बचि गेल रहिते दरभंगा । काश..स्मार्ट सिटी की सूची मे आबि गेल रहिते दरभंगा ।

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

(लेखक बिहार विधानसभा मे कार्यरत छथि आ इ हुनक अपन निजी विचार अछि)

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

विद्यापति स्मृति पर्व समारोहमे : जिंस ढ़ीला क’ र’...

आभासी दुनिया क धरातल पर आनलक सहरसा ग्रुप

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि