• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सूखा गेल श्रीश चौधरीक कलम

January 5, 2010
in संपादकीय
A A

दोसरसमाचार

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019

आशीष झा/ कुमुद सिंह
श्रीश चौधरी मात्र एकटा व्यक्तिक नाम नहि अछि। इ एकटा जमात अछि, जे पिछला 15 साल स अपन असफलता कए समाज आ राज्य क माथ पर द कलम चलबैत रहल। एहि प्रकारक लोकक विद्वान हेबाक एक मात्र आधार छल जे इ बिहार क गरीबी कए बाहर जा कए एकटा चित्रकार क भांति चित्रित करैत रहलाह। सवाल उठैत अछि, श्रीश चौधरीक चर्चा आइ किया? दरअसल, ‘समादÓ जे पिछला तीन साल स (14 जनवरी 2007) अहांक सबहक बीच बिहारक सकारात्मक खबर पहुंचा रहल अछि, ओकर पाछु जे व्यक्ति छथि ओ श्रीश चौधरी छथि। समाद पिछला सप्ताह बिहारक विकास दर देश स आगू रहबाक चमत्कारी समाद अहां तक पहुंचेलक। पिछला दू दिन स देशक प्रमुख अखबार बिहार क एहि चमत्कारी रूप कए अभिनंदन करि रहल अछि। एहन मे श्रीश चौधरीक ओ आलेख रहि-रहि कए मन पड़ैत अछि। नीतीश सरकार बनलाक बाद अंगरेजी अखबार ‘हिंदू’ मे एकटा प्रवासी बिहारीक नाम पर छपल आलेख मे चौधरी दावा केने छलाह जे बिहार कए कियो नहि बदलि सकैत अछि। जखन बिहार मे बदलाव कए हवा उठल छल, बिहारी अपना कए बदलवा मे जुटल छल, तखन बिहार स दूर दक्षिण भारत मे बैस कए एहन दावा केनिहार एहन प्रवासी बिहारी कए आइ कोना बिसरी सकैत छी। श्रीश चौधरी सन अभिजात्य प्रवासी बिहारीक आइ कलम सूखा गेल। ओ आब आंकड़ा मे मीन-मेष निकालि सकैत छथि, मुदा ओ जनैत छथि जे जेकरा ओ ‘अनसुधरेबुल’कहैत छलाह ओ अपन दम पर इ चमत्कार केलक अछि। इ मानबा मे ककरो दिक्कत नहि जे बिहार मे आयल बदलाब मे कोनो बाहरी जहां धरि प्रवासी बिहारीक योगदान तक नहि रहल। एहि चमत्कार क पाछु बिहारक ओ तबका अछि, जे हुनका जेकां भागल नहि, डटल रहल बिहार कए बदलबा मे। कोसीक बदलैत धार हुए बा एक हजार मेगावाट बिजली क कारण अनहार बाट, ओ तबका नहि रुकल आ नहि भटकल। एहि मे दू राय नहि जे बाट एखन लंबा अछि, मुदा एतबा त जरूर कहबाक साहस भ चुकल अछि जे बिहार ‘अनसुधरेबुल’नहि अछि, ओ बदलि सकैत अछि, सेहो अपन दम पर।
कनि सोचू जे बिहार मे गुजरात जेकां बिजली उपलब्ध रहिते, त कि बिहार गुजरात स पाछु रहिते। इ सच अछि जे 11.03 फीसदी विकास दर भेला मे बिजलीक योगदान कम अछि, एकर पाछु कृषि उत्पादन क भूमिका महत्वपूर्ण अछि जे एखनो वर्षा पर निर्भर अछि। लेकिन कनि सोचू अगर पश्चिमी कोसी नहर 50 साल बादे सहि तैयार भ गेल रहिते त कि कृषि क विकास दर बिहारक विकास दर कए सबस आगू नहि करि सकैत छल। ध्यान देबा लेल इ सेहो अछि जे अगर कोसी अपन बाट नहि बदलिते त कि बिहार मात्र शून्य दू फीसदी स प्रथम स्थान स वंचित नहि रहिते। निश्चित रूप स नकारात्मक परिस्थिति मे सकारात्मक परिणामक एकटा उदाहरण बनि गेल अपन बिहार।
आलेखक शेष भाग छह जनवरी कए

Tags: बिहारसमाद

Related Posts

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

September 8, 2020
हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
Next Post
Esamaad Epaper Website

दूर होएत पे कमेटी क विसंगती

Esamaad Epaper Website

डीएम कए घूस देबाक प्रयास मे अभियंता बंदी

Esamaad Epaper Website

मैथिली बनत झारखंड क द्वितीय राज्यभाषा

Comments 3

  1. Krishna Mohan Jha says:
    15 years ago

    पहिल बेर समादक अंक देखलँहु,बड्ड नीक लागल। बधाइ! अहाँ सभ बहुत सार्थक काज क रहल छी।

    Reply
  2. Ajeet K L Karna says:
    15 years ago

    Mitra!
    bahut neek baat likhlahu, shayad hamara loknik mon +ve bha jai takhan bahut kich ahina neek hoit jayat. Aha sabhak +ve journalism dekhik mon bahut harkhit bhel aichh…Mithila me ahina bikasak Madhumas chalait rahai se Shubhakamana Nepalak maithil shabhak dis sa..

    Reply
    • dr dhanakar thakur says:
      14 years ago

      श्रीश चौधरीक प्रभात खबरमे ताखान्हू लेख देखने छालान्हू आ अबह्नु
      व्यक्तिगत रुपे चौधरी एक समर्पित भाषा विज्ञानी छथि जिनका मैथिलि पर अगाध प्रेम छानी हम हुनक आलेख सेहो पढ़ने छी आ १८-२१ जनवरी १९८५ बीच हुनक आतिथ्य्मे रही अनुभव केने छी जे हुनका अपन माटिस प्रेम छानि
      अनेक्बेर आनकर पर विका होइत छैक
      हम्न्हू बिहारक विकास स सहमत नहीं छी
      यदि बिहार विकास केलक ट प्रति व्यक्ति आय में सबस नीचा कियैक आ अशिक्षमे सबस ऊपर कियैक?
      डॉ धनाकर ठाकुर

      Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि