• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

विकास कखनो एकाएक नहि होइ छै

August 18, 2015
in विचार
A A
45
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

देश अपन स्‍वतंत्रताक 68 वर्ष पूरा केलक। एहि 68 वर्ष मे देश कतेको मामले मे सकारात्‍मक परिणाम देलक आ खूब प्रगति केलक अछि। सामाजिक, आर्थिक आ सांस्‍कृतिक प्रगतिक सं संग आन क्षेत्र मे सेहो देश उल्‍लेखनीय प्रगति केलक अछि। मुदा 1947 क परिपेक्ष मे देखिए त 2015 मे किछु एहनो क्षेत्र अछि जे उपेक्षित रहि गेल त किछु एहनो अछि ताहु स बदतर भ गेल। जाहि पर विचार आ मंथन समग्र विकास लेल जरूरी नहि बल्कि अनिवार्य अछि। आशावादी नजरि स  निराशावादी समाजक मसला कए उठेबाक हमर सतत प्रयास रहल अछि। आजादीक 69 साल बाद हम अपन शहर, अपन राज्‍य, अपन देश आ अपन समाज कए कतए आ कोना देखैत छी, ओकरा केहन आ कोना बनेबाक सपना गढैत छी ताहि पर इसमाद किछु विशेष लोक क आलेख अपने लोकनिक समक्ष राखि रहल अछि। आजादीक 69 साल बाद क एहि विशेष आयोजन क आजुक आलेख प्रस्‍तुत अछि । – समदिया

संजय सरावगी

Sanjay Saragawiविकास सदा चलए वाला होइ छै। एकर गति अबाध रहक चाही। जखने गति रुकल आ कि बुझु विकास रुकि गेल। विकास कखनो एकाएक नहि होइ छै। निरंतर क्षण-क्षण चलै छै। से कोनो तरहक विकास हो, सभक एके रंग हाल। ई स्वतः होयत तखनो आ मानव द्वारा कयल जाय तखनो। दरभंगा स बेसी इ गप के बुझत। तिरहुतक राजधानी रहल दरभंगा कहियो विकास क दोसर नाम छल, मुदा कालचक्र एहन घुमल जे इ शहर अपन स्‍वरूप आ पहचान लेल संघर्षरत भ गेल। दरभंगा एक दिन मे नहि पिछडल, एकटा लंबा कालखंड मे लगातार कैल गेल उपेक्षा स दरभंगा पिछडैत गेल। हम एहि बात कए गम्भीरतापूर्वक विचारि कए सेवा-क्षेत्रमे डेग रखने रही जेविकसित  दरभंगा हमर आखिरी लक्ष्‍य रहत। एहि क्षेत्रमे अबिते विकास कार्यमें जुटि गेलहुं। एकरे परिणाम भेल जे नगर निगम पार्षदक रुपमे सेवा-कार्य प्रारम्भ करिते जन-मन मे स्‍थान पाबि लेलहुं आ विधायक बनि सकलहुं। सेवाकार्य क्षेत्रक विस्तार भेल त काज क स्‍वरूप आ आकार सेहो बदलल। दरभंगा क जनता क सहयोग रहल जे तीन बेर विजयी रहलहुं आ काज करबा लेल पूरा मौका भेटल। विधायक बनलाक बावजूद हमर निवास पटना नहि बनल आ हम सतत दरभंगा क वासी बनल रहलहुं आ एहि ठाम क समस्‍या स परिचित होइत रहलहुं। अपन चारुकात क बदलैत छवि हमरा बल दैत अछि। नगर क्षेत्र क विधायक भेलाक बावजूद 8टा पंचायत सेहो हमर क्षेत्र मे अछि जेकर विकास हमरा लेल नगर क्षेत्र क जेकां अछि। दरभंगा एतबा विकसित रहल जे एकरा विकासक मतलब पता अछि आ दरभंगा एतबा पिछडि चुकल अछि जे एकरा विकासक पटरी पर आनब एकटा पैघ चुनौती रहल अछि।   हम अपन अल्‍प कालखंड मे जे कोनो विकास कार्य कैल से ईश्‍वर आ जनता जनार्दनक कृपाक परिणाम अछि।

हमर भीतर विकसित दरभंगाक सपना ज्‍यो कए त्‍यों राखल अछि। ओहि दिशा मे बहुत कम काज क सकलहुं अछि, मुदा कने मोन पाड़ू आइस10 साल पहिने क दरभंगा। की हाल छल। नगरक दूनू प्रमुख सड़क वी.आई.पी.रोड आ कॉमर्शियल रोड पैदलो चलबा जोकर नहि छल। बड़का- बड़का खद्धा। रोज कोनो ने कोनो दुर्घटना होइत छल। उर्दू बाजार क सडक हाल सेहो खस्ता छल। हम सडक कए अपन पहिल प्राथमिकता बुझलहुं। सड़क बनल आ सभकए सुविधा भेटल। आइ दरभंगा आ लगक क्षेत्र मे कोनो आन शहरक मुकाबले बेसी नीक सडक देखा रहल अछि। रोडक जाल ओछा देबामेहम किछु हद तक सफल भेलहुं अछि। हमर काल खंड में लगभग 1000 छोट-पैघ सड़क बनल, जे एकटा रिकार्ड अछि। आइ गली-गली ढलैया भ गेल।आब तकलापर कोनो ऐहन गलीभेटत जे कोनो कारणे छूटल छै। ओकरो बनबा रहल छी।

इंजीनियरिंग कॉलेज खोलेबाक हो या सदर अस्‍पतालक मंजूरी हो, तारामंडल क प्रस्‍ताव पास करेबाक हो, हमरा जहां धरि भेल अपन दायित्‍वक निर्वाह कैल। आचार्य सुरेन्द्र झा सुमन चौक, पटेलचौक, विवेकानन्द चौक आदिक सौन्दर्यीकरण करेबा स शहर स्‍वरूप बदलबाक प्रयास कैल अछि। पोखरि क घाट निर्माण सभमे प्रगति देखा रहल अछि। बिजली संकटक निदान लेल प्रयास जारी अछि। नाला बनबा कए जल जमावस मुक्तिक प्रयास निरन्तर करैत आबि रहल रहल छी। जे दस साल पहिने एहि ठामक रोड, अस्पताल आदि देखने छथि हुनका अवश्‍य संतोष होएत आ बदलाव देखि खुश होएब, मुदा लक्ष्‍य एखन दूर अछि। स्‍मार्ट सिटी क रेस मे दरभंगा पिछडी गेल। दरभंगा क स्‍थान निराशाजनक रहल। कई दशकक उपेक्षाक कारण जे दरभंगा पिछडि गेल ओकरा फेर स विकसित शहरक कतार मे अनबा लेल सतत विकास आ प्रयास क जरुरत अछि। स्‍मार्ट सिटी क रेस मे भेटल असफलता कए हमरा सब कए चुनैती क रूप मे लेबाक जरुरत अछि। पिछला दस साल क प्रयास सजे विकासक गाड़ी आगू बढेलियै, ओकरा जारी रखबाक जरुरत छै। अगर इ गाडी एकबेर फेर रोकि देल गेल त दरभंगा आओर पिछडि जाएत।

हमरा लोकनि कए बहुत काज एखन करबाक अछि। पर्यटन विभागस हराही पोखरिक सौन्दर्यीकरण लेल योजना स्वीकृत करा चुकल छी, ओकरा जमीन पर अनबाक अछि। दरभंगा एयरपोर्ट लेल हम सब प्रयासरत छी। दरभंगामे साफ्टवेयरपार्क स्वीकृत भेल, जाहिस युवा क जीविको भेटितै, मुदा एखन धरि जमीन पर्यन्त राज्य सरकार नहि देलक अछि। सरकारस भाजपा क फराक होइते दरभंगा एकर सबस बेसी कोपभाजन बनल। एहि ठामक सबटा विकास योजना मुंह ताकि रहल छै। दरभंगामे तारामण्डल स्वीकृत करेने रही, मुदा एखन धरि शिलान्‍यास तक नहि करौउल गेल। जखन जीतन राम मांझी मुख्यमंत्री भेला तकिछु आशा जगल आ ओ एहि लेल 164.30 करोड़ क वित्तीय स्वीकृतियो देलथि, मुदा फेर परिणाम शून्य। दरभंगामे सदर अस्पताल लेल 29 करोड़ स्वीकृत भेल, अखबार मे टैंडरक लेल सूचना प्रकाशित भेल, मुदा ई धरातलपर नहि उतारल गेल। दरभंगाक सभसॅ पैघ समस्या जल जमावक निदान लेल हमर प्रयास के सरकार पानिमे ध देलक। दोनारमे रेलवे ओवर ब्रिज स्वीकृत अछि, मुदा एप्रोच रोड मे सरकार रुचिये नहि लेलक। माधवेश्‍वर परिसरक सौन्दर्यीकरण काज ठप अछि। लक्ष्मीश्‍वर विलास पैलेस आ ओकरा पाछूक सुखी दिग्घीक सौन्दर्यीकरण स्वीकृति पर राज्य सरकार कुण्डली मारि बैसल छै। आर की कहब पछिला दिन 3600 एईडी भैपर दरभंगाक सभटा पोलपर लगेबा लेल नगर निगम में निर्णय भेल, मुदा राज्य सरकारक उदासीनताक कारणे ई योजना अधरमे लटकि गेल, मुदा हम चुप नहि बैसब। प्रयास करैत रहब। आब दरभंगाक विकास ककरो रोकए नहि देब। विकास हमर सभक अधिकार छी। एहिस क्यौ बंचित करत त बर्दाश्‍त नहि कयल जायत। ई सभटा योजना धरातल पर उतारबाक छै, उतारि कए रहबै। एहन आरो बहुत रास योजना छै, सरकार कए कहलियै एम्स दे, आई.बी.एम.दे, विधानसभा मे प्रश्‍न कैल, मुदा दरभंगा क दोसर कोनो विधायक संग मे ढार नहि भेलाह,मुदा हम विधानसभामे ई सभ मुद्दा उटबैत रहलहुं अछि आ उठबैत रहब।

केंद्रीय संस्‍थान स दरभंगा कए सतत वंचित कैल जा रहल अछि। मिथिला क्षेत्रक प्रति विद्वेषस राज्य सरकार दरभंगा क अहित क रहल अछि। तकर माने हम सभ चुप बैस रही। नहि, विकासक सपना कए साकार करब। बिहार क विकास दरभंगाक विकास होएत। यैह हमर एकमात्र लक्ष्य अछिआ एकरा पूरा क कए दम लेब। हमर सपना अछि जे दरभंगास पलायन रूकय। पहिने जेकां एहि ठाम रोजगारक साघन हो। दरभंगा शिक्षा आ उद्योगक फेर स हब बनय। दरभंगा राज परिसरक ऐतिहासिक धरोहरक संरक्षण हो। आइ लोक रोजगार लेल बाहर जाइ छथि, कहियो दरभंगा रोजगार देबा लेल ढार रहैत छल। आइ दरभंगा मे नीक शिक्षण संस्थान नहि अछि, रोजी-रोटीक साधन नहि अछि, उद्योगक घोर अभाव अछि, जे उद्योग छल सेहो बन्द अछि। सरकार कानमे तेल देने पड़ल अछि। हम भाजपाक एकटा सिपाही छी। एकटा विधायक छी। अहीं सब स हमरा ताकत भेटैत अछि। जेतबा हमर ताकत बढत ओतबा हम दरभंगा लेल लडब। हमर लक्ष्‍य अहां सबहक समक्ष अछि। हमर विकासक ब्‍लू प्रिंट अहां सबहक समझ अछि। विकसित दरभंगा क विजन कए साकार करब हमर कर्तव्य आ धर्म दुनू अछि। हम अनवरत सपना देखै छी जे विकास अपन असल रूपमे धरातलपर उतरि सकी आ राज्यक संग दरभंगा आ मिथिला विकसित क सकी, मुदा बिना अहांक सहयोग आ समर्थनक इ संभव नहि।

( लेखक बिहार विधानसभा क सदस्‍य छथि आ इ हुनक अपन निजी विचार अछि )

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
Share45TweetPin

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

मैलोरंगक निर्देशक प्रकाश झा कए ‘’बिहार सम्मान’’

तिरहुत क इकोसिस्टम

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि